A A A A A

जिंदगी: [अपराध]


इब्रानी 10:22
तेँ आउ, निष्‍कपट मोन सँ पूर्ण विश्‍वास आ भरोसाक संग परमेश्‍वर लग चली, ई जानि जे हृदय पर मसीहक खून छिटल गेला सँ अपना सभक भितरी मोन सभ दोष सँ शुद्ध भऽ गेल अछि आ शरीर शुद्ध पानि सँ साफ भऽ गेल अछि।

याकूब 2:10
कारण, जँ केओ सम्‍पूर्ण धर्म-नियमक पालन करैत अछि और एकोटा बात मे चुकि जाइत अछि तँ ओ धर्म-नियमक सभ बात मे दोषी ठहरैत अछि।

इब्रानी 10:2
जँ से बात होइत तँ की ओ बलिदान सभ बन्‍द नहि भऽ गेल रहैत? आराधना कयनिहार सभ एके बेर मे शुद्ध भऽ गेल रहैत आ ओकरा सभक विवेक फेर ओकरा सभ केँ दोषी नहि ठहरबैत रहितैक।

1 यूहन्‍ना 1:9
मुदा जँ अपना सभ अपन पाप केँ मानि लेब तँ ओ जे विश्‍वासयोग्‍य और न्‍यायी छथि अपना सभ केँ पापक क्षमा करताह और अपना सभ केँ सभ अधर्म सँ शुद्ध करताह।

रोमी 8:1
एहि लेल, आब जे सभ मसीह यीशु मे अछि, तकरा सभक लेल कोनो दण्‍डक आज्ञा नहि अछि।

इब्रानी 9:14
जखन ओ बात अछि, तँ ओहि सँ कतेक बढ़ि कऽ मसीह, जे सनातन पवित्र आत्‍माक माध्‍यम सँ अपना केँ निष्‍कलंक बलिक रूप मे परमेश्‍वर केँ अर्पित कयलनि, तिनकर खून अपना सभक मोन केँ किएक नहि शुद्ध करत जाहि सँ मृत्‍यु मे लऽ जाय वला कर्म सभ सँ मुक्‍त भऽ कऽ अपना सभ जीवित परमेश्‍वरक सेवा करी!

2 कोरिन्‍थी 5:17
एकर अर्थ अछि जे जँ केओ मसीह मे अछि तँ ओ एक नव सृष्‍टि अछि। पुरान बात सभ समाप्‍त भऽ गेल, आब सभ किछु नव बनि गेल अछि।

रोमी 3:21-23
[21] मुदा आब परमेश्‍वर अपना दिस सँ एकटा तेहन धार्मिकता प्रगट कयने छथि जे धर्म-नियम पर निर्भर नहि अछि, आ जाहि सम्‍बन्‍ध मे धर्म-नियम आ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभक लेख गवाही सेहो देने अछि।[22] प्रगट भेल धार्मिकता ई अछि जे परमेश्‍वर विश्‍वासक आधार पर तकरा सभ गोटे केँ धार्मिक ठहरबैत छथि जे सभ यीशु मसीह पर विश्‍वास करैत अछि। ककरो मे कोनो भेद नहि—[23] सभ केओ पाप कयने अछि आ परमेश्‍वरक महिमा तक पहुँचऽ मे चुकि जाइत अछि।

2 कोरिन्‍थी 5:21
मसीह, जिनका मे कोनो पाप नहि छलनि, तिनका परमेश्‍वर हमरा सभक लेल पाप ठहरौलथिन जाहि सँ हम सभ हुनका द्वारा परमेश्‍वरक धार्मिकता ठहरी।

1 यूहन्‍ना 3:19-20
[19] तँ एहि प्रकारेँ अपना सभ जानि जायब जे अपना सभ सत्‍यक सन्‍तान छी। और एहि प्रकारेँ जखन-जखन अपना सभक मोन अपना सभ केँ दोषी ठहराओत, तखन-तखन अपना सभ अपन मोन केँ हुनका सामने शान्‍त कऽ सकब। कारण परमेश्‍वर अपना सभक मोन सँ पैघ छथि, और ओ सभ किछु जनैत छथि।[20] ***

रोमी 6:23
किएक तँ पापक मजदूरी अछि मृत्‍यु, मुदा परमेश्‍वरक वरदान अछि अनन्‍त जीवन जे अपना सभक प्रभु, मसीह यीशुक माध्‍यम सँ प्राप्‍त होइत अछि।

प्रकाशित-वाक्‍य 12:10
तखन हम स्‍वर्ग मे जोर सँ बजैत एकटा आवाज सुनलहुँ जे ई कहैत छल जे, “आब हमरा सभक परमेश्‍वरक मुक्‍ति, शक्‍ति, राज्‍य आ हुनकर मसीहक अधिकार प्रगट भेल अछि। किएक तँ हमरा सभक भाय सभ पर दोष लगौनिहार ओ शैतान जे दिन-राति परमेश्‍वरक समक्ष ओकरा सभ पर दोष लगबैत रहैत छल, तकरा नीचाँ फेकि देल गेल अछि।

2 कोरिन्‍थी 7:10
किएक तँ परमेश्‍वरक सम्‍मुख जे श्रद्धापूर्ण दुःख होइत अछि से पापक लेल एहन पश्‍चात्ताप और हृदय-परिवर्तन उत्‍पन्‍न करबैत अछि, जकर परिणाम होइत अछि उद्धार, आ ओहि सँ लोक केँ पछताय नहि पड़ैत छैक, मुदा सांसारिक दुःखक परिणाम मृत्‍यु होइत अछि।

इब्रानी 4:16
तेँ अपना सभ निर्भयतापूर्बक परमेश्‍वरक सिंहासन लग, जतऽ कृपा कयल जाइत अछि, ततऽ चलू, जाहि सँ अपना सभ पर दया कयल जाय आ अपना सभ ओ कृपा पाबी जे अपना सभक आवश्‍यकताक समय मे सहायता करत।

रोमी 8:31-39
[31] एहि बात सभक सम्‍बन्‍ध मे आब अपना सभ की कही? जँ परमेश्‍वर अपना सभक पक्ष मे छथि तँ अपना सभक विरोध मे के भऽ सकत?[32] परमेश्‍वर अपन निज पुत्र केँ जँ बँचा कऽ नहि रखलनि, बल्‍कि अपना सभ गोटेक लेल दऽ देलनि, तखन की ओ खुशी सँ अपना पुत्रक संग सभ किछु अपना सभ केँ नहि देताह?[33] परमेश्‍वरक चुनल लोक सभ पर के दोष लगाओत? परमेश्‍वर स्‍वयं अपना सभ केँ धार्मिक ठहरा रहल छथि,[34] तँ फेर अपना सभ केँ दण्‍डक आज्ञा के दऽ सकत? मसीह यीशु तँ स्‍वयं अपना सभक लेल मरलाह—एतबे नहि, ओ जिआओल सेहो गेलाह आ परमेश्‍वरक दहिना कात विराजमान भऽ अपना सभक पक्ष मे विनती करैत छथि।[35] अपना सभ केँ मसीहक प्रेम सँ के अलग कऽ सकैत अछि? की कष्‍ट, वा संकट, वा अत्‍याचार, वा अकाल, वा गरीबी, वा खतरा, वा तरुआरि?[36] जेना कि धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि, “अहाँक लेल दिन भरि हम सभ वध कयल जाइत छी। वध होमऽ वला भेँड़ा सभ जकाँ हम सभ मानल गेल छी।”[37] नहि! अपना सभ सँ जे प्रेम कयने छथि तिनका द्वारा अपना सभ एहि सभ बात मे पूर्ण विजय पबैत छी।[38] किएक तँ हमरा पूर्ण विश्‍वास अछि जे, ने मृत्‍यु आ ने जीवन, ने स्‍वर्गदूत आ ने नरकदूत, ने वर्तमान आ ने भविष्‍य, ने कोनो तरहक शक्‍ति,[39] ने आकाश आ ने पाताल, और ने सौंसे सृष्‍टि मे आरो कोनो वस्‍तु अपना सभ केँ परमेश्‍वरक ओहि प्रेम सँ अलग कऽ सकत जे ओ अपना सभक प्रभु, मसीह यीशु, द्वारा प्रगट कयलनि।

रोमी 3:26
वर्तमान समय मे परमेश्‍वर अपन उचित न्‍याय प्रमाणित कऽ ई बात प्रगट कयलनि जे ओ स्‍वयं न्‍यायी छथि आ ओहि सभ लोक केँ धार्मिक ठहरबैत छथि जे सभ यीशु मसीह पर विश्‍वास करैत अछि।

रोमी 14:23
मुदा जे व्‍यक्‍ति सन्‍देह कऽ कऽ खाइत अछि, से दोषी ठहरैत अछि, कारण, ओ विश्‍वास सँ नहि खाइत अछि; आ जे किछु एहि विश्‍वास सँ नहि कयल जाइत अछि जे ई ठीक अछि, से पाप अछि।

यूहन्‍ना 3:17
परमेश्‍वर तँ अपना बेटा केँ संसार मे एहि लेल नहि पठौलनि जे ओ संसार केँ दोषी ठहरबथि, बल्‍कि एहि लेल जे हुनका द्वारा संसारक उद्धार होअय।

मसीह-दूत 3:19
तेँ आब अहाँ सभ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू और परमेश्‍वर लग आउ, जाहि सँ अहाँ सभक पाप मेटित होअय और प्रभु अहाँ सभ केँ आत्‍मिक उत्‍साहक समय प्रदान करथि,

1 यूहन्‍ना 2:1
यौ बौआ सभ, हम अहाँ सभ केँ ई बात एहि लेल लिखि रहल छी जे अहाँ सभ पाप नहि करी। मुदा जँ केओ पाप करय तँ अपना सभ केँ एक गोटे छथि जे पिता लग अपना सभक पक्ष मे विनती करैत छथि, अर्थात् यीशु मसीह, जे धार्मिक छथि।

लूका 15:18-19
[18] हम अपना बाबूक ओहिठाम जा कऽ ई कहबनि जे, बाबूजी, हम परमेश्‍वरक विरोध मे और अहाँक विरोध मे पाप कयने छी।[19] हम आब अहाँक बालक कहयबा जोगरक नहि छी। अपना नोकर सभ जकाँ हमरो एकटा नोकर मानू।

मत्ती 18:21-35
[21] तकरबाद पत्रुस यीशु लग आबि कऽ पुछलथिन, “यौ प्रभु, हमर भाय जँ हमरा संग अपराध करय तँ कतेक बेर हम ओकरा क्षमा करैत रहिऐक? की सात बेर तक?”[22] यीशु कहलथिन, “हम तँ कहैत छी, सात बेर नहि, बल्‍कि सात सँ सत्तरिक जे गुणनफल होयत ततेक बेर।[23] “कारण, स्‍वर्गक राज्‍यक तुलना एहन राजा सँ कयल जा सकैत अछि जे अपन राज्‍यक कर्मचारी सभ सँ हिसाब-किताब लेबऽ चाहलनि।[24] जखन ओ हिसाब-किताब लेबऽ लगलाह तँ हुनका लग एक कर्मचारी केँ लाओल गेल, जकरा पर दस हजार सोनक रुपैया ऋण छलनि।[25] ओहि कर्मचारी लग ऋण सधयबाक लेल किछु नहि छलैक तेँ ओकर मालिक आज्ञा दऽ देलथिन जे, एकरा, एकर स्‍त्री आ बाल-बच्‍चा केँ और एकर सभ सामान बेचि कऽ एकरा सँ ऋण असूल कयल जाय।[26] ई सुनि ओ कर्मचारी अपना मालिकक पयर पर खसि कऽ विनती करऽ लागल जे, ‘यौ सरकार, धैर्य राखल जाओ, हम अपनेक सम्‍पूर्ण ऋण सधा देब।’[27] मालिक ओकरा पर दया कऽ कऽ ओकरा छोड़ि देलथिन आ ओकर सम्‍पूर्ण ऋण माफ कऽ देलथिन।[28] मुदा ओ कर्मचारी जखन ओतऽ सँ बाहर भेल तँ ओकरा संग काज करऽ वला एक दोसर कर्मचारी भेटलैक जे ओकरा सँ एक सय तामक रुपैया ऋण लेने छलैक। ओ ओकरा पकड़ि कऽ गरदनि चभैत कहलकैक, ‘जे किछु तोरा पर हमर ऋण अछि, से तुरत ला!’[29] ओ कर्मचारी ओकरा पयर पर खसि कऽ विनती करऽ लागल, ‘धैर्य राखू, हम अहाँक ऋण सधा देब।’[30] मुदा ओ नहि मानलक आ जा कऽ ओकरा जहल मे रखबा देलकैक जे जाबत तक ऋण नहि सधाओत ताबत तक जहल मे रहओ।[31] ई देखि दोसर कर्मचारी सभ केँ बहुत दुःख भेलैक आ ओ सभ जा कऽ सम्‍पूर्ण घटना मालिक केँ कहि सुनौलकनि।[32] तकरबाद मालिक ओहि कर्मचारी केँ बजबा कऽ कहलथिन, ‘है दुष्‍ट नोकर, तोँ हमरा सँ विनती कयलेँ तँ हम तोहर सम्‍पूर्ण ऋण माफ कऽ देलिऔक।[33] तँ की ई उचित नहि छल जे जहिना हम तोरा संग दया कयलिऔ, तहिना तोहूँ अपन संगी-कर्मचारीक संग दया करिते?’[34] मालिक केँ ओहि कर्मचारी पर बहुत क्रोध भऽ गेलनि आ ओ ओकरा दण्‍ड देबाक लेल जहल मे पठबा देलथिन जे जाबत तक ओ पूरा ऋण सधा नहि दय ताबत तक जहल मे रहओ।[35] तेँ जँ अहूँ सभ अपना भाय केँ हृदय सँ क्षमा नहि करबैक तँ हमर स्‍वर्गीय पिता अहूँ सभक संग ओहने व्‍यवहार करताह।”

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT