A A A A A

अच्छा चरित्र : [स्वच्छता]


1 यूहन्‍ना 1:7-9
[7] मुदा जँ इजोत मे चलैत छी, जेना ओ इजोत मे छथि, तँ अपना सभ केँ एक-दोसराक संग संगति होइत अछि, और हुनकर पुत्र यीशुक खून अपना सभ केँ सभ पाप सँ शुद्ध करैत अछि।[8] जँ अपना सभ कहैत छी जे हमरा मे कोनो पाप नहि अछि तँ अपना केँ धोखा दैत छी और अपना सभ मे सत्‍य नहि अछि।[9] मुदा जँ अपना सभ अपन पाप केँ मानि लेब तँ ओ जे विश्‍वासयोग्‍य और न्‍यायी छथि अपना सभ केँ पापक क्षमा करताह और अपना सभ केँ सभ अधर्म सँ शुद्ध करताह।

मसीह-दूत 9:1-31
[1] साउल एखनो तक प्रभु यीशुक शिष्‍य सभ केँ धमकी दैत छल आ हुनका सभक हत्‍या करबाक फिराक मे रहैत छल। ओ महापुरोहित लग जा कऽ[2] दमिश्‍कक सभाघर सभक लेल आज्ञा-पत्र मँगलक जाहि सँ जँ ओकरा दमिश्‍क मे एहि पंथ केँ मानऽ वला लोक सभ भेटैक तँ ओ ओकरा सभ केँ, चाहे स्‍त्रीगण होअय वा पुरुष, बन्‍दी बना कऽ यरूशलेम आनि सकय।[3] जखन ओ दमिश्‍क नगर लग पहुँचल तँ एकाएक आकाश सँ बहुत तेज प्रकाश ओकरा चारू कात पड़ल।[4] ओ जमीन पर खसि पड़ल आ ओकरा एक स्‍वर सुनाइ देलक, “हौ साउल, हौ साउल, तोँ हमरा किएक सतबैत छह?”[5] ओ पुछलकनि, “यौ प्रभु, अहाँ के छी?” ओ उत्तर देलथिन, “हम यीशु छी जिनका तोँ सता रहल छह।[6] आब तोँ उठि कऽ शहर मे जाह, ओतऽ तोरा कहल जयतह जे तोरा की करबाक छह।”[7] साउलक संग जे लोक सभ जा रहल छल से सभ अवाक रहि गेल, कारण ओ सभ आवाज सुनलक मुदा ककरो देखलक नहि।[8] साउल जमीन पर सँ उठलाह मुदा ओ जखन आँखि तकलनि तँ हुनका किछु देखाइ नहि दैत छलनि। तेँ ओ सभ हुनका हाथ पकड़ि कऽ दमिश्‍क शहर मे लऽ गेलनि।[9] ओ तीन दिन धरि आन्‍हर रहलाह आ किछु नहि खयलनि-पिलनि।[10] दमिश्‍क मे हननियाह नामक एक शिष्‍य छलाह, जिनका प्रभु यीशु दर्शन दऽ कऽ कहलथिन, “हौ हननियाह!” ओ उत्तर देलथिन, “कहल जाओ प्रभु।”[11] प्रभु आज्ञा देलथिन, “उठह, ‘सोझका गली’ नामक रस्‍ता मे जा कऽ यहूदाक घर मे तरसुस निवासी साउलक खोज करह, ओ प्रार्थना कऽ रहल अछि।[12] और ओकरा मोन मे एकटा दृश्‍य देखाइ पड़ल छैक जे हमरा घर मे हननियाह नामक एक आदमी अयलाह आ हमरा पर हाथ रखलनि जे हम देखि सकी।”[13] हननियाह उत्तर देलथिन, “यौ प्रभु, हम एहि आदमीक बारे मे बहुत किछु सुनने छी जे कोना ओ यरूशलेम मे अहाँक चुनल लोक सभ केँ सतबैत छल[14] आ एहूठाम अहाँक शिष्‍य सभ केँ पकड़बाक लेल मुख्‍यपुरोहित सभक आदेश-पत्र लऽ कऽ आयल अछि।”[15] प्रभु उत्तर देलथिन, “तोँ जाह, ओकरा हम चुनने छी जाहि सँ ओ गैर-यहूदी, ओकर सभक राजा सभ मे आ इस्राएली लोकक बीच मे हमर नामक प्रचार करय।[16] आब हम ओकरा देखयबैक जे हमर नामक कारणेँ ओकरा कतेक कष्‍ट सहऽ पड़तैक।”[17] तखन हननियाह गेलाह आ ओहि घर मे प्रवेश कऽ साउल पर हाथ राखि कऽ कहलथिन, “यौ साउल भाइ, प्रभु जे अहाँ केँ रस्‍ता मे अयबा काल दर्शन देलनि, अर्थात् यीशु, सैह हमरा अहाँ लग पठौलनि जाहि सँ अहाँ फेर देखी आ पवित्र आत्‍मा सँ परिपूर्ण भऽ जाइ।”[18] तखने साउलक आँखि सँ पपड़ी जकाँ किछु खसल आ ओ देखऽ लगलाह। ओ उठलाह और बपतिस्‍मा लेलनि।[19] तकरबाद ओ किछु भोजन कयलनि आ हुनका बल भेटलनि। साउल दमिश्‍क मे शिष्‍य सभक संग किछु दिन रहलाह।[20] ओ तुरत ओतुक्‍का सभाघर सभ मे जा कऽ प्रचार करऽ लगलाह जे यीशु परमेश्‍वरक पुत्र छथि।[21] एहि पर सभ लोक जे हुनकर प्रचार सुनलक से अकचका कऽ बाजऽ लागल जे, “ई की भेल? की ई वैह आदमी नहि अछि जे यरूशलेम मे एहि नाम पर विश्‍वास करऽ वला सभ केँ सतबैत छल? और की ओ एहूठाम एहि लेल नहि आयल अछि जे यीशु केँ मानऽ वला सभ केँ पकड़ि कऽ मुख्‍यपुरोहित सभ लग लऽ जाय?”[22] मुदा साउल प्रचारक काज मे आओर सामर्थ्‍यवान होइत गेलाह। यीशुए उद्धारकर्ता-मसीह छथि तकर प्रमाण दऽ-दऽ कऽ ओ दमिश्‍क मे रहऽ वला यहूदी सभक मुँह बन्‍द कऽ दैत छलाह।[23] एहि तरहेँ बहुत दिन बिति गेल। आब यहूदी सभ षड्‌यन्‍त्र रचऽ लागल जे साउल केँ जान सँ मारि दी।[24] मुदा साउल केँ एहि बातक खबरि भऽ गेलनि। यहूदी सभ दिन-राति शहरक द्वारि लग पहरा दऽ कऽ हुनका मारबाक ताक मे रहैत छल।[25] मुदा एम्‍हर हुनकर चेला सभ एक राति एकटा ढाकी मे हुनका बैसा कऽ शहरक देवाल पर बाटे ओहि पार उतारि देलकनि। ओ ओहिठाम सँ यरूशलेम चल गेलाह।[26] यरूशलेम पहुँचि कऽ साउल विश्‍वासी सभ मे सम्‍मिलित होयबाक प्रयत्‍न कयलनि मुदा ओ सभ हिनका सँ डेराइत छलाह कारण हुनका सभ केँ एहि बातक विश्‍वास नहि होइत छलनि जे वास्‍तव मे ओ यीशु मसीहक शिष्‍य बनि गेल छथि।[27] तखन बरनबास हुनका मसीह-दूत सभ लग लऽ गेलनि। ओ हुनका सभ केँ कहलथिन जे कोना साउल रस्‍ता मे प्रभु केँ देखलनि आ प्रभु कोना हिनका सँ गप्‍प कयलथिन और ई कतेक साहसक संग दमिश्‍क मे प्रभु यीशुक प्रचार कयलनि।[28] एकरबाद साउल हुनका सभक संग रहऽ लगलाह। ओ यरूशलेम मे घूमि-फिरि कऽ निडर भऽ कऽ प्रभु यीशुक प्रचार कयलनि।[29] ओ यूनानी भाषी यहूदी सभ सँ वाद-विवाद करैत छलाह मुदा ओ सभ हिनका जान सँ मारि देबाक कोशिश करऽ लागल।[30] विश्‍वासी भाय सभ केँ जखन एहि बातक खबरि भेलनि तँ ओ सभ हुनका कैसरिया लऽ जा कऽ तरसुस नगरक लेल विदा कऽ देलथिन।[31] तकरबाद समस्‍त यहूदिया, गलील आ सामरिया प्रदेश मे विश्‍वासी मण्‍डली केँ अत्‍याचार सँ आराम भेटल। प्रभुक आदर करैत आ आज्ञा मानैत मण्‍डली मजगूत होइत गेल और परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा सँ प्रोत्‍साहित भऽ विश्‍वासी सभक संख्‍या बढ़ैत गेल।

फिलिप्‍पी ๔:๘
अन्‍त मे, यौ भाइ लोकनि, जे बात सभ सत्‍य अछि, जे बात सभ प्रतिष्‍ठित अछि, जे बात सभ न्‍यायसंगत अछि, जे बात सभ पवित्र अछि, जे बात सभ प्रेम करबाक योग्‍य अछि, जे बात सभ आदरयोग्‍य अछि, अर्थात्, जे कोनो बात उत्तम वा प्रशंसनीय अछि ताही पर ध्‍यान लगौने रहू।

प्रकाशित-वाक्‍य ๑:๕
***

2 कोरिन्‍थी 7:1
यौ हमर प्रिय मित्र सभ, परमेश्‍वर जखन अपना सभ केँ ई बात सभ करबाक वचन देने छथि तँ अबैत जाउ, परमेश्‍वरक भय मानि कऽ पवित्रताक परिपूर्णता धरि बढ़ैत अपना केँ समस्‍त शारीरिक आ आत्‍मिक मलिनता सँ पवित्र करी।

2 पत्रुस 3:8
मुदा यौ प्रिय मित्र सभ, एकटा एहि बात केँ नहि बिसरू जे, प्रभुक दृष्‍टि मे एक दिन हजार वर्षक बराबरि अछि, आ हजार वर्ष एक दिनक बराबरि।

2 कोरिन्‍थी ๕:๑๗
एकर अर्थ अछि जे जँ केओ मसीह मे अछि तँ ओ एक नव सृष्‍टि अछि। पुरान बात सभ समाप्‍त भऽ गेल, आब सभ किछु नव बनि गेल अछि।

मत्ती 23:25-28
[25] “यौ धर्मशिक्षक आ फरिसी सभ, धिक्‍कार अछि अहाँ सभ केँ! अहाँ सभ पाखण्‍डी छी। अहाँ सभ थारी-बाटी सभ केँ बाहर सँ तँ मँजैत छी, मुदा ओहि मे लूट-पाट आ स्‍वार्थ द्वारा प्राप्‍त कयल वस्‍तु सभ रखैत छी।[26] यौ आन्‍हर फरिसी, थारी-बाटी केँ पहिने भीतर सँ साफ करू, तखन ओ बाहर सँ सेहो साफ रहत।[27] “यौ धर्मशिक्षक आ फरिसी सभ, धिक्‍कार अछि अहाँ सभ केँ! अहाँ सभ पाखण्‍डी छी। अहाँ सभ चून सँ पोतल कबरक चबुतरा जकाँ छी, जे बाहर सँ तँ सुन्‍दर देखाइ दैत रहैत अछि, मुदा ओकरा भीतर मे लासक हाड़ आ सभ तरहक सड़ल वस्‍तु भरल रहैत छैक।[28] तहिना अहूँ सभ बाहर सँ लोक सभ केँ धार्मिक बुझाइत छिऐक, मुदा भीतर मे पाखण्‍ड आ अधर्म सँ भरल छी।

लूका 6:31
जेहन व्‍यवहार अहाँ चाहैत छी जे लोक अहाँक संग करय, तेहने व्‍यवहार अहूँ लोकक संग करू।

1 कोरिन्‍थी 10:13
अहाँ सभ कहियो कोनो एहन परीक्षा मे नहि पड़लहुँ जे मनुष्‍य सभ केँ नहि होइत रहैत अछि। परमेश्‍वर विश्‍वासयोग्‍य छथि। ओ अहाँ सभ केँ एहन परीक्षा मे नहि पड़ऽ देताह जे अहाँ सभक सहनशक्‍ति सँ बाहर होअय। ओ परीक्षाक समय मे तकरा सहबाक साहस दैत अहाँ सभ केँ पार कऽ निकलबाक उपाय सेहो उपलब्‍ध करौताह।

मत्ती 23:26
यौ आन्‍हर फरिसी, थारी-बाटी केँ पहिने भीतर सँ साफ करू, तखन ओ बाहर सँ सेहो साफ रहत।

मत्ती 5:8
धन्‍य अछि ओ सभ जकर हृदय शुद्ध छैक, किएक तँ ओ सभ परमेश्‍वर केँ देखत।

रोमी ๕:๘
मुदा परमेश्‍वर अपना प्रेम केँ अपना सभक प्रति एहि तरहेँ देखबैत छथि जे, जखन अपना सभ पापिए छलहुँ तखने मसीह अपना सभक लेल मरलाह।

1 तिमुथियुस 4:12
युवा अवस्‍थाक कारणेँ केओ अहाँ केँ तुच्‍छ नहि बुझओ, बरु बात-चीत, चालि-चलन, प्रेम, विश्‍वास आ पवित्रता मे विश्‍वासी सभक लेल अहाँ नमूना बनू।

2 कोरिन्‍थी 6:14-18
[14] अहाँ सभ मसीह पर विश्‍वास नहि कयनिहार लोक सभक संग बेमेल जुआ मे नहि जोताउ। अधर्म सँ धार्मिकताक कोन मेल? अन्‍हार सँ इजोतक कोन मेल?[15] शैतान सँ मसीहक कोन संगति? अविश्‍वासीक संग विश्‍वासीक कोन सहभागिता?[16] मुरुत सभक संग परमेश्‍वरक मन्‍दिरक कोन समझौता? किएक तँ अपना सभ जीवित परमेश्‍वरक मन्‍दिर छी, जेना कि परमेश्‍वर कहने छथि जे, “हम ओकरा सभक संग वास करब आ ओकरा सभक बीच चलब-फिरब। हम ओकरा सभक परमेश्‍वर होयबैक आ ओ सभ हमर प्रजा होयत।”[17] एहि कारणेँ, “प्रभुक कथन इहो छनि जे, ‘अहाँ सभ ओकरा सभक बीच सँ बाहर आबि कऽ अलग भऽ जाउ। अशुद्ध वस्‍तु सभ सँ हटल रहू, तखन हम अहाँ सभ केँ ग्रहण करब।’ ”[18] “हम अहाँ सभक पिता होयब आ अहाँ सभ हमर बेटा-बेटी सभ होयब। ई सर्वशक्‍तिमान प्रभुक कथन अछि।”

मसीह-दूत 9:1-20
[1] साउल एखनो तक प्रभु यीशुक शिष्‍य सभ केँ धमकी दैत छल आ हुनका सभक हत्‍या करबाक फिराक मे रहैत छल। ओ महापुरोहित लग जा कऽ[2] दमिश्‍कक सभाघर सभक लेल आज्ञा-पत्र मँगलक जाहि सँ जँ ओकरा दमिश्‍क मे एहि पंथ केँ मानऽ वला लोक सभ भेटैक तँ ओ ओकरा सभ केँ, चाहे स्‍त्रीगण होअय वा पुरुष, बन्‍दी बना कऽ यरूशलेम आनि सकय।[3] जखन ओ दमिश्‍क नगर लग पहुँचल तँ एकाएक आकाश सँ बहुत तेज प्रकाश ओकरा चारू कात पड़ल।[4] ओ जमीन पर खसि पड़ल आ ओकरा एक स्‍वर सुनाइ देलक, “हौ साउल, हौ साउल, तोँ हमरा किएक सतबैत छह?”[5] ओ पुछलकनि, “यौ प्रभु, अहाँ के छी?” ओ उत्तर देलथिन, “हम यीशु छी जिनका तोँ सता रहल छह।[6] आब तोँ उठि कऽ शहर मे जाह, ओतऽ तोरा कहल जयतह जे तोरा की करबाक छह।”[7] साउलक संग जे लोक सभ जा रहल छल से सभ अवाक रहि गेल, कारण ओ सभ आवाज सुनलक मुदा ककरो देखलक नहि।[8] साउल जमीन पर सँ उठलाह मुदा ओ जखन आँखि तकलनि तँ हुनका किछु देखाइ नहि दैत छलनि। तेँ ओ सभ हुनका हाथ पकड़ि कऽ दमिश्‍क शहर मे लऽ गेलनि।[9] ओ तीन दिन धरि आन्‍हर रहलाह आ किछु नहि खयलनि-पिलनि।[10] दमिश्‍क मे हननियाह नामक एक शिष्‍य छलाह, जिनका प्रभु यीशु दर्शन दऽ कऽ कहलथिन, “हौ हननियाह!” ओ उत्तर देलथिन, “कहल जाओ प्रभु।”[11] प्रभु आज्ञा देलथिन, “उठह, ‘सोझका गली’ नामक रस्‍ता मे जा कऽ यहूदाक घर मे तरसुस निवासी साउलक खोज करह, ओ प्रार्थना कऽ रहल अछि।[12] और ओकरा मोन मे एकटा दृश्‍य देखाइ पड़ल छैक जे हमरा घर मे हननियाह नामक एक आदमी अयलाह आ हमरा पर हाथ रखलनि जे हम देखि सकी।”[13] हननियाह उत्तर देलथिन, “यौ प्रभु, हम एहि आदमीक बारे मे बहुत किछु सुनने छी जे कोना ओ यरूशलेम मे अहाँक चुनल लोक सभ केँ सतबैत छल[14] आ एहूठाम अहाँक शिष्‍य सभ केँ पकड़बाक लेल मुख्‍यपुरोहित सभक आदेश-पत्र लऽ कऽ आयल अछि।”[15] प्रभु उत्तर देलथिन, “तोँ जाह, ओकरा हम चुनने छी जाहि सँ ओ गैर-यहूदी, ओकर सभक राजा सभ मे आ इस्राएली लोकक बीच मे हमर नामक प्रचार करय।[16] आब हम ओकरा देखयबैक जे हमर नामक कारणेँ ओकरा कतेक कष्‍ट सहऽ पड़तैक।”[17] तखन हननियाह गेलाह आ ओहि घर मे प्रवेश कऽ साउल पर हाथ राखि कऽ कहलथिन, “यौ साउल भाइ, प्रभु जे अहाँ केँ रस्‍ता मे अयबा काल दर्शन देलनि, अर्थात् यीशु, सैह हमरा अहाँ लग पठौलनि जाहि सँ अहाँ फेर देखी आ पवित्र आत्‍मा सँ परिपूर्ण भऽ जाइ।”[18] तखने साउलक आँखि सँ पपड़ी जकाँ किछु खसल आ ओ देखऽ लगलाह। ओ उठलाह और बपतिस्‍मा लेलनि।[19] तकरबाद ओ किछु भोजन कयलनि आ हुनका बल भेटलनि। साउल दमिश्‍क मे शिष्‍य सभक संग किछु दिन रहलाह।[20] ओ तुरत ओतुक्‍का सभाघर सभ मे जा कऽ प्रचार करऽ लगलाह जे यीशु परमेश्‍वरक पुत्र छथि।

1 कोरिन्‍थी 15:29
जँ ई सभ बात होमऽ वला नहि अछि तँ जे व्‍यक्‍ति सभ मरल सभक लेल बपतिस्‍मा लैत अछि से की करत? जँ मरल सभ जिआओले नहि जाइत अछि तँ फेर तकरा सभक लेल लोक बपतिस्‍मा किएक लैत अछि?

रोमी ๑:๒๖-๒๗
[๒๖] यैह कारण अछि जे परमेश्‍वर ओकरा सभ केँ नीच वासना सभ मे छोड़ि देलथिन। ओकरा सभक स्‍त्रिओ स्‍वभाविक सम्‍बन्‍धक स्‍थान पर अस्‍वभाविक सम्‍बन्‍ध राखऽ लागलि।[๒๗] एही तरहेँ पुरुष सभ सेहो स्‍त्रीक संग होमऽ वला स्‍वभाविक सम्‍बन्‍ध केँ छोड़ि पुरुषक संग वला काम-वासनाक लेल उत्तेजित होमऽ लागल। पुरुष पुरुषेक संग निर्लज्‍ज कर्म कऽ अपने व्‍यक्‍तित्‍व मे अपन दुराचरणक उचित फल पौलक।

1 कोरिन्‍थी 14:40
सभ किछु उचित आ व्‍यवस्‍थित ढंग सँ कयल जाय।

मत्ती 7:18-23
[18] ई तँ भइए नहि सकैत अछि जे नीक गाछ मे खराब फल फड़ैक आ खराब गाछ मे नीक फल।[19] जे गाछ नीक फल नहि दैत अछि से काटि कऽ आगि मे फेकल जाइत अछि।[20] तहिना एहन लोक सभ केँ अहाँ सभ ओकर सभक काज सभ सँ चिन्‍हि जायब।[21] “ई बात नहि अछि जे, जतेक लोक हमरा ‘हे प्रभु, हे प्रभु’ कहैत अछि, ताहि मे सँ सभ केओ स्‍वर्गक राज्‍य मे प्रवेश करत, बल्‍कि मात्र वैह सभ प्रवेश करत जे सभ हमर पिता जे स्‍वर्ग मे छथि तिनकर इच्‍छानुरूप चलैत अछि।[22] न्‍यायक दिन बहुतो लोक हमरा कहत, ‘हे प्रभु! हे प्रभु! की हम सभ अहाँक नाम लऽ कऽ भविष्‍यवाणी नहि कयलहुँ? की हम सभ अहाँक नाम लऽ कऽ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ नहि निकाललहुँ? की हम सभ अहाँक नाम लऽ कऽ अनेको चमत्‍कार नहि कयलहुँ?’[23] तखन हम ओकरा सभ केँ स्‍पष्‍ट कहबैक, ‘हम तोरा सभ केँ कहियो नहि चिन्‍हलिऔ। है कुकर्मी सभ, भाग हमरा लग सँ!’

यूहन्‍ना 5:39-40
[39] अहाँ सभ धर्मशास्‍त्रक अध्‍ययन करैत छी किएक तँ अहाँ सभ मानैत छी जे ओहि सँ अहाँ सभ केँ अनन्‍त जीवन भेटैत अछि। वैह शास्‍त्र हमरा बारे मे गवाही दैत अछि,[40] और तैयो जीवन प्राप्‍त करबाक लेल अहाँ सभ हमरा लग नहि आबऽ चाहैत छी।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT