A A A A A

अच्छा चरित्र : [साहस]


मसीह-दूत 4:29-31
[29] हे प्रभु, आब ओकरा सभक धमकी केँ देखू आ अपन सेवक सभ केँ ई वरदान दिअ जे अहाँक शुभ समाचार निर्भय भऽ कऽ सुनबैत रही।[30] संगहि अपन हाथ बढ़ा कऽ पीड़ित लोक सभ केँ स्‍वस्‍थ करू आ अपन पवित्र सेवक यीशुक नाम सँ चमत्‍कारपूर्ण काज करबैत रहू।”[31] जखन ओ सभ प्रार्थना समाप्‍त कयलनि तखन ओ स्‍थान, जतऽ ओ सभ जमा भेल छलाह, से हिलि गेल और ओ सभ गोटे पवित्र आत्‍मा सँ भरि गेलाह आ निर्भयतापूर्बक परमेश्‍वरक वचन सुनाबऽ लगलाह।

2 कोरिन्‍थी 3:12
हमरा सभक एहने आशा होयबाक कारणेँ हम सभ साहसपूर्बक बजैत छी।

मसीह-दूत 14:3
पौलुस आ बरनबास ओतऽ बहुत दिन धरि रहलाह आ निडर भऽ प्रभु यीशुक लेल प्रचार करैत रहलाह। प्रभु हुनका सभक माध्‍यम सँ आश्‍चर्यपूर्ण चिन्‍ह आ चमत्‍कारक काज सभ कऽ कऽ अपन कृपाक विषय मे हुनका सभक प्रचार केँ सत्‍य ठहरौलनि।

मसीह-दूत 13:46
तखन पौलुस और बरनबास निर्भय भऽ कऽ ओकरा सभ केँ उत्तर देलथिन जे, “परमेश्‍वरक वचन हमरा सभ केँ पहिने अहाँ सभ केँ सुनाबऽ पड़ल। मुदा अहाँ सभ ओकर अस्‍वीकार कऽ रहल छी आ अपना केँ अनन्‍त जीवनक लेल योग्‍य नहि बुझैत छी। तेँ हम सभ आब दोसर जाति सभ केँ परमेश्‍वरक वचन सुनाबऽ जाइत छी।

मसीह-दूत 19:8
तीन मास धरि पौलुस ओतुक्‍का सभाघर मे जा कऽ निर्भयतापूर्बक लोक सभ सँ बात-चीत आ तर्क-वितर्क कऽ कऽ ओकरा सभ केँ परमेश्‍वरक राज्‍यक विषय मे बुझबैत रहलाह।

फिलेमोन 1:8
एहि लेल, हम एकटा निवेदन करैत छी, ओना तँ हमरा मसीह सँ भेटल अधिकार अछि जे हम अहाँ केँ आज्ञा दी जे अहाँ केँ की करबाक चाही, तैयो हम आज्ञा नहि दऽ कऽ,

मसीह-दूत 18:26
ओ सभाघर मे सेहो निर्भयतापूर्बक बाजऽ लगलाह। प्रिस्‍किला आ अक्‍विला जखन हुनकर बात सुनलनि तँ हुनका अपना ओहिठाम लऽ गेलनि आ आओर बढ़ियाँ सँ परमेश्‍वरक बाटक सम्‍बन्‍ध मे बुझौलथिन।

मरकुस 15:43
अरिमतिया नगरक यूसुफ नामक महासभाक एक प्रतिष्‍ठित सदस्‍य, जे परमेश्‍वरक राज्‍यक बाट सेहो तकैत छलाह, से साहसक संग पिलातुसक ओहिठाम जा कऽ यीशुक लास मँगलनि।

मसीह-दूत 28:31
और बिनु कोनो रुकाबट केँ ओ निडर भऽ कऽ परमेश्‍वरक राज्‍यक विषय मे प्रचार करैत रहलाह और प्रभु यीशु मसीहक सम्‍बन्‍ध मे शिक्षा दैत रहलाह।

मसीह-दूत 4:29-30
[29] हे प्रभु, आब ओकरा सभक धमकी केँ देखू आ अपन सेवक सभ केँ ई वरदान दिअ जे अहाँक शुभ समाचार निर्भय भऽ कऽ सुनबैत रही।[30] संगहि अपन हाथ बढ़ा कऽ पीड़ित लोक सभ केँ स्‍वस्‍थ करू आ अपन पवित्र सेवक यीशुक नाम सँ चमत्‍कारपूर्ण काज करबैत रहू।”

इफिसी 3:12
एही मसीह यीशु द्वारा आ हुनका पर विश्‍वास करबाक कारणेँ, अपना सभ निर्भय भऽ कऽ पूर्ण भरोसाक संग परमेश्‍वर लग आबि सकैत छी।

यूहन्‍ना 4:17
स्‍त्री हुनका जबाब देलकनि, “हमरा घरवला नहि अछि।” यीशु ओकरा कहलथिन, “तोँ ठीके कहैत छह जे हमरा घरवला नहि अछि,

इब्रानी 10:19
एहि कारणेँ, यौ भाइ लोकनि, यीशुक खून द्वारा अपना सभ केँ सोझे परमपवित्र स्‍थान मे निडर भऽ कऽ जयबाक साहस अछि।

इब्रानी 4:16
तेँ अपना सभ निर्भयतापूर्बक परमेश्‍वरक सिंहासन लग, जतऽ कृपा कयल जाइत अछि, ततऽ चलू, जाहि सँ अपना सभ पर दया कयल जाय आ अपना सभ ओ कृपा पाबी जे अपना सभक आवश्‍यकताक समय मे सहायता करत।

इब्रानी 13:6
तेँ अपना सभ साहसक संग कहैत छी, “प्रभु हमर सहायता कयनिहार छथि, हम कोनो बात सँ नहि डेरायब। मनुष्‍य हमरा करत की?”

इफिसी 6:19-20
[19] हमरो लेल प्रार्थना करू। प्रार्थना ई करू जे हमरा जखन बजबाक अवसर भेटय, तखन कहऽ वला शब्‍द हमरा देल जाय, जाहि सँ हम निडर भऽ कऽ लोक केँ शुभ समाचारक ओहि सत्‍य केँ सुना सकी, जे पहिने गुप्‍त छल मुदा आब प्रगट कयल गेल अछि।[20] हम ओही शुभ समाचारक लेल राजदूत छी, आ जहल मे कैदी छी । ई प्रार्थना करू जे, जहिना हमरा साहसक संग शुभ समाचार सुनयबाक चाही, तहिना हम सुना सेहो सकी।

मसीह-दूत 4:13
ओ सभ जखन पत्रुस आ यूहन्‍ना केँ निडर भऽ कऽ बजैत देखलनि आ ई बुझि जे ई सभ कम पढ़ल-लिखल साधारण लोक अछि, तँ हुनका सभ केँ बहुत आश्‍चर्य भेलनि आ ओ सभ बुझि गेलाह जे यीशुक संग रहलाक कारणेँ ई सभ एतेक अधिकारपूर्बक बाजि रहल अछि।

1 तिमुथियुस 3:13
मण्‍डली-सेवक बनि जे सेवक सभ अपन सेवाक काज ढंग सँ पूरा करैत छथि, से सभ सम्‍मान पौताह आ मसीह यीशु परक जे हुनका सभक विश्‍वास छनि, ताहि विषय मे निर्भयतापूर्बक बजबाक साहस सेहो बढ़तनि।

1 थिसलुनिकी 2:2
अहाँ सभ केँ तँ बुझल अछि जे एहि सँ पहिने हमरा सभ केँ फिलिप्‍पी नगर मे दुर्व्‍यवहार और अपमान सहऽ पड़ल छल। तैयो अपना परमेश्‍वरक सहायता सँ हम सभ घोर विरोधक सामना करितो अहाँ सभ केँ परमेश्‍वरक शुभ समाचार सुनयबाक लेल साहस कयलहुँ।

फिलिप्‍पी 1:20
ई हमर एहि हार्दिक आशा आ अभिलाषाक अनुसार सेहो अछि जे हम कोनो बात मे लज्‍जित होयबाक जोगरक नहि बनी, बल्‍कि हमरा पूरा साहस रहय जाहि सँ जहिना हमरा जीवन सँ मसीहक आदर सदा होइत रहल अछि तहिना आब सेहो होइत रहओ, चाहे हम जीवित रही वा मरि जाइ।

2 तिमुथियुस 1:7
परमेश्‍वर तँ अपना सभ केँ डरपोकक आत्‍मा नहि, बल्‍कि सामर्थ्‍य, प्रेम आ आत्‍मसंयमक आत्‍मा प्रदान कयने छथि।

1 कोरिन्‍थी 16:13
सतर्क रहू, ओहि सिद्धान्‍त पर अटल रहू जाहि पर अहाँ सभक विश्‍वास आधारित अछि। साहसी आ मजगूत बनल रहू।

रोमी 1:16
हम ई शुभ समाचार सुनाबऽ सँ लज्‍जित नहि होइत छी, किएक तँ ई शुभ समाचार ओ माध्‍यम अछि जाहि द्वारा परमेश्‍वर अपना सामर्थ्‍य सँ प्रत्‍येक विश्‍वास कयनिहार लोकक उद्धार करैत छथि, पहिने यहूदी सभक आ फेर आन जातिक लोक सभक।

1 कोरिन्‍थी 15:58
एहि लेल, यौ प्रिय भाइ लोकनि, स्‍थिर और अटल बनल रहू। अपना केँ पूर्ण रूप सँ प्रभुक काजक लेल सदत समर्पित कयने रहू, किएक तँ अहाँ सभ जनैत छी जे अहाँ सभक परिश्रम प्रभु मे व्‍यर्थ नहि अछि।

इफिसी 6:10
अन्‍त मे ई जे, प्रभुक असीम सामर्थ्‍य द्वारा हुनका मे बलवन्‍त होउ।

यूहन्‍ना 14:27
“शान्‍ति हम अहाँ सभ केँ दऽ जाइत छी। अपन शान्‍ति हम अहाँ सभ केँ दैत छी। जेना संसार दैत अछि, तेना हम नहि दैत छी। अहाँ सभ अपना मोन मे नहि घबड़ाउ, आ ने भयभीत होउ।

मरकुस 5:36
यीशु ई बात सुनि लेलथिन और सभाघरक अधिकारी केँ कहलथिन, “अहाँ डेराउ नहि! मात्र विश्‍वास राखू!”

फिलिप्‍पी 1:28
आ अपन विरोधी सभ सँ कनेको डेरायल नहि छी। ई ओकरा सभक विनाशक, मुदा अहाँ सभक उद्धारक स्‍पष्‍ट प्रमाण अछि। और ई सभ बात परमेश्‍वरक दिस सँ अछि।

यूहन्‍ना 7:26
मुदा देखू! ई एतऽ खुलि कऽ बाजि रहल अछि और एकरा केओ नहि किछु कहैत छैक! कतौ एहन तँ नहि भऽ गेल जे अपना सभक धर्मगुरु-नेता सभ वास्‍तव मे मानि लेने होथि जे ई परमेश्‍वरक पठाओल उद्धारकर्ता-मसीह अछि?

मसीह-दूत 5:29
एहि पर पत्रुस और आन मसीह-दूत सभ उत्तर देलथिन, “हमरा सभ केँ मनुष्‍यक आज्ञा सँ बढ़ि कऽ परमेश्‍वरेक आज्ञा केँ मानबाक अछि।

मसीह-दूत 9:29
ओ यूनानी भाषी यहूदी सभ सँ वाद-विवाद करैत छलाह मुदा ओ सभ हिनका जान सँ मारि देबाक कोशिश करऽ लागल।

फिलिप्‍पी 1:1
पौलुस आ तिमुथियुस, जे मसीह यीशुक दास सभ छथि, तिनका सभक दिस सँ फिलिप्‍पी नगर मे रहऽ वला परमेश्‍वरक सभ पवित्र लोक जे मसीह यीशु मे छथि, मण्‍डलीक जिम्‍मेवार लोकनि और मण्‍डली-सेवक सभ सेहो, तिनका सभक नाम मे ई पत्र।

1 तिमुथियुस 3:1
ई बात एकदम सत्‍य अछि जे जँ केओ मण्‍डली मे जिम्‍मेवार बनबाक इच्‍छा करैत छथि तँ ओ एक उत्तम काज करऽ चाहैत छथि।

1 कोरिन्‍थी 3:12
जँ केओ एहि न्‍यो पर निर्माणक काज मे सोन, चानी, बहुमूल्‍य पाथर, काठ वा घास-फूस प्रयोग मे लाओत,

इब्रानी 10:1
धर्म-नियम मे जे भेटैत अछि, से आबऽ वला नीक बात सभक वास्‍तविक स्‍वरूप नहि, बल्‍कि तकर छाया मात्र अछि। तेँ धर्म-नियमक व्‍यवस्‍था साले-साल चढ़ाओल जाय वला एके तरहक बलिदान सभ द्वारा आराधना करऽ वला सभ केँ सिद्ध नहि कऽ सकैत अछि।

1 पत्रुस 5:10
अहाँ सभ केँ कनेक काल धरि कष्‍ट सहन कऽ लेलाक बाद, परमेश्‍वर, जे सम्‍पूर्ण कृपाक स्रोत छथि, से अपने अहाँ सभ केँ सिद्ध, दृढ़, बलवन्‍त आ स्‍थिर करताह। ओ तँ यीशु मसीह मे अहाँ सभ केँ अपन अनन्‍त कालीन महिमा मे सहभागी होयबाक लेल बजौने छथि।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT