A A A A A

रहस्य: [भाग्य]


यूहन्‍ना 16:33
“हम अहाँ सभ केँ ई सभ बात कहि देने छी जाहि सँ हमरा मे अहाँ सभ केँ शान्‍ति भेटय। संसार मे अहाँ सभ पर संकट आओत, मुदा साहस राखू! हम संसार पर विजयी भऽ गेल छी।”

प्रकाशित-वाक्‍य 20:12
तखन हम छोट-पैघ, सभ मरल लोक केँ सिंहासनक सम्‍मुख ठाढ़ देखलहुँ आ पुस्‍तक सभ खोलल गेल। तकरबाद एक आओर पुस्‍तक खोलल गेल जे जीवनक पुस्‍तक अछि। मरल सभक कयल कर्म, जे पुस्‍तक सभ मे लिखल गेल छलैक, ताहि अनुसार ओकरा सभक न्‍याय कयल गेलैक।

रोमी 12:2
अहाँ सभ एहि संसारक अनुरूप आचरण नहि करू, बल्‍कि परमेश्‍वर केँ अहाँक सोच-विचार केँ नव बनाबऽ दिऔन आ तहिना अहाँ केँ पूर्ण रूप सँ बदलि देबऽ दिऔन। एहि तरहेँ परमेश्‍वर अहाँ सभ सँ की चाहैत छथि, अर्थात् हुनका नजरि मे की नीक अछि, की ग्रहणयोग्‍य अछि आ की सर्वोत्तम अछि, तकरा अहाँ सभ अनुभव सँ जानि जायब।

रोमी 8:28-29
[28] अपना सभ जनैत छी जे परमेश्‍वर सँ प्रेम कयनिहार लोक, अर्थात् हुनका उद्देश्‍यक अनुरूप बजाओल गेल लोक सभक लेल प्रत्‍येक परिस्‍थिति मे परमेश्‍वर भलाइ उत्‍पन्‍न करैत छथि।[29] परमेश्‍वर अपना लोक केँ शुरुए सँ चिन्‍हैत छलाह, आ ओकरा सभक लेल ओ ई निश्‍चित कयलनि जे ओ सभ हुनकर पुत्रक समरूप बनय, जाहि सँ यीशु मसीह बहुतो भाय सभक जेठ भाय ठहरथि।

इफिसी 2:8-9
[8] कारण, विश्‍वास द्वारा, हुनकर कृपे सँ, अहाँ सभक उद्धार भेल अछि—ई अहाँ सभक कोनो पुण्‍यक फल नहि, बल्‍कि परमेश्‍वर द्वारा देल गेल दान अछि।[9] ई ककरो द्वारा कयल कोनो कर्मक परिणाम नहि छैक, जे एहि पर केओ घमण्‍ड करय।

1 पत्रुस 2:8-9
[8] और, “ओहन पाथर जाहि मे लोक केँ ठेस लगतैक, आ ओहन चट्टान, जाहि पर लोक खसत।” ओ सभ एहि कारणेँ खसैत अछि जे ओ सभ प्रभुक वचन केँ नहि मानैत अछि, आ प्रभुक वचन केँ नहि मानऽ वला सभक लेल यैह ठहराओल गेल छैक।[9] मुदा अहाँ सभ परमेश्‍वरक चुनल वंश, राज-पुरोहितक समाज, पवित्र राष्‍ट्र आ परमेश्‍वरक अपन निज प्रजा छी, जाहि सँ अहाँ सभ तिनकर महान् गुण सभक बखान करियनि जे अहाँ सभ केँ अन्‍हार मे सँ निकालि कऽ अपन अद्‌भुत इजोत मे बजा अनने छथि।

1 कोरिन्‍थी 2:7-9
[7] हम सभ परमेश्‍वरेक रहस्‍यमय ज्ञानक बात सुनबैत छी जे पहिने गुप्‍त राखल छल, आ जकरा परमेश्‍वर संसारक सृष्‍टि सँ पूर्वहिं अपना सभक महिमाक लेल निश्‍चित कयने छलाह।[8] एहि ज्ञान केँ संसारक शासन करऽ वला सभ मे सँ केओ नहि बुझि पौलक, नहि तँ महिमामय प्रभु केँ क्रूस पर नहि चढ़बितनि।[9] मुदा जेना कि धर्मशास्‍त्रक लेख अछि, “जे सभ परमेश्‍वर सँ प्रेम करैत अछि तकरा सभक लेल ओ जे किछु तैयार कयने छथि तकरा केओ कहियो देखलक नहि, केओ कहियो सुनलक नहि आ ने केओ तकर कल्‍पना कऽ पौलक।”

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT