A A A A A

जिंदगी: [नरक]

प्रकाशित-वाक्‍य 21:8
मुदा डरपोक सभक, अविश्‍वासी सभक, घृणित लोकक, हत्‍यारा सभक, अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध राखऽ वला सभक, जादू-टोना कयनिहार सभक, मुरुतक पूजा कयनिहार सभक आ सभ झूठ बजनिहारक स्‍थान ओहि आगिक कुण्‍ड मे होयतैक जे गन्‍धक सँ धधकैत रहैत अछि। यैह अछि दोसर मृत्‍यु।”

मत्ती 25:46
तखन यीशु कहलनि, “ई सभ अनन्‍त दण्‍ड भोगबाक लेल चल जायत, मुदा धर्मी सभ अनन्‍त जीवन मे प्रवेश करत।”

2 थिसलुनिकी 1:9
एहन लोक सभ प्रभुक उपस्‍थिति आ हुनकर शक्‍तिक प्रताप सँ दूर कयल जायत और अनन्‍त कालीन विनाशक दण्‍ड पाओत।

मत्ती 13:50
आ आगिक भट्ठी मे फेकि देताह, जतऽ लोक कानत आ दाँत कटकटाओत।”

मसीह-दूत 2:27
कारण, अहाँ हमरा मरले नहि छोड़ब और ने अपन पवित्र सेवक केँ सड़ऽ देब।

मरकुस 9:43
“अहाँक हाथ जँ अहाँ केँ पाप मे फँसबैत अछि तँ ओकरा काटि कऽ फेकि दिअ। दूनू हाथक संग नरक मे जायब जतऽ आगि कहियो नहि मिझायत, अहाँक लेल ताहि सँ नीक ई जे लुल्‍ह भऽ कऽ अनन्‍त जीवन मे प्रवेश करब।

यहूदा 1:7
एही तरहेँ सदोम, गमोरा आ तकरा लग-पासक नगर सभ ओही स्‍वर्गदूत सभ जकाँ कुकर्म कयलक आ अप्राकृतिक शारीरिक इच्‍छा सभक पाछाँ दौड़ैत रहल। ओ सभ अनन्‍त आगिक दण्‍ड मे पड़ि कऽ आन लोकक लेल उदाहरण बनल अछि।

मत्ती 13:42
आगिक भट्ठी मे फेकि देताह, जतऽ लोक कानत आ दाँत कटकटाओत।

मत्ती 25:41
“तकरबाद राजा अपन बामा कात ठाढ़ लोक सभ केँ कहथिन, ‘हे सरापित लोक सभ! तोँ सभ हमरा लग सँ दूर हटि जाह और कहियो नहि मिझाय वला ओहि आगिक कुण्‍ड मे पड़ल रहह, जे शैतान आ ओकर दूत सभक लेल तैयार कयल गेल अछि।

प्रकाशित-वाक्‍य 19:20
ओ जानबर पकड़ल गेल आ ओकरा संग ओ झुट्ठा भविष्‍यवक्‍ता सेहो, जे ओकर सेवा करैत चमत्‍कार सभ देखौने छल। एहि चमत्‍कार सभ द्वारा ओ ओहि लोक सभ केँ बहकौने छल जे सभ जानबरक छाप ग्रहण कयने छल आ ओकर मूर्तिक पूजा कयने छल। जानबर आ झुट्ठा भविष्‍यवक्‍ता केँ गन्‍धक सँ धधकैत आगिक कुण्‍ड मे जीविते फेकि देल गेलैक।

मत्ती 16:19
हम अहाँ केँ स्‍वर्गक राज्‍यक कुंजी देब। जे किछु अहाँ पृथ्‍वी पर बान्‍हब से स्‍वर्ग मे बान्‍हल गेल रहत आ जे किछु अहाँ पृथ्‍वी पर खोलब से स्‍वर्ग मे खोलल गेल रहत।”

2 पत्रुस 2:4
मोन राखू जे, जे स्‍वर्गदूत सभ पाप कयलक तकरा सभ केँ परमेश्‍वर नहि छोड़लनि, बल्‍कि ओकरा सभ केँ नरकक अन्‍हार मे जंजीर सँ जकड़ि कऽ न्‍यायक दिनक प्रतीक्षा करबाक लेल राखि देलनि।

प्रकाशित-वाक्‍य 20:13-14
[13] समुद्र ओहि मरल सभ केँ जे ओकरा मे छल, प्रस्‍तुत कयलक। तखन मृत्‍यु आ पाताल अपन-अपन मरल सभ केँ प्रस्‍तुत कयलक। ओकरा सभ मे सँ प्रत्‍येक व्‍यक्‍तिक न्‍याय ओकरा कर्मक अनुसार कयल गेलैक।[14] तकरबाद मृत्‍यु आ पाताल, दूनू केँ आगिक कुण्‍ड मे फेकि देल गेलैक। ई आगिक कुण्‍ड दोसर मृत्‍यु अछि।

मत्ती 10:28
ओकरा सभ सँ नहि डेराउ जे शरीर केँ मारि दैत अछि, मुदा आत्‍मा केँ नहि मारि सकैत अछि, बल्‍कि तिनका सँ डेराउ जे आत्‍मा आ शरीर, दूनू केँ नरक मे नष्‍ट कऽ सकैत छथि।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT