A A A A A

अच्छा चरित्र : [आस्था]


मत्ती 21:22
अहाँ सभ जे किछु प्रार्थना मे विश्‍वासक संग माँगब, से अहाँ सभ केँ प्राप्‍त होयत।”

रोमी 10:17
एहि तरहेँ अपना सभ देखैत छी जे, सुनलाक बादे केओ विश्‍वास कऽ सकैत अछि, आ जे सुनबाक अछि, से अछि मसीहक वचन।

इब्रानी 11:1-6
[1] विश्‍वास की अछि? विश्‍वास ओहि बात सभक पक्‍का आश्‍वासन अछि जकरा लेल आशा कयल जाइत अछि और ओहि वस्‍तु सभक अस्‍तित्‍वक विषय मे दृढ़ निश्‍चय अछि जे वस्‍तु सभ देखार नहि अछि।[2] विश्‍वासेक कारणेँ प्राचीन समयक भक्‍त सभ सँ परमेश्‍वर प्रसन्‍न भेलाह।[3] विश्‍वासे द्वारा अपना सभ बुझैत छी जे सम्‍पूर्ण विश्‍वक सृष्‍टि परमेश्‍वरक आज्ञा द्वारा भेल, आ देखाइ पड़ऽ वला वस्‍तु सभ कोनो आन देखाइ पड़ऽ वला वस्‍तु सँ नहि रचल गेल।[4] विश्‍वासेक कारणेँ हाबिल अपन भाय काइन सँ नीक बलिदान परमेश्‍वर केँ चढ़ौलनि। विश्‍वासेक कारणेँ हुनका एक धार्मिक पुरुषक रूप मे सम्‍मान भेटलनि जखन परमेश्‍वर हुनकर चढ़ौना स्‍वीकार कयलनि। हाबिल मरल होइतो अपन विश्‍वास द्वारा आइओ विश्‍वासक सम्‍बन्‍ध मे एक आवाज छथि।[5] विश्‍वासेक कारणेँ हनोक बिनु मृत्‍युक अनुभव कयने एहि पृथ्‍वी परक जीवन सँ सशरीर ऊपर उठा लेल गेलाह। ओ फेर देखाइ नहि पड़लाह कारण परमेश्‍वर हुनका ऊपर उठा लेने छलथिन। धर्मशास्‍त्र मे हनोकक सम्‍बन्‍ध मे चर्चा कयल गेल अछि जे हुनका उठाओल जयबा सँ पहिने परमेश्‍वर हुनका सँ प्रसन्‍न छलथिन।[6] विश्‍वासक बिना परमेश्‍वर केँ प्रसन्‍न कयनाइ असम्‍भव अछि कारण जे केओ हुनका लग आबऽ चाहैत अछि तकरा ई विश्‍वास कयनाइ आवश्‍यक छैक जे परमेश्‍वर छथि और ओ तकरा प्रतिफल दैत छथिन जे हुनकर खोज मे लगनशील अछि।

मरकुस 11:22-24
[22] ओ हुनका सभ केँ उत्तर देलथिन जे, “परमेश्‍वर पर विश्‍वास राखू![23] हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी जे, जँ केओ एहि पहाड़ केँ कहत जे ‘एतऽ सँ हट आ समुद्र मे जो,’ और मोन मे सन्‍देह नहि करत, बल्‍कि एकर विश्‍वास करत जे हम जे कहि रहल छी से भऽ जायत, तँ ओकरा लेल से भइए जायत।[24] एहि लेल हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, अहाँ प्रार्थना मे जे किछु माँगब, विश्‍वास करू जे ओ भेटि गेल, और अहाँ केँ भेटिए जायत।

याकूब 2:19
अहाँक विश्‍वास अछि जे परमेश्‍वर एकेटा छथि। बड्ड बढ़ियाँ! दुष्‍टात्‍मा सभ सेहो यैह बात विश्‍वास करैत अछि आ थर-थर कँपैत अछि।

इफिसी 2:8-9
[8] कारण, विश्‍वास द्वारा, हुनकर कृपे सँ, अहाँ सभक उद्धार भेल अछि—ई अहाँ सभक कोनो पुण्‍यक फल नहि, बल्‍कि परमेश्‍वर द्वारा देल गेल दान अछि।[9] ई ककरो द्वारा कयल कोनो कर्मक परिणाम नहि छैक, जे एहि पर केओ घमण्‍ड करय।

लूका 1:37
परमेश्‍वरक लेल कोनो बात असम्‍भव नहि छनि।”

2 कोरिन्‍थी 5:7
हम सभ तँ आँखि सँ देखल बातक आधार पर नहि, बल्‍कि विश्‍वास पर चलैत छी।

इफिसी 2:8
कारण, विश्‍वास द्वारा, हुनकर कृपे सँ, अहाँ सभक उद्धार भेल अछि—ई अहाँ सभक कोनो पुण्‍यक फल नहि, बल्‍कि परमेश्‍वर द्वारा देल गेल दान अछि।

1 कोरिन्‍थी 2:5
जाहि सँ अहाँ सभक विश्‍वास मनुष्‍यक ज्ञान पर नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक सामर्थ्‍य पर आधारित होअय।

याकूब 1:5-8
[5] जँ अहाँ सभ मे सँ किनको बुद्धिक अभाव होअय तँ परमेश्‍वर सँ माँगू। परमेश्‍वर अहाँ केँ बुद्धि देताह। कारण, ओ बिनु डँटने खुशी सँ सभ केँ दैत छथि।[6] मुदा जखन मँगैत छी, तँ विश्‍वासपूर्बक माँगू। शंका नहि राखू, कारण, शंका रखनिहार व्‍यक्‍ति समुद्रक हिलकोर जकाँ अछि जकरा हवा उठबैत आ खसबैत रहैत छैक।[7] एहन व्‍यक्‍ति ई आशा नहि राखय जे परमेश्‍वर सँ ओकरा किछु भेटतैक,[8] कारण, एहन मनुष्‍य दूमतिया अछि। सभ बात मे ओ अपन मोन आगाँ-पाछाँ करैत रहैत अछि।

फिलिप्‍पी 4:13
जे हमरा बल दैत छथि हम तिनका द्वारा सभ किछु कऽ सकैत छी।

याकूब 1:5-8
[5] जँ अहाँ सभ मे सँ किनको बुद्धिक अभाव होअय तँ परमेश्‍वर सँ माँगू। परमेश्‍वर अहाँ केँ बुद्धि देताह। कारण, ओ बिनु डँटने खुशी सँ सभ केँ दैत छथि।[6] मुदा जखन मँगैत छी, तँ विश्‍वासपूर्बक माँगू। शंका नहि राखू, कारण, शंका रखनिहार व्‍यक्‍ति समुद्रक हिलकोर जकाँ अछि जकरा हवा उठबैत आ खसबैत रहैत छैक।[7] एहन व्‍यक्‍ति ई आशा नहि राखय जे परमेश्‍वर सँ ओकरा किछु भेटतैक,[8] कारण, एहन मनुष्‍य दूमतिया अछि। सभ बात मे ओ अपन मोन आगाँ-पाछाँ करैत रहैत अछि।

फिलिप्‍पी 4:13
जे हमरा बल दैत छथि हम तिनका द्वारा सभ किछु कऽ सकैत छी।

याकूब 2:24
देखैत छी ने, मनुष्‍य मात्र विश्‍वासे सँ नहि, बल्‍कि काज सँ धार्मिक ठहराओल जाइत अछि।

लूका 17:5
तखन समीह-दूत सभ हुनका कहलथिन, “हमरा सभक विश्‍वास केँ बढ़ाउ!”

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT