A A A A A

अच्छा चरित्र : [दया]


लूका 6:36
दयालु बनू, जहिना अहाँक पिता दयालु छथि।

इफिसी 2:4
मुदा अपार दया करऽ वला परमेश्‍वर अपना सभक प्रति महान्‌ प्रेम रखबाक कारणेँ,

तीतुस 3:5
तँ ओ अपना सभक उद्धार कयलनि। ई उद्धार अपना सभक अपन कयल कोनो धर्मक काज सभक आधार पर नहि, बल्‍कि हुनकर दयाक कारणेँ भेल। अर्थात्‌, परमेश्‍वर अपना सभ केँ धो कऽ नव जन्‍म देलनि, अपन पवित्र आत्‍मा द्वारा अपना सभ केँ नव बनौलनि।

इब्रानी 4:16
तेँ अपना सभ निर्भयतापूर्बक परमेश्‍वरक सिंहासन लग, जतऽ कृपा कयल जाइत अछि, ततऽ चलू, जाहि सँ अपना सभ पर दया कयल जाय आ अपना सभ ओ कृपा पाबी जे अपना सभक आवश्‍यकताक समय मे सहायता करत।

1 यूहन्‍ना 1:3
हम सभ जे देखलहुँ आ सुनलहुँ, से अहाँ सभ केँ कहि रहल छी, जाहि सँ अहूँ सभ केँ हमरा सभक संग संगति होयत। हमरा सभक संगति पिताक संग और हुनकर पुत्र यीशु मसीहक संग अछि।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT