Instagram
English
A A A A A

जिंदगी: [संगीत]


इफिसी 5:19
आपस मे भजन, स्‍तुति-गान और भक्‍तिक गीत गबैत रहू। अपना मोनो मे प्रभुक लेल गीत गबैत-बजबैत रहू,

इब्रानी 2:12
जेना कि यीशु परमेश्‍वर केँ कहैत छथिन, “हम अपना भाय सभ केँ अहाँक विषय मे सुनायब, आराधना-सभा मे हम अहाँक गुणगान गायब।”

कुलुस्‍सी 3:16
मसीहक वचन केँ अपन परिपूर्णताक संग अहाँ सभ अपना मे निवास करऽ दिअ। पूर्ण बुद्धि-ज्ञानक संग एक-दोसर केँ शिक्षा आ चेतावनी दैत रहू, आ परमेश्‍वरक प्रशंसा मे भजन, स्‍तुति-गान आ भक्‍तिक गीत पूरा मोन सँ धन्‍यवादक संग गबैत रहू।

प्रकाशित-वाक्‍य 14:3-4
[3] ओ सभ सिंहासनक सम्‍मुख आ चारू जीवित प्राणी और धर्मवृद्ध सभक सम्‍मुख एक नव गीत गाबि रहल छलाह। ओहि एक लाख चौआलिस हजार लोक जे सभ पृथ्‍वी पर सँ किनल गेल छलाह, तिनका सभ केँ छोड़ि, केओ नहि ओहि गीत केँ जानि सकैत छल।[4] ई सभ ओ लोक छथि जे स्‍त्रीक संसर्ग सँ दुषित नहि भेल छथि, किएक तँ ई सभ अपना केँ पवित्र रखने छथि। जतऽ कतौ बलि-भेँड़ा जाइत छथि, ततऽ ई लोक सभ हुनका संग चलैत छथि। हिनका सभ केँ फसिलक प्रथम फलक चढ़ौना जकाँ परमेश्‍वर आ बलि-भेँड़ा केँ विशेष रूप सँ अर्पित होयबाक लेल मनुष्‍य सभ मे सँ किनल गेल छनि।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT