A A A A A

पाप: [झूठ बोलना]


यूहन्‍ना 8:44
अहाँ सभ अपन पिता, जे शैतान अछि, तकर छी, और अहाँ सभ अपन पिताक इच्‍छा पूरा करबाक निश्‍चय कयने छी। ओ शुरुए सँ हत्‍यारा अछि और सत्‍य सँ कोनो सम्‍बन्‍ध नहि रखैत अछि, कारण ओकरा मे सत्‍य छैहे नहि। ओ जखन झूठ बजैत अछि तँ अपन स्‍वभावेक अनुसार बजैत अछि, किएक तँ ओ झुट्ठा अछि और झूठक पिता अछि।

मसीह-दूत 5:3
मुदा पत्रुस कहलथिन, “यौ हननियाह! ई केहन बात भेल जे शैतान अहाँक मोन तेना कऽ वश मे कऽ लेलक जे अहाँ परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा सँ झूठ बजलहुँ आ जमीनक मोल सँ किछु अपना लेल राखि लेलहुँ?

इफिसी 4:29
अहाँ सभक मुँह सँ कोनो हानि पहुँचाबऽ वला बात नहि निकलय, बल्‍कि एहन बात जे दोसराक उन्‍नतिक लेल होअय और अवसरक अनुरूप होअय, जाहि सँ ओहि सँ सुननिहारक हित होयतैक।

कुलुस्‍सी 3:9
एक-दोसर सँ झूठ नहि बाजू, किएक तँ अहाँ सभ अपन पुरान स्‍वभाव केँ ओकर अधलाह आचरण समेत त्‍यागि देने छी,

1 तिमुथियुस 4:2
एहन शिक्षा ओहन झूठ बाजऽ वला कपटी लोक द्वारा आओत जकरा सभक विवेक धिपल लोहा सँ दगायल जकाँ सुन्‍न भऽ गेल छैक।

याकूब 3:1
यौ हमर भाइ लोकनि, अहाँ सभ मे सँ बहुत केओ शिक्षक बनबाक लेल उत्‍सुक नहि होउ। अहाँ सभ ई बात निश्‍चय जानि लिअ जे, हम सभ जे शिक्षक छी, तकरा सभक न्‍याय आरो कठोरताक संग कयल जायत।

प्रकाशित-वाक्‍य 22:15
मुदा ‘कुकुर’, जादू-टोना कयनिहार, अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध रखनिहार, हत्‍यारा, मुरुतक पूजा कयनिहार, आ असत्‍य सँ प्रेम कयनिहार और ओहि पर आचरण कयनिहार बाहरे रहि जायत।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT