A A A A A

पाप: [स्वधर्मत्याग]


2 थिसलुनिकी 2:3
केओ अहाँ सभ केँ कोनो तरहेँ धोखा नहि देबऽ पाबओ, कारण ओ दिन ताबत धरि नहि आओत जाबत धरि परमेश्‍वरक विरोध मे “महा-विद्रोह” नहि भऽ जायत और ओ “अधर्मक पुरुष”, जकर विनाश निश्‍चित अछि, से प्रगट नहि भऽ जायत।

1 तिमुथियुस 4:1
परमेश्‍वरक आत्‍मा स्‍पष्‍ट कहैत छथि जे अन्‍तिम समय मे एहनो लोक सभ होयत जे सभ बहकाबऽ वला आत्‍मा सभ केँ आ दुष्‍टात्‍मा सभक शिक्षा सभ केँ मानि कऽ विश्‍वास त्‍यागि देत।

इब्रानी 3:12
यौ भाइ लोकनि, सावधान रहू, कहीं एना नहि होअय जे अहाँ सभ मे सँ ककरो मोन एहन दुष्‍ट आ अविश्‍वासी भऽ जाय जाहि सँ ओ जीवित परमेश्‍वर केँ छोड़ि दय।

लूका 8:13
पथराह जमीन मे खसल बीया ओ लोक सभ अछि जे परमेश्‍वरक वचन सुनि खुशी सँ ओकरा स्‍वीकार करैत अछि, मुदा ओ वचन ओकरा सभ मे जड़ि नहि पकड़ैत छैक। ओ सभ किछु काल विश्‍वास तँ करैत अछि, मुदा परीक्षाक समय जखन अबैत छैक तँ विश्‍वास केँ छोड़ि दैत अछि।

इब्रानी 6:4-6
[4] कारण, जे केओ एक बेर इजोत प्राप्‍त कयने अछि, स्‍वर्गीय वरदानक स्‍वाद पौने अछि, परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा मे सहभागी बनल अछि,[5] परमेश्‍वरक वचन कतेक उत्तम और आबऽ वला राज्‍य कतेक सामर्थी अछि ताहि बात सभक अनुभव कयने अछि—[6] जँ एहन लोक अपन विश्‍वास छोड़ि दय तँ ओकरा फेर हृदय-परिवर्तनक बाट पर लौनाइ असम्‍भव अछि, किएक तँ एहन लोक अपने अहित करैत परमेश्‍वरक पुत्र केँ फेर क्रूस पर चढ़बैत अछि आ खुल्‍लमखुल्‍ला हुनकर अपमान करैत छनि।

2 पत्रुस 2:20-22
[20] जँ ई सभ अपना सभक प्रभु आ उद्धारकर्ता यीशु मसीह केँ चिन्‍हि कऽ संसारक अशुद्धता सँ बाँचि कऽ निकलि गेलाक बाद फेर ओहि मे फँसि कऽ ओकरे वश मे भऽ गेल, तँ एकरा सभक ई दशा पहिलुको दशा सँ अधलाह अछि।[21] जे पवित्र शिक्षा एकरा सभ केँ देल गेल छल, तकरा बुझि लेलाक बाद ओहि सँ मुँह मोड़ि लेब, ताहि सँ नीक एकरा सभक लेल ई रहैत जे एकरा सभ केँ धार्मिकताक बाटक ज्ञाने नहि प्राप्‍त भेल रहितैक।[22] एहन लोकक विषय मे ई कहावत सत्‍य ठहरैत अछि जे, “कुकुर अपन बोकरल चटबाक लेल घूमि अबैत अछि” आ “नहाओल-सोन्‍हाओल सुगरनी घूमि कऽ फेर थाल मे ओँघराय लगैत अछि।”

इब्रानी 10:26-29
[26] कारण जँ अपना सभ सत्‍यक ज्ञान प्राप्‍त कयलाक बादो जानि-बुझि कऽ पाप करैत रहब तँ फेर पापक प्रायश्‍चित्तक लेल कोनो बलिदान बाँचल नहि रहल।[27] बल्‍कि एतबे बाँचल रहल जे अपना सभ भयभीत भऽ न्‍यायक प्रतीक्षा आ ओहि भीषण आगिक प्रतीक्षा करी जे परमेश्‍वरक विरोधी सभ केँ भस्‍म कऽ देत।[28] जे केओ मूसा द्वारा देल गेल धर्म-नियमक उल्‍लंघन करैत छल तकरा दू वा तीन लोकक गवाही सँ बिना कोनो दया देखौने मृत्‍युदण्‍ड दऽ देल जाइत छल।[29] आब सोचू, जे केओ परमेश्‍वरक पुत्रक अनादर कयने अछि, जे केओ ओहि खून केँ, जाहि द्वारा परमेश्‍वर आ हुनकर लोकक बीच नव सम्‍बन्‍ध स्‍थापित कयल गेल आ जाहि खून द्वारा ओ स्‍वयं पवित्र कयल गेल, तकरा तुच्‍छ बुझने अछि, आ जे केओ परमेश्‍वरक दयावान पवित्र आत्‍मा केँ अपमानित कयने अछि तकरा की होयतैक? एहन लोक आरो कतेक भयंकर दण्‍ड भोगबाक योग्‍य भेल!

2 तिमुथियुस 4:3-4
[3] किएक तँ एहन समय आबि रहल अछि जखन लोक सभ सही शिक्षाक बात सुनब बरदास्‍त नहि करत, बल्‍कि अपना इच्‍छाक अनुसार अपना चारू कात तेहन शिक्षक सभक भीड़ जमा करत जे ओकरा सभ केँ वैह बात सुनौतैक जे ओ सभ सुनऽ चाहैत अछि।[4] ओ सभ सत्‍य केँ सुनऽ काल मे कान मुनि लेत आ कपोल-कल्‍पित खिस्‍सा-पिहानीक पाछाँ दौड़त।

यूहन्‍ना 15:6
जँ केओ हमरा मे नहि रहैत अछि, तँ ओ काटल ठाढ़ि जकाँ होइत अछि जे फेकल जाइत अछि और सुखि जाइत अछि। एहन ठाढ़ि जमा कयल जाइत अछि, तखन आगि मे फेकल और जराओल जाइत अछि।

1 तिमुथियुस 4:1-2
[1] परमेश्‍वरक आत्‍मा स्‍पष्‍ट कहैत छथि जे अन्‍तिम समय मे एहनो लोक सभ होयत जे सभ बहकाबऽ वला आत्‍मा सभ केँ आ दुष्‍टात्‍मा सभक शिक्षा सभ केँ मानि कऽ विश्‍वास त्‍यागि देत।[2] एहन शिक्षा ओहन झूठ बाजऽ वला कपटी लोक द्वारा आओत जकरा सभक विवेक धिपल लोहा सँ दगायल जकाँ सुन्‍न भऽ गेल छैक।

2 पत्रुस 2:1
मुदा परमेश्‍वरक ओहि प्रवक्‍ता सभक समय मे लोकक बीच एहनो व्‍यक्‍ति सभ छल जे झूठ बाजि कऽ अपना सभ केँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता कहैत छल। तहिना अहूँ सभक बीच झुट्ठा शिक्षक सभ ठाढ़ होयत। ओ सभ गुप्‍त रूप सँ विनाश मे लऽ जाय वला गलत शिक्षा सभ देबऽ लागत, एतऽ तक जे ओ सभ ओहि स्‍वामी केँ सेहो अस्‍वीकार करतनि जे ओकरा सभक छुटकाराक लेल दाम चुका कऽ किनने छथिन, आ एहि तरहेँ ओ सभ जल्‍दिए अपन विनाशक कारण बनत।

मत्ती 24:10-12
[10] ओहि समय मे बहुतो लोक अपन विश्‍वास छोड़ि देत। ओ सभ एक-दोसर केँ पकड़बाओत आ एक-दोसर सँ घृणा करत।[11] एहन बहुतो लोक सभ प्रगट भऽ जायत जे झूठ बाजि कऽ अपना केँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता कहत आ बहुतो लोक केँ बहका देत।[12] अधर्मक वृद्धि भेला सँ अनेक लोकक आपसी प्रेम मन्‍द पड़ि जायत।

2 पत्रुस 3:17
यौ प्रिय मित्र सभ, अहाँ सभ एहि बात सभ केँ पहिनहि सँ जनैत छी। एहि लेल सावधान रहू। कहीं अधर्मी मनुष्‍य सभक बहकावा मे आबि कऽ अहाँ सभ अपन सुरक्षित स्‍थान सँ डगमगा कऽ खसि ने पड़ी।

यूहन्‍ना 6:66
एहि बात सभ सँ हुनकर बहुतो शिष्‍य ओहिठाम सँ घूमि गेल और फेर हुनका संग नहि चलल।

2 पत्रुस 2:17
ई झुट्ठा शिक्षक सभ ओहन इनार अछि, जाहि मे पानि नहि छैक, ओहन मेघ अछि, जकरा हवा उड़िआ कऽ लऽ जाइत अछि। एकरा सभक लेल अन्‍हार-गुज स्‍थान निश्‍चित कयल गेल अछि।

1 तिमुथियुस 4:1-3
[1] परमेश्‍वरक आत्‍मा स्‍पष्‍ट कहैत छथि जे अन्‍तिम समय मे एहनो लोक सभ होयत जे सभ बहकाबऽ वला आत्‍मा सभ केँ आ दुष्‍टात्‍मा सभक शिक्षा सभ केँ मानि कऽ विश्‍वास त्‍यागि देत।[2] एहन शिक्षा ओहन झूठ बाजऽ वला कपटी लोक द्वारा आओत जकरा सभक विवेक धिपल लोहा सँ दगायल जकाँ सुन्‍न भऽ गेल छैक।[3] ओ सभ विवाह और कोनो-कोनो खयबाक वस्‍तु सभ सँ परहेज करबाक शिक्षा दैत अछि, जखन कि परमेश्‍वर एहि वस्‍तु सभक रचना एहि लेल कयलनि जे, सत्‍य केँ जानऽ वला आ विश्‍वास करऽ वला सभ द्वारा ई वस्‍तु सभ धन्‍यवादक संग ग्रहण कयल जाय।

1 कोरिन्‍थी 10:12
तेँ जे केओ अपना केँ मजगूत बुझैत अछि से सावधान रहओ जे कहीं खसि ने पड़य।

मत्ती 24:9-10
[9] “ओहि समय मे लोक सभ अहाँ सभ पर अत्‍याचार करयबाक लेल अहाँ सभ केँ अधिकारी सभक जिम्‍मा मे लगा देत आ मरबा देत। अहाँ सभ सँ सभ देशक लोक सभ एहि लेल घृणा करत जे अहाँ सभ हमर लोक छी।[10] ओहि समय मे बहुतो लोक अपन विश्‍वास छोड़ि देत। ओ सभ एक-दोसर केँ पकड़बाओत आ एक-दोसर सँ घृणा करत।

मत्ती 26:14-16
[14] तकरबाद यीशुक बारह शिष्‍य मे सँ एक जकर नाम यहूदा इस्‍करियोती छलैक से मुख्‍यपुरोहित सभ लग जा कऽ कहलकनि,[15] “हम जँ यीशु केँ अहाँ सभक हाथ मे पकड़बा देब तँ अहाँ सभ हमरा की देब?” एहि पर ओ सभ तीसटा चानीक सिक्‍का ओकरा देलथिन।[16] ओहि समय सँ यहूदा यीशु केँ पकड़बयबाक अनुकूल अवसरक ताक मे रहऽ लागल।

1 तिमुथियुस 1:19-20
[19] विश्‍वास मे अटल रहू आ अपन विवेक केँ शुद्ध राखू। एहि दूनू बात केँ किछु लोक बेकार बुझि अपन विश्‍वास केँ नष्‍ट कऽ लेने अछि।[20] ओहि मे हुमिनयुस आ सिकन्‍दर अछि। ओकरा सभ केँ हम शैतानक जिम्‍मा मे दऽ देने छी, जाहि सँ ओ सभ ई सिखय जे परमेश्‍वरक निन्‍दा नहि करबाक अछि।

1 यूहन्‍ना 2:19
ओ सभ अपना सभ मे सँ निकलि गेल, मुदा वास्‍तव मे ओ सभ अपना सभक लोक नहि छल। जँ अपना सभक रहैत तँ अपना सभक संग रहले रहैत। मुदा ओकरा सभ केँ चलि गेला सँ ई स्‍पष्‍ट होइत अछि जे ओकरा सभ मे सँ केओ वास्‍तव मे अपना सभक नहि छल।

इब्रानी 10:25-31
[25] अपना सभ एक संग जमा भेनाइ नहि छोड़ी जेना कि किछु लोकक आदत अछि, बल्‍कि एक-दोसर केँ प्रोत्‍साहित करैत रही, विशेष कऽ आब जखन देखैत छी जे ओ दिन लगचिआ गेल अछि जहिया यीशु फेर औताह।[26] कारण जँ अपना सभ सत्‍यक ज्ञान प्राप्‍त कयलाक बादो जानि-बुझि कऽ पाप करैत रहब तँ फेर पापक प्रायश्‍चित्तक लेल कोनो बलिदान बाँचल नहि रहल।[27] बल्‍कि एतबे बाँचल रहल जे अपना सभ भयभीत भऽ न्‍यायक प्रतीक्षा आ ओहि भीषण आगिक प्रतीक्षा करी जे परमेश्‍वरक विरोधी सभ केँ भस्‍म कऽ देत।[28] जे केओ मूसा द्वारा देल गेल धर्म-नियमक उल्‍लंघन करैत छल तकरा दू वा तीन लोकक गवाही सँ बिना कोनो दया देखौने मृत्‍युदण्‍ड दऽ देल जाइत छल।[29] आब सोचू, जे केओ परमेश्‍वरक पुत्रक अनादर कयने अछि, जे केओ ओहि खून केँ, जाहि द्वारा परमेश्‍वर आ हुनकर लोकक बीच नव सम्‍बन्‍ध स्‍थापित कयल गेल आ जाहि खून द्वारा ओ स्‍वयं पवित्र कयल गेल, तकरा तुच्‍छ बुझने अछि, आ जे केओ परमेश्‍वरक दयावान पवित्र आत्‍मा केँ अपमानित कयने अछि तकरा की होयतैक? एहन लोक आरो कतेक भयंकर दण्‍ड भोगबाक योग्‍य भेल![30] कारण, अपना सभ तिनका चिन्‍हैत छियनि जे ई कहलनि, “बदला लेब हमरे काज अछि; हमहीं प्रतिफल देब।” और फेर इहो जे, “प्रभु अपन लोकक न्‍याय करताह।”[31] जीवित परमेश्‍वरक हाथ मे पड़नाइ भयंकर बात अछि।

मत्ती 13:20-21
[20] पथराह जमीन पर बाउग कयल बीया ओ व्‍यक्‍ति भेल जे परमेश्‍वरक शुभ समाचार सुनि कऽ तुरत आनन्‍दपूर्बक ओकरा ग्रहण कऽ लैत अछि,[21] मुदा ओ वचन ओकरा मे जड़ि नहि पकड़ैत छैक आ ओ कनेके काल स्‍थिर रहैत अछि। जखन शुभ समाचारक कारणेँ ओकरा कष्‍ट सहऽ पड़ैत छैक वा ओकरा संग अत्‍याचार होमऽ लगैत छैक तँ ओ तुरत विश्‍वास केँ छोड़ि दैत अछि।

1 कोरिन्‍थी 9:27
हम अपना शरीर केँ कष्‍ट दऽ कऽ वश मे रखैत छी। नहि तँ कतौ एना नहि भऽ जाय जे दोसर लोक केँ उपदेश देलाक बाद हम स्‍वयं पुरस्‍कार पयबाक लेल अयोग्‍य ठहरी।

इब्रानी 6:4-8
[4] कारण, जे केओ एक बेर इजोत प्राप्‍त कयने अछि, स्‍वर्गीय वरदानक स्‍वाद पौने अछि, परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा मे सहभागी बनल अछि,[5] परमेश्‍वरक वचन कतेक उत्तम और आबऽ वला राज्‍य कतेक सामर्थी अछि ताहि बात सभक अनुभव कयने अछि—[6] जँ एहन लोक अपन विश्‍वास छोड़ि दय तँ ओकरा फेर हृदय-परिवर्तनक बाट पर लौनाइ असम्‍भव अछि, किएक तँ एहन लोक अपने अहित करैत परमेश्‍वरक पुत्र केँ फेर क्रूस पर चढ़बैत अछि आ खुल्‍लमखुल्‍ला हुनकर अपमान करैत छनि।[7] जे जमीन बेर-बेर वर्षाक पानि सोखैत अछि आ जोताइ-बोआइ कयनिहार किसानक लेल नीक अन्‍नक उपजा दैत अछि से जमीन परमेश्‍वरक आशिष पबैत अछि।[8] मुदा जे जमीन काँट-कुश उपजबैत अछि से जमीन बेकार अछि। ओ सरापित होमऽ पर अछि और अन्‍त मे जराओल जायत।

मसीह-दूत 21:21
अहाँक बारे मे ओकरा सभ केँ कहल गेल छैक जे अहाँ गैर-यहूदी लोकक बीच मे रहनिहार यहूदी सभ केँ सिखबैत छी जे मूसाक धर्म-नियम केँ छोड़ू, अपना बच्‍चा सभ केँ खतना नहि कराउ और पूर्वजक अन्‍य प्रथा सभ केँ नहि मानू।

गलाती 5:4
अहाँ सभ मे सँ जतेक लोक धर्म-नियमक पालन कयला सँ परमेश्‍वरक नजरि मे धार्मिक ठहरऽ चाहैत छी से सभ मसीह सँ अलग भऽ गेल छी, परमेश्‍वरक कृपा सँ वंचित भऽ गेल छी।

1 कोरिन्‍थी 6:9
की अहाँ सभ ई नहि जनैत छी जे अधर्मी लोक परमेश्‍वरक राज्‍य मे प्रवेश करबाक अधिकारी नहि होयत? अपना केँ धोखा नहि दिअ! अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध रखनिहार, मूर्तिक पूजा कयनिहार, परस्‍त्रीगमन कयनिहार, वेश्‍या सनक काज कयनिहार पुरुष, समलैंगिक सम्‍बन्‍ध रखनिहार लोक,

इब्रानी 10:26
कारण जँ अपना सभ सत्‍यक ज्ञान प्राप्‍त कयलाक बादो जानि-बुझि कऽ पाप करैत रहब तँ फेर पापक प्रायश्‍चित्तक लेल कोनो बलिदान बाँचल नहि रहल।

मत्ती 13:41
मनुष्‍य-पुत्र अपना स्‍वर्गदूत सभ केँ पठौताह आ ओ सभ हुनका राज्‍य मे सँ सभ प्रकारक पाप मे फँसाबऽ वला बात सभ केँ उखाड़ि कऽ आ कुकर्मी सभ केँ जमा कऽ कऽ

2 तिमुथियुस 4:3
किएक तँ एहन समय आबि रहल अछि जखन लोक सभ सही शिक्षाक बात सुनब बरदास्‍त नहि करत, बल्‍कि अपना इच्‍छाक अनुसार अपना चारू कात तेहन शिक्षक सभक भीड़ जमा करत जे ओकरा सभ केँ वैह बात सुनौतैक जे ओ सभ सुनऽ चाहैत अछि।

2 थिसलुनिकी 2:3-4
[3] केओ अहाँ सभ केँ कोनो तरहेँ धोखा नहि देबऽ पाबओ, कारण ओ दिन ताबत धरि नहि आओत जाबत धरि परमेश्‍वरक विरोध मे “महा-विद्रोह” नहि भऽ जायत और ओ “अधर्मक पुरुष”, जकर विनाश निश्‍चित अछि, से प्रगट नहि भऽ जायत।[4] ओ ईश्‍वर कहौनिहार अथवा पूज्‍य मानल जाय वला प्रत्‍येक वस्‍तुक विरोध करैत अपना केँ ओहि सभ सँ एतेक महान् ठहराओत जे परमेश्‍वरक मन्‍दिर मे विराजमान भऽ अपना केँ ईश्‍वर घोषित करत।

यूहन्‍ना 1:14
वचन मनुष्‍य बनि गेलाह, और कृपा आ सत्‍य सँ परिपूर्ण भऽ, हमरा सभक बीच मे निवास कयलनि। हम सभ हुनकर एहन महिमा देखलहुँ जेना पिताक एकलौता पुत्रक महिमा।

1 तिमुथियुस 4:10
एहि कारणेँ अपना सभ परिश्रम करैत छी आ संघर्ष मे लागल रहैत छी; किएक तँ अपना सभ अपन आशा जीवित परमेश्‍वर पर रखने छी, जे सम्‍पूर्ण मनुष्‍य जातिक, आ विशेष रूप सँ विश्‍वासी सभक उद्धारकर्ता छथि।

1 पत्रुस 3:17
किएक तँ जँ परमेश्‍वरक इच्‍छा ई छनि जे अहाँ सभ दुःख उठाबी, तँ नीक यैह अछि जे अहाँ सभ उचित काज करबाक कारणेँ दुःख उठाउ, नहि कि अधलाह काज करबाक कारणेँ।

1 थिसलुनिकी 2:3
सुसमाचार पर विश्‍वास करबाक जे आग्रह हम सभ करैत छी से ने तँ असत्‍य पर आधारित अछि, ने अपवित्र उद्देश्‍य सँ प्रेरित अछि आ ने ओहि मे कोनो छल-कपट अछि।

1 तिमुथियुस 4:2
एहन शिक्षा ओहन झूठ बाजऽ वला कपटी लोक द्वारा आओत जकरा सभक विवेक धिपल लोहा सँ दगायल जकाँ सुन्‍न भऽ गेल छैक।

मरकुस 10:11
ओ उत्तर देलथिन जे, “जे केओ अपना स्‍त्री केँ तलाक दऽ कऽ दोसर सँ विवाह करैत अछि, से ओहि स्‍त्रीक संग परस्‍त्रीगमन करैत अछि।

लूका ٢٢:٣-٦
[٣] तखन यहूदा इस्‍करियोती, जे बारह शिष्‍य मे सँ एक छल, तकरा मोन मे शैतान पैसि गेलैक।[٤] ओ जा कऽ मुख्‍यपुरोहित सभ और मन्‍दिरक सिपाही सभक कप्‍तान सभक संग बात-चीत कयलक जे ओ यीशु केँ कोना हुनका सभक हाथ मे पकड़बा देत।[٥] ओ सभ बड्ड प्रसन्‍न भेलाह, और ओकरा एहि काजक लेल पाइ देबाक लेल सहमत भेलाह।[٦] यहूदा सेहो मानि लेलक, और जाहि समय मे लोकक भीड़ नहि रहत, ताहि समय मे यीशु केँ पकड़बा कऽ हुनका सभक हाथ मे देबाक अवसरक ताक मे रहऽ लागल।

मत्ती 12:31-32
[31] तेँ हम अहाँ सभ केँ कहि दैत छी जे मनुष्‍यक सभ तरहक पाप आ निन्‍दाक बात क्षमा कयल जयतैक मुदा पवित्र आत्‍माक विरोध मे कयल निन्‍दाक बात क्षमा नहि कयल जयतैक।[32] मनुष्‍य-पुत्रक विरोध मे जँ केओ किछु बाजत, तँ ओकरा क्षमा कयल जयतैक। मुदा जँ केओ पवित्र आत्‍माक विरोध मे बाजत, तँ ओकरा ने एहि युग मे आ ने आबऽ वला युग मे क्षमा भेटतैक।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT