A A A A A

जिंदगी: [बच्चे को गोद लेना]


2 कोरिन्‍थी 6:18
“हम अहाँ सभक पिता होयब आ अहाँ सभ हमर बेटा-बेटी सभ होयब। ई सर्वशक्‍तिमान प्रभुक कथन अछि।”

याकूब 1:27
परमेश्‍वर पिताक दृष्‍टि मे शुद्ध आ असली धर्म यैह अछि—विपत्ति मे पड़ल अनाथ और विधवा सभक सहायता कयनाइ और अपना केँ संसारक अशुद्धता सँ बँचा कऽ रखनाइ।

मत्ती 25:40
एहि पर राजा हुनका सभ केँ उत्तर देथिन, ‘हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे, जे किछु अहाँ सभ हमर एहि भाय सभ मे सँ ककरो लेल, छोटो सँ छोटक लेल कयलहुँ, से हमरा लेल कयलहुँ।’

यूहन्‍ना 1:12-13
[12] तैयो जे सभ हुनका स्‍वीकार कयलक, अर्थात् जे सभ हुनका पर विश्‍वास कयलक, तकरा सभ केँ ओ परमेश्‍वरक सन्‍तान बनबाक अधिकार देलथिन।[13] ओ सभ ने मनुष्‍यक वंशज सँ जनमल, ने शारीरिक इच्‍छा सँ, और ने कोनो पुरुषक कल्‍पना सँ, बल्‍कि परमेश्‍वर द्वारा जनमल।

गलाती 4:4-5
[4] मुदा निर्धारित समय आबि गेला पर परमेश्‍वर अपना पुत्र केँ पठौलनि। हुनकर जन्‍म एक स्‍त्री सँ आ धर्म-नियमक अधीन भेलनि,[5] जाहि सँ ओ मूल्‍य चुका कऽ धर्म-नियमक अधीन रहऽ वला लोक सभ केँ छुटकारा दिअबथि, आ जाहि सँ छुटकारा पाबि कऽ अपना सभ परमेश्‍वरक पुत्रक पूरा हक पाबि सकी।

रोमी 8:14-17
[14] किएक तँ जे सभ परमेश्‍वरक आत्‍मा द्वारा संचालित कयल जाइत अछि, सैह सभ परमेश्‍वरक सन्‍तान अछि।[15] अहाँ सभ केँ जे आत्‍मा देल गेल छथि, से अहाँ सभ केँ फेर डेराय वला गुलाम नहि बनबैत छथि, बल्‍कि परमेश्‍वरक पुत्र बनौने छथि। ओहि आत्‍माक द्वारा अपना सभ हुनका पुकारि उठैत छियनि जे, “हे बाबूजी! हे पिता!”[16] पवित्र आत्‍मा स्‍वयं अपना सभक आत्‍मा केँ गवाही दैत छथि जे अपना सभ परमेश्‍वरक सन्‍तान छी।[17] जँ अपना सभ हुनकर सन्‍तान छी तँ उत्तराधिकारी सेहो छी—परमेश्‍वरक उत्तराधिकारी आ मसीहक संग सह-उत्तराधिकारी। कारण, जँ अपना सभ यीशु मसीहक संग दुःख सहब तँ हुनका संग महिमा मे सेहो सहभागी होयब।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT