A A A A A

अच्छा चरित्र : [आभारी]


कुलुस्‍सी 4:2
अहाँ सभ सचेत रहि प्रार्थना मे लागल रहू आ धन्‍यवाद देबाक मनोभावना रखने रहू।

2 कोरिन्‍थी 2:14-15
[14] मुदा परमेश्‍वरक धन्‍यवाद होनि! ओ हमरा सभ केँ मसीहक विजय-जुलूस मे सदत लऽ जाइत छथि आ सभ ठाम मसीहक ज्ञान सुगन्‍ध जकाँ हमरा सभक द्वारा फैलबैत छथि।[15] किएक तँ उद्धार पाबऽ वला सभक बीच आ नष्‍ट होमऽ वला सभक बीच हम सभ परमेश्‍वरक लेल मसीहक सुगन्‍ध छी।

1 थिसलुनिकी 5:18
प्रत्‍येक परिस्‍थिति मे परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दिऔन, कारण, अहाँ सभ जे मसीह यीशु मे छी तिनका सभ सँ परमेश्‍वर यैह बात चाहैत छथि।

कुलुस्‍सी 3:15-17
[15] मसीहक शान्‍ति अहाँ सभक हृदय मे राज्‍य करैत रहय, कारण, अहाँ सभ एक शरीरक अंग सभ भऽ कऽ मेल सँ रहबाक लेल बजाओल गेल छी। अहाँ सभ धन्‍यवाद देनिहार बनल रहू।[16] मसीहक वचन केँ अपन परिपूर्णताक संग अहाँ सभ अपना मे निवास करऽ दिअ। पूर्ण बुद्धि-ज्ञानक संग एक-दोसर केँ शिक्षा आ चेतावनी दैत रहू, आ परमेश्‍वरक प्रशंसा मे भजन, स्‍तुति-गान आ भक्‍तिक गीत पूरा मोन सँ धन्‍यवादक संग गबैत रहू।[17] अहाँ सभ जे किछु कही वा करी, से सभ प्रभु यीशुक नाम सँ करू आ हुनका द्वारा परमेश्‍वर पिता केँ धन्‍यवाद दैत रहू।

1 कोरिन्‍थी 15:57
मुदा परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद होनि! ओ अपना सभक प्रभु यीशु मसीह द्वारा अपना सभ केँ विजय प्रदान करैत छथि।

रोमी 1:21
किएक तँ ओ सभ परमेश्‍वर केँ जनितो ने हुनका परमेश्‍वर मानि कऽ समुचित आदर कयलकनि आ ने हुनका धन्‍यवाद देलकनि। ओ सभ निरर्थक कल्‍पना सभ मे पड़ि गेल आ ओकरा सभक विवेकहीन मोन अन्‍हार सँ भरि गेलैक।

फिलिप्‍पी 4:6
कोनो बातक चिन्‍ता-फिकिर नहि करू, बल्‍कि प्रत्‍येक परिस्‍थिति मे परमेश्‍वर सँ प्रार्थना आ निवेदन करू; अपन विनती धन्‍यवादक संग हुनका सम्‍मुख प्रस्‍तुत करू।

2 कोरिन्‍थी 9:15
परमेश्‍वरक ओहि दानक लेल जे वर्णन सँ बाहर अछि हुनका धन्‍यवाद होनि!

1 थिसलुनिकी 5:16-18
[16] सदिखन आनन्‍दित रहू,[17] लगातार प्रार्थना करैत रहू।[18] प्रत्‍येक परिस्‍थिति मे परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दिऔन, कारण, अहाँ सभ जे मसीह यीशु मे छी तिनका सभ सँ परमेश्‍वर यैह बात चाहैत छथि।

फिलिप्‍पी 4:6-7
[6] कोनो बातक चिन्‍ता-फिकिर नहि करू, बल्‍कि प्रत्‍येक परिस्‍थिति मे परमेश्‍वर सँ प्रार्थना आ निवेदन करू; अपन विनती धन्‍यवादक संग हुनका सम्‍मुख प्रस्‍तुत करू।[7] तखन परमेश्‍वरक शान्‍ति, जकरा मनुष्‍य केँ बुझि पौनाइ असम्‍भव अछि, से अहाँ सभक हृदय आ अहाँ सभक बुद्धि केँ मसीह यीशु मे सुरक्षित राखत।

कुलुस्‍सी 1:12
आ आनन्‍दपूर्बक ओहि पिता केँ धन्‍यवाद दैत रही जे अहाँ सभ केँ इजोतक राज्‍य मे रहऽ वला हुनकर लोकक उत्तराधिकार मे सहभागी होयबा जोगरक बनौने छथि।

याकूब 1:17
प्रत्‍येक नीक आ उत्तम दान जे अछि, से ऊपर सँ अबैत अछि। सूर्य, चन्‍द्रमा आ तारा सभक रचनिहार, पिता, जे छाया जकाँ नहि बदलैत छथि, तिनके सँ ई दान सभ भेटैत अछि।

इफिसी 5:4
आ ने निर्लज्‍जता, मूर्खतापूर्ण बात-चीत वा अभद्र मजाक होअय—अहाँ सभ केँ एहन बात सभ शोभा नहि दैत अछि, बल्‍कि एहि सभक बदला मे प्रभु केँ धन्‍यवादे देबाक काज होयबाक चाही।

इफिसी 5:20
और अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक माध्‍यम सँ हरदम सभ बातक लेल परमेश्‍वर पिता केँ धन्‍यवाद दिऔन।

यूहन्‍ना 3:16
“हँ, परमेश्‍वर संसार सँ एहन प्रेम कयलनि जे ओ अपन एकमात्र बेटा केँ दऽ देलनि, जाहि सँ जे केओ हुनका पर विश्‍वास करैत अछि से नाश नहि होअय, बल्‍कि अनन्‍त जीवन पाबय।

कुलुस्‍सी 3:2
अपन ध्‍यान पृथ्‍वी परक वस्‍तु सभ पर नहि, बल्‍कि स्‍वर्गीय वस्‍तु सभ पर लगाउ,

कुलुस्‍सी 3:16
मसीहक वचन केँ अपन परिपूर्णताक संग अहाँ सभ अपना मे निवास करऽ दिअ। पूर्ण बुद्धि-ज्ञानक संग एक-दोसर केँ शिक्षा आ चेतावनी दैत रहू, आ परमेश्‍वरक प्रशंसा मे भजन, स्‍तुति-गान आ भक्‍तिक गीत पूरा मोन सँ धन्‍यवादक संग गबैत रहू।

प्रकाशित-वाक्‍य 11:17
“हे सर्वशक्‍तिमान प्रभु-परमेश्‍वर, अहाँ जे छी, आ जे छलहुँ! हम सभ अहाँ केँ धन्‍यवाद दैत छी जे अहाँ अपन सामर्थ्‍यक प्रयोग कऽ कऽ राज्‍य करऽ लागल छी।

कुलुस्‍सी 3:15-17
[15] मसीहक शान्‍ति अहाँ सभक हृदय मे राज्‍य करैत रहय, कारण, अहाँ सभ एक शरीरक अंग सभ भऽ कऽ मेल सँ रहबाक लेल बजाओल गेल छी। अहाँ सभ धन्‍यवाद देनिहार बनल रहू।[16] मसीहक वचन केँ अपन परिपूर्णताक संग अहाँ सभ अपना मे निवास करऽ दिअ। पूर्ण बुद्धि-ज्ञानक संग एक-दोसर केँ शिक्षा आ चेतावनी दैत रहू, आ परमेश्‍वरक प्रशंसा मे भजन, स्‍तुति-गान आ भक्‍तिक गीत पूरा मोन सँ धन्‍यवादक संग गबैत रहू।[17] अहाँ सभ जे किछु कही वा करी, से सभ प्रभु यीशुक नाम सँ करू आ हुनका द्वारा परमेश्‍वर पिता केँ धन्‍यवाद दैत रहू।

इब्रानी 12:28
तेँ जखन अपना सभ केँ एहन राज्‍य भेटि रहल अछि जे अटल अछि तँ अबैत जाउ, अपना सभ परमेश्‍वरक धन्‍यवाद करैत श्रद्धा आ भयक संग हुनकर एहन आराधना करी जे हुनका ग्रहणयोग्‍य होनि।

1 थिसलुनिकी 1:2
हम सभ अपना प्रार्थना मे अहाँ सभ गोटे केँ स्‍मरण कऽ कऽ अहाँ सभक लेल परमेश्‍वर केँ सदिखन धन्‍यवाद दैत छियनि।

1 तिमुथियुस 2:1-2
[1] हम सभ सँ पहिने ई अनुरोध करैत छी जे, विनती, प्रार्थना, निवेदन आ धन्‍यवाद सभ मनुष्‍यक लेल परमेश्‍वर लग चढ़ाओल जाय,[2] राजा लोकनि और आरो सभ अधिकारीक लेल सेहो, जाहि सँ अपना सभ भक्‍ति और मर्यादाक संग चैन आ शान्‍ति सँ जीवन व्‍यतीत कऽ सकी।

यूहन्‍ना 11:41
तखन ओ सभ पाथर हटा देलनि, और यीशु ऊपर ताकि कऽ कहलनि, “पिता, हम अहाँ केँ धन्‍यवाद दैत छी जे अहाँ हमर सुनि लेने छी।

2 कोरिन्‍थी 9:11
अहाँ सभ प्रत्‍येक बात मे सम्‍पन्‍न बनाओल जायब जाहि सँ अहाँ सभ हमेशा बिनु कंजूसी कऽ खुशी-खुशी सँ दोसर केँ दऽ सकब। तखन हमरा सभक माध्‍यम सँ पठाओल अहाँ सभक दानक कारणेँ बहुत लोक परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देतनि।

2 कोरिन्‍थी 2:14
मुदा परमेश्‍वरक धन्‍यवाद होनि! ओ हमरा सभ केँ मसीहक विजय-जुलूस मे सदत लऽ जाइत छथि आ सभ ठाम मसीहक ज्ञान सुगन्‍ध जकाँ हमरा सभक द्वारा फैलबैत छथि।

फिलिप्‍पी 4:19
हमर परमेश्‍वर सेहो अपन ओहि असीम महिमाक भण्‍डार सँ जे मसीह यीशु मे रहैत अछि, अहाँ सभक प्रत्‍येक आवश्‍यकता पूरा करताह।

रोमी 11:36
सभ किछु तँ हुनका सँ, हुनका द्वारा आ हुनका लेल अछि। हुनकर स्‍तुति युगानुयुग होइत रहनि! आमीन।

मसीह-दूत 16:40
पौलुस आ सिलास जहल सँ बाहर भऽ लुदियाक घर गेलाह। ओतऽ विश्‍वासी भाय सभ सँ भेँट कऽ कऽ हुनका सभ केँ विश्‍वास मे प्रोत्‍साहित कयलनि। तकरबाद ओ सभ ओतऽ सँ विदा भऽ गेलाह।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT