A A A A A

जिंदगी: [विधवाओं]


याकूब 1:27
परमेश्‍वर पिताक दृष्‍टि मे शुद्ध आ असली धर्म यैह अछि—विपत्ति मे पड़ल अनाथ और विधवा सभक सहायता कयनाइ और अपना केँ संसारक अशुद्धता सँ बँचा कऽ रखनाइ।

मसीह-दूत 6:1
ओहि समय मे जखन शिष्‍यक संख्‍या बढ़ि रहल छल तँ यूनानी भाषी यहूदी सभ इब्रानी भाषी यहूदी सभ पर कुड़बुड़ाय लागल जे सभ दिन जखन भोजन वला वस्‍तु सभ बाँटल जाइत अछि तँ यूनानी विधवा सभ पर ठीक सँ ध्‍यान नहि देल जाइत अछि।

1 तिमुथियुस 5:3-16
[3] ओहन विधवा सभक सम्‍मान और सहायता करू जे सभ वास्‍तव मे निःसहाय छथि।[4] जँ कोनो विधवा केँ बेटा-बेटी वा नाति-पोता सभ अछि, तँ ओहि बेटा-बेटी नाति-पोता सभ केँ सभ सँ पहिने ई सिखबाक चाही जे माय-बाबू, दाइ-बाबा सभ जे हमरा सभक पालन-पोषण कयलनि, तकरा बदला मे हुनका सभक प्रति जे हमर कर्तव्‍य अछि, से हुनका सभक देख-रेख कऽ कऽ हमरा पूरा करबाक अछि। एहन बात सँ परमेश्‍वर प्रसन्‍न होइत छथि।[5] जे विधवा वास्‍तव मे निःसहाय छथि, जिनका केओ देखऽ वला नहि छनि, से परमेश्‍वर पर भरोसा राखि राति-दिन हुनका सँ विनती करैत प्रार्थना मे लागल रहैत छथि।[6] मुदा जे विधवा भोग-विलास मे लिप्‍त भऽ गेल अछि, से जीवित होइतो मरल अछि।[7] अहाँ एहि बात सभक सम्‍बन्‍ध मे मण्‍डलीक लोक सभ केँ ई आज्ञा सभ दिऔक, जाहि सँ एहि क्षेत्र मे ओ सभ निन्‍दा सँ बाँचल रहि सकय।[8] जे केओ अपन सम्‍बन्‍धी सभक आ विशेष कऽ अपने परिवारक सदस्‍य सभक देख-रेख नहि करैत अछि, से विश्‍वास त्‍यागि देने अछि और अविश्‍वासिओ सँ भ्रष्‍ट अछि।[9] जखन ओहि विधवा सभक नाम लिखऽ लागब, जिनका सभ केँ मण्‍डली द्वारा मदति भेटबाक चाही, तँ मात्र ओही विधवा सभक नाम लिखब जे सभ साठि वर्ष सँ कम वयसक नहि होथि, पतिव्रता रहल होथि,[10] और भलाइक काज कयनिहारिक रूप मे चिन्‍हल-जानल जाइत होथि, अर्थात् अपन बाल-बच्‍चा सभक नीक सँ पालन-पोषण कयने होथि, अतिथि सभक सत्‍कार कयने होथि, प्रभुक लोक सभक पयर धोने होथि, दीन-दुखी सभक सहायता कयने होथि आ सभ प्रकारक भलाइक काज मे अपना केँ समर्पित कयने होथि।[11] मुदा जबान विधवा सभक नाम विधवा-सूची मे सम्‍मिलित नहि कयल जाय। किएक तँ यीशु मसीहक लेल जे ओकरा सभक समर्पण अछि ताहि सँ तेज जखन ओकरा सभक शारीरिक काम-वासना होमऽ लगैत छैक तँ विवाह करऽ चाहैत अछि[12] और एहि तरहेँ ओ सभ अपन पहिने कयल प्रतिज्ञा केँ तोड़ि दोषी बनि जाइत अछि।[13] एतबे नहि, समय बरबाद कयनाइ आ अङने-अङने घुमनाइ ओकरा सभक आदत भऽ जाइत छैक। एहि तरहेँ ओ सभ मात्र आलसिए नहि, बल्‍कि ओहन-ओहन बात बाजि जे नहि बजबाक चाही, महा बजक्‍करि, आ दोसराक काज मे टाँग अड़ौनिहारि बनि जाइत अछि।[14] तेँ हम चाहैत छी जे जबान विधवा सभ विवाह करय, सन्‍तान उत्‍पन्‍न करय आ अपन घर-व्‍यवहार चलाबय, जाहि सँ विरोधी केँ मण्‍डलीक निन्‍दा करबाक अवसर नहि भेटैक,[15] कारण, एखनो तँ किछु विधवा भटकि कऽ शैतानक बाट पर चलि गेल अछि।[16] जँ कोनो विश्‍वासी स्‍त्रीगणक परिवार मे विधवा सभ छथि, तँ ओ हुनका सभक सहायता करथि। ओहन विधवाक भार मण्‍डली पर नहि राखल जाय, जाहि सँ मण्‍डली ताहि विधवा सभक सहायता कऽ सकय जिनका केओ नहि छनि।

1 तिमुथियुस ५:९
जखन ओहि विधवा सभक नाम लिखऽ लागब, जिनका सभ केँ मण्‍डली द्वारा मदति भेटबाक चाही, तँ मात्र ओही विधवा सभक नाम लिखब जे सभ साठि वर्ष सँ कम वयसक नहि होथि, पतिव्रता रहल होथि,

1 तिमुथियुस 5:3
ओहन विधवा सभक सम्‍मान और सहायता करू जे सभ वास्‍तव मे निःसहाय छथि।

1 तिमुथियुस 5:16
जँ कोनो विश्‍वासी स्‍त्रीगणक परिवार मे विधवा सभ छथि, तँ ओ हुनका सभक सहायता करथि। ओहन विधवाक भार मण्‍डली पर नहि राखल जाय, जाहि सँ मण्‍डली ताहि विधवा सभक सहायता कऽ सकय जिनका केओ नहि छनि।

मसीह-दूत 9:39
पत्रुस हुनका सभक संग विदा भेलाह। पहुँचलाक बाद लोक सभ हुनका उपरका तल्‍ला पर लऽ गेलनि। विधवा सभ पत्रुस केँ चारू कात सँ घेरि कऽ जे कुर्ता और अन्‍य वस्‍त्र सभ दोरकस मरऽ सँ पहिने बनौने छलीह, से सभ कानि-कानि कऽ देखाबऽ लगलथिन।

मसीह-दूत 6:1-6
[1] ओहि समय मे जखन शिष्‍यक संख्‍या बढ़ि रहल छल तँ यूनानी भाषी यहूदी सभ इब्रानी भाषी यहूदी सभ पर कुड़बुड़ाय लागल जे सभ दिन जखन भोजन वला वस्‍तु सभ बाँटल जाइत अछि तँ यूनानी विधवा सभ पर ठीक सँ ध्‍यान नहि देल जाइत अछि।[2] तखन सभ शिष्‍य केँ बारहो मसीह-दूत सभ बजा कऽ कहलथिन, “ई उचित नहि होयत जे हम सभ परमेश्‍वरक वचनक शिक्षा देनाइ छोड़ि कऽ खुअयबा-पिअयबा मे लागि जाइ।[3] तेँ यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ अपना मे सँ सात गोटे केँ चुनि कऽ दिअ जे पवित्र आत्‍मा सँ परिपूर्ण और सच्‍चरित्र आ नीक बुद्धिक होथि। हम सभ हुनका सभ केँ एहि काजक भार दऽ देबनि[4] आ अपने हम सभ प्रार्थना और परमेश्‍वरक वचनक शिक्षाक काज मे लागल रहब।”[5] एहि विचार सँ सभ केओ प्रसन्‍न भेल आ ओ सभ स्‍तिफनुस जे पवित्र आत्‍मा आ विश्‍वास सँ परिपूर्ण छलाह, और फिलिपुस, प्रुखुरुस, निकानोर, तीमोन, परमिनास और अन्‍ताकिया निवासी निकुलाउस जे यहूदी धर्म स्‍वीकार कयने छलाह तिनका सभ केँ चुनलकनि।[6] तकरबाद ओ सभ हुनका सातो गोटे केँ मसीह-दूत सभक सामने आनि देलकनि। ई सभ प्रार्थना कयलनि आ हुनका सभ पर हाथ राखि ओहि काजक लेल नियुक्‍त कयलनि।

1 तिमुथियुस 5:11-14
[11] मुदा जबान विधवा सभक नाम विधवा-सूची मे सम्‍मिलित नहि कयल जाय। किएक तँ यीशु मसीहक लेल जे ओकरा सभक समर्पण अछि ताहि सँ तेज जखन ओकरा सभक शारीरिक काम-वासना होमऽ लगैत छैक तँ विवाह करऽ चाहैत अछि[12] और एहि तरहेँ ओ सभ अपन पहिने कयल प्रतिज्ञा केँ तोड़ि दोषी बनि जाइत अछि।[13] एतबे नहि, समय बरबाद कयनाइ आ अङने-अङने घुमनाइ ओकरा सभक आदत भऽ जाइत छैक। एहि तरहेँ ओ सभ मात्र आलसिए नहि, बल्‍कि ओहन-ओहन बात बाजि जे नहि बजबाक चाही, महा बजक्‍करि, आ दोसराक काज मे टाँग अड़ौनिहारि बनि जाइत अछि।[14] तेँ हम चाहैत छी जे जबान विधवा सभ विवाह करय, सन्‍तान उत्‍पन्‍न करय आ अपन घर-व्‍यवहार चलाबय, जाहि सँ विरोधी केँ मण्‍डलीक निन्‍दा करबाक अवसर नहि भेटैक,

1 कोरिन्‍थी ७:८-९
[८] हम अविवाहित सभ केँ आ विधवा सभ केँ ई कहैत छी जे हमरे जकाँ ओहिना रहनाइ अहाँ सभक लेल उत्तम बात होयत।[९] मुदा जँ अहाँ सभ अपना पर काबू नहि राखि सकैत छी तँ विवाह कऽ लिअ, किएक तँ काम-वासना सँ जरैत रहबाक अपेक्षा विवाह कयनाइ नीक अछि।

लूका 2:37
तकरा बाद विधवा भऽ गेलीह, और आब ओ चौरासी वर्षक छलीह। ओ मन्‍दिर केँ नहि छोड़ि कऽ दिन-राति उपास आ प्रार्थनाक संग परमेश्‍वरक सेवा मे लागल रहैत छलीह।

रोमी ७:३
एहि लेल, जँ ओ पतिक जीवन काल मे कोनो दोसर पुरुष सँ विवाह करैत अछि तँ ओ परपुरुषगमन करऽ वाली कहबैत अछि, मुदा जँ ओकर पति मरि जाइत छैक तँ ओ ओहि विवाह सम्‍बन्‍ध सँ मुक्‍त भऽ जाइत अछि और कोनो दोसर पुरुषक स्‍त्री बनिओ कऽ परपुरुषगमन करऽ वाली नहि होइत अछि।

1 तिमुथियुस 5:4
जँ कोनो विधवा केँ बेटा-बेटी वा नाति-पोता सभ अछि, तँ ओहि बेटा-बेटी नाति-पोता सभ केँ सभ सँ पहिने ई सिखबाक चाही जे माय-बाबू, दाइ-बाबा सभ जे हमरा सभक पालन-पोषण कयलनि, तकरा बदला मे हुनका सभक प्रति जे हमर कर्तव्‍य अछि, से हुनका सभक देख-रेख कऽ कऽ हमरा पूरा करबाक अछि। एहन बात सँ परमेश्‍वर प्रसन्‍न होइत छथि।

1 तिमुथियुस 5:10
और भलाइक काज कयनिहारिक रूप मे चिन्‍हल-जानल जाइत होथि, अर्थात् अपन बाल-बच्‍चा सभक नीक सँ पालन-पोषण कयने होथि, अतिथि सभक सत्‍कार कयने होथि, प्रभुक लोक सभक पयर धोने होथि, दीन-दुखी सभक सहायता कयने होथि आ सभ प्रकारक भलाइक काज मे अपना केँ समर्पित कयने होथि।

मरकुस १२:४२-४३
[४२] तखन एकटा गरीब विधवा आबि कऽ तामक दूटा पाइ, जकर मूल्‍य एको पैसा सँ कम छलैक, से दान-पात्र मे देलक।[४३] यीशु शिष्‍य सभ केँ अपना लग बजा कऽ कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे, ई गरीब विधवा ओहि सभ लोक सँ बेसी दान चढ़ौलक,

1 तिमुथियुस 5:5
जे विधवा वास्‍तव मे निःसहाय छथि, जिनका केओ देखऽ वला नहि छनि, से परमेश्‍वर पर भरोसा राखि राति-दिन हुनका सँ विनती करैत प्रार्थना मे लागल रहैत छथि।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT