A A A A A

अच्छा चरित्र : [पवित्रीकरण]


2 थिसलुनिकी 2:13
यौ भाइ लोकनि, प्रभुक प्रिय लोक, अहाँ सभक लेल हमरा सभ केँ सदिखन परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देबाक अछि, कारण, परमेश्‍वर शुरुए सँ अहाँ सभ केँ एहि उद्देश्‍य सँ चुनलनि जे अहाँ सभ हुनकर आत्‍माक काज द्वारा पवित्र भऽ कऽ और सत्‍य पर विश्‍वास कऽ कऽ उद्धार प्राप्‍त करी।

2 तिमुथियुस 2:21
तेँ जँ केओ अपना केँ दुषित वला बात सभ सँ शुद्ध करत तँ ओ विशेष काजक लेल प्रयोग होयबाक जोगरक पात्र होयत। ओ पवित्र भऽ अपन मालिकक लेल उपयोगी बनत, और कोनो नीक काज करबाक लेल तैयार रहत।

मसीह-दूत 26:18
तोँ ओकरा सभक आँखि खोलह और ओकरा सभ केँ अन्‍हार सँ इजोत मे, अर्थात् शैतानक राज्‍य सँ परमेश्‍वर लग, घुमाबह, जाहि सँ हमरा पर विश्‍वास कयला सँ ओ सभ पापक क्षमा प्राप्‍त करय आ परमेश्‍वरक पवित्र कयल लोकक संग उत्तराधिकारी बनय।’

कुलुस्‍सी 2:11
मसीहे मे अहाँ सभक खतना सेहो भेल अछि—एहन खतना नहि, जे हाथ सँ कयल जाइत अछि ⌞जाहि मे शरीरक कनेक चमड़ा काटि कऽ हटाओल जाइत अछि⌟, बल्‍कि एहन, जे मसीह द्वारा कयल जाइत अछि आ जाहि द्वारा अहाँ सभक पाप-स्‍वभावक शक्‍ति अहाँ सभ मे सँ हटाओल गेल अछि।

कुलुस्‍सी 3:1-5
[1] एहि लेल, जँ अहाँ सभ मसीहक संग जीवित कयल गेल छी, तँ ओहन बात सभ पर मोन लगाउ जे स्‍वर्ग सँ सम्‍बन्‍ध रखैत अछि, जतऽ मसीह परमेश्‍वरक दहिना कात मे विराजमान छथि।[2] अपन ध्‍यान पृथ्‍वी परक वस्‍तु सभ पर नहि, बल्‍कि स्‍वर्गीय वस्‍तु सभ पर लगाउ,[3] किएक तँ जहाँ तक अहाँ सभक पुरान जीवनक बात अछि, अहाँ सभ तँ मरि गेल छी आ अहाँ सभक नव जीवन आब मसीहक संग परमेश्‍वर मे नुकायल अछि।[4] मसीहे अहाँ सभक जीवन छथि, और ओ जहिया फेर औताह, तहिया अहूँ सभ हुनका महिमाक वैभव मे सहभागी होयब आ ई बात प्रगट होयत जे अहाँ सभ हुनके लोक छिऐन।[5] एहि लेल, अहाँ सभ मे जे किछु अहाँ सभक पापी मानवीय स्‍वभाव सँ सम्‍बन्‍ध रखैत अछि, तकरा नष्‍ट कऽ दिअ, अर्थात्, अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध, अपवित्र विचार-व्‍यवहार, शारीरिक काम-वासना, अधलाह बातक लालसा, आ लोभ जे मूर्तिपूजाक बराबरि बात अछि।

इफिसी 1:13
तहिना अहूँ सभ जखन सत्‍यक सम्‍बाद सुनलहुँ, अपन उद्धारक शुभ समाचार सुनलहुँ, तँ विश्‍वासो कयलहुँ। आ जखन विश्‍वास कयलहुँ, तँ मसीह मे संयुक्‍त भऽ कऽ, परमेश्‍वरक देल वचनक अनुसार अहूँ सभ केँ हुनकर पवित्र आत्‍मा देल गेलाह, जे स्‍वयं अहाँ सभ पर लगाओल गेल एहि बातक छाप छथि जे अहाँ सभ हुनकर छिऐन।

गलाती 2:20
हम मसीहक संग क्रूस पर मरि गेल छी। आब हम जीवित नहि रहलहुँ, बल्‍कि मसीह हमरा मे जीबैत छथि। जे जीवन हम आब एहि शरीर मे जीबैत छी से विश्‍वास सँ जीबैत छी। ई विश्‍वास परमेश्‍वरक पुत्र पर टिकल अछि, जे हमरा सँ प्रेम कयलनि आ हमरा लेल अपना केँ अर्पित कऽ देलनि।

इब्रानी 2:11
पाप सँ शुद्ध कयनिहार यीशु, आ पाप सँ शुद्ध भेनिहार लोक सभ, दूनूक पिता एके छथि, तेँ यीशु ओकरा सभ केँ अपन भाय कहि कऽ सम्‍बोधन करऽ मे लाज नहि मानैत छथि।

इब्रानी 9:14
जखन ओ बात अछि, तँ ओहि सँ कतेक बढ़ि कऽ मसीह, जे सनातन पवित्र आत्‍माक माध्‍यम सँ अपना केँ निष्‍कलंक बलिक रूप मे परमेश्‍वर केँ अर्पित कयलनि, तिनकर खून अपना सभक मोन केँ किएक नहि शुद्ध करत जाहि सँ मृत्‍यु मे लऽ जाय वला कर्म सभ सँ मुक्‍त भऽ कऽ अपना सभ जीवित परमेश्‍वरक सेवा करी!

इब्रानी 10:10-14
[10] और परमेश्‍वरक ओही इच्‍छा द्वारा अपना सभ यीशु मसीहक शरीरक बलिदान सँ, जे सदाकालक लेल एके बेर सम्‍पन्‍न भेल, पवित्र कयल गेल छी।[11] प्रत्‍येक पुरोहित दिन-प्रतिदिन ठाढ़ भऽ कऽ अपन सेवाक काज करैत छथि आ एके तरहक बलिदान बेर-बेर चढ़बैत छथि, जे बलिदान पाप केँ कहियो नहि मेटा सकैत अछि।[12] मुदा ई पुरोहित, अर्थात्‌ मसीह, पापक वास्‍ते सदाक लेल एकेटा बलिदान चढ़ा कऽ परमेश्‍वरक दहिना कात बैसलाह।[13] ओ ओही समय सँ एहि बातक प्रतीक्षा कऽ रहल छथि जे हुनकर शत्रु सभ केँ हुनका पयरक नीचाँ राखि देल जानि।[14] कारण, ओ अपन एकमात्र बलिदान द्वारा तकरा सभ केँ सदाक लेल सिद्ध कऽ देलनि जे सभ पवित्र कयल जा रहल अछि।

इब्रानी 12:10-14
[10] ओ सभ सीमित समयक लेल जहिना अपना बुद्धिक अनुसार ठीक बुझैत छलाह, तहिना अपना सभ केँ सजाय देलनि, मुदा परमेश्‍वर ई जानि जे अपना सभक कल्‍याणक लेल केहन सजाय ठीक होयत अपना सभ केँ सुधारैत छथि जाहि सँ ओ जहिना पवित्र छथि, तहिना अपनो सभ पवित्र बनी।[11] जखन कोनो तरहक सजाय ककरो भेटि रहल छैक तँ ताहि समय मे ओ ओकरा सुखदायक नहि, दुःखदायक लगैत छैक, मुदा बाद मे, तकरा द्वारा सुधारल गेलाक बाद, ओकर परिणाम एक धार्मिक आ शान्‍तिपूर्ण जीवन होइत अछि।[12] तेँ थाकल हाथ आ कमजोर ठेहुन केँ मजगूत बनाउ।[13] और “अपना लेल सोझ रस्‍ता बनाउ” जाहि सँ नाङड़क पयर उखड़ैक नहि, बल्‍कि स्‍वस्‍थ भऽ जाइक।[14] सभक संग मेल-मिलाप सँ रहबाक लेल आ पवित्र जीवन बितयबाक लेल पूरा मोन सँ प्रयत्‍न करू, कारण, पवित्रताक बिना केओ परमेश्‍वर केँ नहि देखऽ पाओत।

इब्रानी 13:12
तहिना यीशु सेहो अपना खून द्वारा लोक सभ केँ पवित्र करबाक लेल नगरक छहरदेवाली सँ बाहरे दुःख भोगलनि।

1 कोरिन्‍थी 1:2
ई पत्र अहाँ सभ केँ लिखि रहल छी, जे सभ कोरिन्‍थ नगर मे परमेश्‍वरक मण्‍डली छी। अहाँ सभ यीशु मसीह द्वारा पवित्र कयल गेल छी और परमेश्‍वरक अपन लोक होयबाक लेल बजाओल गेल छी, जहिना सभ ठामक ओ सभ लोक छथि जे अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक नाम सँ प्रार्थना करैत छथि—ओ तँ हुनका सभक आ अपना सभक, दूनूक प्रभु छथि।

1 कोरिन्‍थी 6:11
आ से अहाँ सभ मे सँ किछु गोटे छलहुँ, मुदा अहाँ सभ आब प्रभु यीशु मसीहक नाम सँ आ अपना सभक परमेश्‍वरक आत्‍मा द्वारा धोअल गेलहुँ, पवित्र कयल गेलहुँ आ निर्दोष ठहराओल गेलहुँ।

1 यूहन्‍ना 1:9
मुदा जँ अपना सभ अपन पाप केँ मानि लेब तँ ओ जे विश्‍वासयोग्‍य और न्‍यायी छथि अपना सभ केँ पापक क्षमा करताह और अपना सभ केँ सभ अधर्म सँ शुद्ध करताह।

1 यूहन्‍ना 3:9
जे केओ वास्‍तव मे परमेश्‍वरक सन्‍तान अछि से पाप नहि करैत रहत, कारण परमेश्‍वरक स्‍वभाव ओकरा मे रहैत छैक। ओ पापक आचरण नहि कऽ सकैत अछि, कारण ओ परमेश्‍वरक सन्‍तान भऽ गेल अछि।

1 पत्रुस 1:2
अहाँ सभ पिता परमेश्‍वरक पूर्वज्ञानक अनुसार पहिनहि सँ चुनल गेल छी। परमेश्‍वर अहाँ सभ केँ एहि अभिप्राय सँ चुनने छथि जे अहाँ सभ हुनकर पवित्र आत्‍मा द्वारा पवित्र कयल जाइ, यीशु मसीहक आज्ञाक पालन करी आ हुनकर खून सँ शुद्ध कयल जाइ। प्रशस्‍त मात्रा मे अहाँ सभ पर कृपा कयल जाय आ अहाँ सभ केँ शान्‍ति भेटय।

1 थिसलुनिकी 4:3
परमेश्‍वरक इच्‍छा ई छनि जे अहाँ सभ पवित्र बनी। ओ चाहैत छथि जे अहाँ सभ दोसराक संग सभ तरहक अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध सँ दूर रही,

1 थिसलुनिकी 5:23
शान्‍ति देबऽ वला परमेश्‍वर स्‍वयं अहाँ सभ केँ पूर्ण रूप सँ पवित्र करथि। ओ अहाँ सभक आत्‍मा, प्राण आ शरीर केँ अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक अयबाक समय धरि निर्दोष आ सुरक्षित राखथि।

2 कोरिन्‍थी 5:17
एकर अर्थ अछि जे जँ केओ मसीह मे अछि तँ ओ एक नव सृष्‍टि अछि। पुरान बात सभ समाप्‍त भऽ गेल, आब सभ किछु नव बनि गेल अछि।

1 थिसलुनिकी 4:3
परमेश्‍वरक इच्‍छा ई छनि जे अहाँ सभ पवित्र बनी। ओ चाहैत छथि जे अहाँ सभ दोसराक संग सभ तरहक अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध सँ दूर रही,

1 थिसलुनिकी 5:23
शान्‍ति देबऽ वला परमेश्‍वर स्‍वयं अहाँ सभ केँ पूर्ण रूप सँ पवित्र करथि। ओ अहाँ सभक आत्‍मा, प्राण आ शरीर केँ अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक अयबाक समय धरि निर्दोष आ सुरक्षित राखथि।

2 कोरिन्‍थी 5:17
एकर अर्थ अछि जे जँ केओ मसीह मे अछि तँ ओ एक नव सृष्‍टि अछि। पुरान बात सभ समाप्‍त भऽ गेल, आब सभ किछु नव बनि गेल अछि।

2 कोरिन्‍थी 12:21
हमरा डर अछि जे अहाँ सभक ओतऽ फेर अयला पर कतौ हमर परमेश्‍वर अहाँ सभ पर जे हमर गर्व अछि तकरा अहाँ सभक सम्‍मुख चूर-चूर ने करथि आ हम ओहन बहुतो लोक सभक कारणेँ दुखी भऽ जाइ जे सभ पहिने पाप कयने अछि आ अपन कयल अशुद्ध व्यवहार, अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध आ भोग-विलासक लेल पश्‍चात्ताप नहि कयने अछि।

यूहन्‍ना 17:17-19
[17] हिनका सभ केँ सत्‍य द्वारा अपना लेल पवित्र कऽ लिअ; सत्‍य अहाँक वचन अछि।[18] जहिना अहाँ हमरा संसार मे पठा देलहुँ, तहिना हम हिनका सभ केँ संसार मे पठा देने छी।[19] हिनका सभक लेल हम अपना केँ समर्पित करैत छी जाहि सँ इहो सभ सत्‍य द्वारा समर्पित भऽ जाथि।

फिलिप्‍पी 1:6
हमरा एहि बातक निश्‍चयता अछि जे, जे परमेश्‍वर अहाँ सभ मे नीक काज शुरू कयने छथि, से मसीह यीशुक अयबाक दिन धरि ओकरा पूरा सेहो करताह।

फिलिप्‍पी 2:13
किएक तँ परमेश्‍वर अपने अहाँ सभ मे काज करैत अपन प्रसन्‍नताक अनुसार चलबाक इच्‍छा आ क्षमता दूनू प्रदान करैत छथि।

रोमी 6:6
अपना सभ केँ ई कखनो नहि बिसरबाक चाही जे अपना सभक पहिलुका स्‍वभाव हुनके संग क्रूस पर चढ़ा देल गेल, जाहि सँ अपना सभ मेहक पापपूर्ण “हम” मरि जाय आ अपना सभ फेर पापक दास नहि बनी,

रोमी 15:16
हम गैर-यहूदी सभक बीच मसीह यीशुक सेवक बनी आ परमेश्‍वरक शुभ समाचार सुनयबाक सेवा करी, जाहि सँ गैर-यहूदी सभ परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा द्वारा पवित्र कयल जाय आ परमेश्‍वर केँ ग्रहणयोग्‍य चढ़ौना बनय।

2 पत्रुस 1:2-4
[2] परमेश्‍वर केँ आ यीशु अपना सभक प्रभु केँ चिन्‍हबाक द्वारा अहाँ सभ केँ प्रशस्‍त मात्रा मे कृपा आ शान्‍तिक अनुभव होअय।[3] परमेश्‍वर अपन ईश्‍वरीय सामर्थ्‍य सँ अपना सभ केँ ओ सभ बात देने छथि जे जीवन आ भक्‍तिक लेल आवश्‍यक अछि। ओ जे अपन महिमा आ सद्‌गुण द्वारा अपना सभ केँ बजौने छथि, तिनका चिन्‍हबाक द्वारा अपना सभ केँ ई सभ बात प्राप्‍त भेल।[4] एहि महिमा आ सद्‌गुण द्वारा ओ अपना सभ केँ बहुमूल्‍य आ उत्तम बात सभ देबाक वचन देने छथि, जाहि सँ ई बात सभ प्राप्‍त कऽ कऽ अहाँ सभ भ्रष्‍ट करऽ वला ओहि अधलाह इच्‍छा सभ सँ बाँचि सकी जे संसार मे अछि, आ ईश्‍वरीय स्‍वभाव मे सहभागी भऽ सकी।

1 थिसलुनिकी 4:3-5
[3] परमेश्‍वरक इच्‍छा ई छनि जे अहाँ सभ पवित्र बनी। ओ चाहैत छथि जे अहाँ सभ दोसराक संग सभ तरहक अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध सँ दूर रही,[4] अहाँ सभ मे सँ प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति अपना शरीर केँ पवित्रता और मर्यादाक संग नियन्‍त्रण मे राखी,[5] आ नहि कि प्रभुक शिक्षा सँ अपरिचित जातिक लोक सभ, जे सभ परमेश्‍वर केँ नहि चिन्‍हैत अछि, तकरा सभ जकाँ अपना शरीर केँ वासनाक पूर्ति करबाक साधन बुझी।

यूहन्‍ना 15:1-4
[1] “वास्‍तविक अंगूर-लत्ती हमहीं छी, और हमर पिता किसान छथि।[2] प्रत्‍येक ठाढ़ि जे हमरा मे अछि और फड़ैत नहि अछि, तकरा ओ काटि दैत छथिन, और प्रत्‍येक ठाढ़ि जे फड़ैत अछि तकरा ओ छँटैत छथिन, जाहि सँ ओ शुद्ध भऽ कऽ आओर फड़त।[3] अहाँ सभ तँ हमर ओहि वचन द्वारा, जे हम अहाँ सभ केँ कहने छी, शुद्ध छीहे।[4] हमरा मे रहैत रहू, जेना हम अहाँ सभ मे। जहिना ठाढ़ि अपने सँ नहि फड़ि सकैत अछि, बल्‍कि तखने जखन लत्ती मे रहैत अछि, तहिना अहूँ सभ तखने फड़ि सकैत छी जँ हमरा मे रहैत रहब।

रोमी 6:1-23
[1] तखन की, अपना सभ आओर पाप करैत रही जाहि सँ परमेश्‍वर आओर कृपा करथि?[2] किन्‍नहुँ नहि! अपना सभ जे पापक लेखेँ मरि गेल छी, आब पाप मे जीवन कोना व्‍यतीत करब?[3] की अहाँ सभ ई नहि जनैत छी जे, अपना सभ गोटे जे बपतिस्‍मा लऽ कऽ मसीह यीशु मे सहभागी भेलहुँ से हुनका मृत्‍यु मे सेहो सहभागी भेलहुँ?[4] तेँ अपना सभ बपतिस्‍मा द्वारा हुनका मृत्‍यु मे सहभागी भऽ हुनका संग गाड़ल सेहो गेल छी जाहि सँ जहिना यीशु मसीह पिता परमेश्‍वरक महिमा द्वारा मुइल सभ मे सँ जिआओल गेलाह तहिना अपनो सभ एक नव जीवन जीबी।[5] जँ हुनका मृत्‍यु मे अपना सभ हुनका सँ संयुक्‍त भऽ गेल छी, तँ निश्‍चय हुनका जीबि उठनाइ मे सेहो अपना सभ हुनका सँ संयुक्‍त भऽ जायब।[6] अपना सभ केँ ई कखनो नहि बिसरबाक चाही जे अपना सभक पहिलुका स्‍वभाव हुनके संग क्रूस पर चढ़ा देल गेल, जाहि सँ अपना सभ मेहक पापपूर्ण “हम” मरि जाय आ अपना सभ फेर पापक दास नहि बनी,[7] किएक तँ मरल आदमी पर पाप केँ कोनो शक्‍ति नहि रहि जाइत छैक।[8] आब जँ अपना सभ मसीहक संग मरलहुँ तँ अपना सभ विश्‍वास करैत छी जे हुनका संग जीवित सेहो रहब।[9] किएक तँ अपना सभ जनैत छी जे मसीह मुइल सभ मे सँ जिआओल गेलाक बाद फेर कहियो नहि मरताह। आब मृत्‍यु केँ हुनका पर कोनो अधिकार नहि रहल।[10] ओ जखन मरलाह तँ पाप केँ पराजित करबाक लेल सदाक लेल एके बेर मरलाह, आ जीबि उठि कऽ ओ आब परमेश्‍वरेक लेल जीबैत छथि।[11] एही तरहेँ अहाँ सभ सेहो अपना केँ पापक लेखेँ मुइल आ मसीह यीशु मे परमेश्‍वरक लेल जीवित बुझू।[12] एहि लेल आब अहाँ सभ अपन नश्‍वर शरीर मे पाप केँ राज्‍य नहि करऽ दिअ जे ओकर अभिलाषा सभक अनुसार जीवन व्‍यतीत करी।[13] अहाँ सभ अपना शरीरक अंग सभ केँ दुष्‍टताक साधनक रूप मे पाप करबाक लेल समर्पित नहि करू। बल्‍कि मृत्‍यु सँ जीवन मे लाओल लोक सभ जकाँ अपना केँ परमेश्‍वर केँ समर्पित कऽ दिअ आ शरीरक अंग सभ केँ नीक काज करबाक साधनक रूप मे परमेश्‍वर केँ अर्पित करू।[14] तखन पाप अहाँ सभ पर राज्‍य नहि कऽ पाओत, किएक तँ अहाँ सभ धर्म-नियमक अधीन नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक कृपाक अधीन छी।[15] तखन की? की अपना सभ जँ धर्म-नियमक अधीन नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक कृपाक अधीन छी, तँ एहि कारणेँ पाप करी? किन्‍नहुँ नहि![16] की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे जकर आज्ञा मानबाक लेल अहाँ सभ अपना केँ दासक रूप मे समर्पित करैत छी, अहाँ सभ तकरे दास छी?—ओ चाहे पापक होइ, जकर परिणाम मृत्‍यु अछि, चाहे आज्ञाकारिताक, जकर परिणाम धार्मिकता अछि।[17] परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद जे अहाँ सभ, जे सभ एक समय मे पापक दास छलहुँ, आब पूरा मोन सँ ओहि शिक्षाक आज्ञाकारी भऽ गेल छी जाहि मे अहाँ सभ सौंपल गेलहुँ।[18] अहाँ सभ पाप सँ मुक्‍त कयल गेलहुँ और आब धार्मिकताक दास भऽ गेल छी।[19] हम ई साधारण मानव जीवनक उदाहरण, अर्थात्‌ दास आ मालिकक उदाहरण, एहि लेल प्रयोग कऽ रहल छी जे अहाँ सभक मानवीय दुर्बलताक कारणेँ बात बुझनाइ अहाँ सभक लेल कठिन अछि। अहाँ सभ जहिना पहिने अपना शरीरक अंग केँ अशुद्धता आ अधर्मक अधीन कयने छलहुँ, जाहि सँ दुराचार बढ़ल, तहिना आब अपना शरीरक अंग केँ धार्मिकताक अधीन करू, जाहि सँ अहाँ सभ पवित्र बनी।[20] किएक तँ जखन अहाँ सभ पापक दास छलहुँ तँ धार्मिकताक नियन्‍त्रण सँ अहाँ सभ स्‍वतन्‍त्र छलहुँ।[21] ओहि समय मे अहाँ सभ केँ ओहि कर्म सँ की लाभ भेल? आब ओहि बात सँ लज्‍जित होइत छी, कारण, ओकर परिणाम मृत्‍यु अछि।[22] मुदा आब अहाँ सभ पाप सँ छुटकारा पाबि परमेश्‍वरक दास बनि गेल छी, जकर फल अछि पवित्रता आ जकर परिणाम अछि अनन्‍त जीवन।[23] किएक तँ पापक मजदूरी अछि मृत्‍यु, मुदा परमेश्‍वरक वरदान अछि अनन्‍त जीवन जे अपना सभक प्रभु, मसीह यीशुक माध्‍यम सँ प्राप्‍त होइत अछि।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT