A A A A A

परमेश्वर: [भगवान की कृपा]

इफिसी 2:8-9
[8] कारण, विश्‍वास द्वारा, हुनकर कृपे सँ, अहाँ सभक उद्धार भेल अछि—ई अहाँ सभक कोनो पुण्‍यक फल नहि, बल्‍कि परमेश्‍वर द्वारा देल गेल दान अछि।[9] ई ककरो द्वारा कयल कोनो कर्मक परिणाम नहि छैक, जे एहि पर केओ घमण्‍ड करय।

तीतुस 2:11
किएक तँ परमेश्‍वरक कृपा सभ मनुष्‍यक उद्धारक लेल प्रगट भेल अछि।

रोमी 11:6
और ई जँ परमेश्‍वरक कृपाक परिणाम अछि, तँ मनुष्‍यक कर्मक फल आब नहि भेल, नहि तँ परमेश्‍वरक कृपा कृपे नहि रहैत।

मसीह-दूत 15:11
नहि! अपना सभक विश्‍वास अछि जे अपना सभक उद्धार प्रभु यीशुक कृपेक कारणेँ भेल अछि—जेना ओकरा सभक तेना अपनो सभक।”

इब्रानी 4:16
तेँ अपना सभ निर्भयतापूर्बक परमेश्‍वरक सिंहासन लग, जतऽ कृपा कयल जाइत अछि, ततऽ चलू, जाहि सँ अपना सभ पर दया कयल जाय आ अपना सभ ओ कृपा पाबी जे अपना सभक आवश्‍यकताक समय मे सहायता करत।

मसीह-दूत 20:32
“और आब हम अहाँ सभ केँ परमेश्‍वरक जिम्‍मा मे छोड़ि रहल छी आ हुनकर कृपापूर्ण वचनक सुरक्षा मे सौंपि दैत छी, जे वचन अहाँ सभ केँ मजगूत बना सकैत अछि आ परमेश्‍वरक सभ पवित्र कयल लोकक संग अहाँ सभक उत्तराधिकार अहाँ सभ केँ दऽ सकैत अछि।

याकूब 4:6
नहि, ओ निरर्थक बात नहि अछि आ तेँ ओ प्रशस्‍त मात्रा मे कृपा कऽ कऽ अपना सभक सहायता करैत छथि। एहि कारणेँ धर्मशास्‍त्रक कथन अछि जे, “परमेश्‍वर घमण्‍डी सभक विरोध करैत छथि, मुदा नम्र लोक सभ पर कृपा करैत छथि।”

इफिसी 1:7
किएक तँ मसीहक कारणेँ आ माध्‍यम सँ, अपना सभ केँ हुनकर बहाओल खून द्वारा छुटकारा भेटल अछि, अर्थात्‌, पापक क्षमा। ई सभ परमेश्‍वरक ओहि अपार कृपाक परिणाम भेल,

रोमी 5:1-2
[1] एहि तरहेँ विश्‍वास सँ धार्मिक ठहराओल जयबाक कारणेँ प्रभु यीशु मसीहक द्वारा परमेश्‍वर सँ अपना सभक मेल भेल अछि।[2] यैह यीशु मसीह अपना सभ केँ परमेश्‍वरक संग एहि नव सम्‍बन्‍ध मे अनने छथि जे सम्‍बन्‍ध हुनका कृपा पर आधारित अछि आ जाहि सम्‍बन्‍ध मे अपना सभ स्‍थिर छी। और परमेश्‍वरक महिमा मे सहभागी होयबाक आशा मे आनन्‍दित छी।

तीतुस 3:7
जाहि सँ हुनकर कृपा द्वारा धार्मिक ठहराओल जा कऽ अपना सभ ओहि अनन्‍त जीवनक उत्तराधिकारी होइ, जकर अपना सभ केँ आशा अछि।

रोमी 3:20-24
[20] किएक तँ धर्म-नियमक पालन कयला सँ कोनो मनुष्‍य परमेश्‍वरक नजरि मे धार्मिक नहि ठहरत, बल्‍कि धर्म-नियमक माध्‍यम सँ मनुष्‍य केँ अपन पापक ज्ञान होइत छैक।[21] मुदा आब परमेश्‍वर अपना दिस सँ एकटा तेहन धार्मिकता प्रगट कयने छथि जे धर्म-नियम पर निर्भर नहि अछि, आ जाहि सम्‍बन्‍ध मे धर्म-नियम आ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभक लेख गवाही सेहो देने अछि।[22] प्रगट भेल धार्मिकता ई अछि जे परमेश्‍वर विश्‍वासक आधार पर तकरा सभ गोटे केँ धार्मिक ठहरबैत छथि जे सभ यीशु मसीह पर विश्‍वास करैत अछि। ककरो मे कोनो भेद नहि—[23] सभ केओ पाप कयने अछि आ परमेश्‍वरक महिमा तक पहुँचऽ मे चुकि जाइत अछि।[24] मुदा परमेश्‍वर अपना खुशी सँ दानक रूप मे विश्‍वास कयनिहार सभ केँ ओहि छुटकाराक माध्‍यम सँ धार्मिक ठहरबैत छथि जे छुटकारा ओ मसीह यीशु द्वारा पूरा कयलनि।

यूहन्‍ना 1:17
धर्म-नियम मूसा द्वारा देल गेल, मुदा कृपा और सत्‍य यीशु मसीह द्वारा आयल।

2 तिमुथियुस 2:1
एहि लेल, यौ हमर बालक, अहाँ मसीह यीशुक कृपा द्वारा बलवन्‍त होइत जाउ,

2 तिमुथियुस 1:9
कारण, परमेश्‍वर अपना सभक उद्धार कयलनि आ अपना सभ केँ पवित्र जीवन बितयबाक लेल बजौलनि। ई उद्धार अपना सभक कयल काजक कारणेँ नहि, बल्‍कि हुनकर अपन उद्देश्‍य आ कृपाक कारणेँ भेल। हुनकर ओ कृपा मसीह यीशुक माध्‍यम सँ संसारक सृष्‍टि सँ पहिने अपना सभ पर कयल गेल छल,

2 कोरिन्‍थी 12:9
मुदा ओ हमरा कहलनि, “हमर कृपा तोरा लेल प्रशस्‍त छह, किएक तँ हमर सामर्थ्‍यक पूर्णता मनुष्यक दुर्बलता मे सिद्ध होइत अछि।” एहि लेल हम खुशी सँ अपन दुर्बलता सभ पर गर्व करब, जाहि सँ ओहि दुर्बलता सभक द्वारा हमरा मे मसीहक सामर्थ्‍य क्रियाशील रहय।

रोमी 3:24
मुदा परमेश्‍वर अपना खुशी सँ दानक रूप मे विश्‍वास कयनिहार सभ केँ ओहि छुटकाराक माध्‍यम सँ धार्मिक ठहरबैत छथि जे छुटकारा ओ मसीह यीशु द्वारा पूरा कयलनि।

मसीह-दूत 20:24
मुदा हमरा लेल हमर प्राणक कोनो महत्‍व नहि अछि। हमरा एकेटा एही बात सँ मतलब अछि जे हम ओहि दौड़ केँ अन्‍त धरि दौड़ी आ ओहि काज केँ पूरा करी जे प्रभु यीशु हमरा देने छथि। ओ काज अछि परमेश्‍वरक कृपा सम्‍बन्‍धी शुभ समाचारक गवाही देनाइ।

1 पत्रुस 5:10
अहाँ सभ केँ कनेक काल धरि कष्‍ट सहन कऽ लेलाक बाद, परमेश्‍वर, जे सम्‍पूर्ण कृपाक स्रोत छथि, से अपने अहाँ सभ केँ सिद्ध, दृढ़, बलवन्‍त आ स्‍थिर करताह। ओ तँ यीशु मसीह मे अहाँ सभ केँ अपन अनन्‍त कालीन महिमा मे सहभागी होयबाक लेल बजौने छथि।

इफिसी 2:4-9
[4] मुदा अपार दया करऽ वला परमेश्‍वर अपना सभक प्रति महान्‌ प्रेम रखबाक कारणेँ,[5] अपना सभ केँ मसीहक संग-संग जीवित कऽ देलनि—सेहो तहिया, जहिया अपना सभ अपराधक कारणेँ मरल छलहुँ! हुनकर कृपे सँ अहाँ सभक उद्धार भेल अछि।[6] ओ अपना सभ केँ मसीह यीशुक संग-संग जिऔलनि आ हुनका संग स्‍वर्गीय क्षेत्र मे बैसौलनि।[7] ओ ई एहि लेल कयलनि जे आबऽ वला युग सभ मे ओ अपन ओहि अतुलनीय कृपाक महान्‌ता केँ प्रदर्शित कऽ सकथि, जकरा ओ मसीह यीशु द्वारा अपना सभ पर दया कऽ कऽ प्रगट कयलनि अछि।[8] कारण, विश्‍वास द्वारा, हुनकर कृपे सँ, अहाँ सभक उद्धार भेल अछि—ई अहाँ सभक कोनो पुण्‍यक फल नहि, बल्‍कि परमेश्‍वर द्वारा देल गेल दान अछि।[9] ई ककरो द्वारा कयल कोनो कर्मक परिणाम नहि छैक, जे एहि पर केओ घमण्‍ड करय।

रोमी 2:8-10
[8] मुदा जे केओ स्‍वार्थी लालसा सभक वश मे रहैत अछि आ सत्‍य केँ स्‍वीकार नहि करैत अछि, बल्‍कि अधर्म पर चलैत अछि, तकरा पर परमेश्‍वरक दण्‍ड आ क्रोध बरसत।[9] दुष्‍कर्म कयनिहार प्रत्‍येक मनुष्‍य पर कष्‍ट आ संकट आओत, पहिने यहूदी पर आ फेर आन जातिक लोक पर।[10] मुदा सत्‍कर्म कयनिहार प्रत्‍येक मनुष्‍य केँ सम्‍मान, आदर आ शान्‍ति भेटतैक, पहिने यहूदी केँ आ फेर आन जातिक लोक केँ।

1 कोरिन्‍थी 15:10
मुदा हम जे किछु छी से परमेश्‍वरक कृपा सँ छी आ हमरा पर जे हुनका द्वारा कृपा कयल गेल से व्‍यर्थ नहि भेल। हम आन सभ मसीह-दूत सँ बढ़ि कऽ परिश्रम कयलहुँ—ओना तँ हम नहि कयलहुँ, बल्‍कि ई परमेश्‍वरक ओहि कृपा द्वारा भेल जे हमरा पर रहल।

इफिसी 2:5
अपना सभ केँ मसीहक संग-संग जीवित कऽ देलनि—सेहो तहिया, जहिया अपना सभ अपराधक कारणेँ मरल छलहुँ! हुनकर कृपे सँ अहाँ सभक उद्धार भेल अछि।

तीतुस 2:11-12
[11] किएक तँ परमेश्‍वरक कृपा सभ मनुष्‍यक उद्धारक लेल प्रगट भेल अछि।[12] ई कृपा अपना सभ केँ ई सिखबैत अछि जे अधर्म आ सांसारिक अभिलाषा सभ केँ त्‍यागि कऽ एहि संसार मे विचारवान भऽ कऽ और उचित व्‍यवहार कऽ कऽ एहन जीवन व्‍यतीत करी जकरा सँ परमेश्‍वर प्रसन्‍न होथि।

2 कोरिन्‍थी 12:8-9
[8] हम एकरा विषय मे प्रभु सँ तीन बेर नेहोरा-विनती कयलहुँ जे ई हमरा सँ दूर भऽ जाय।[9] मुदा ओ हमरा कहलनि, “हमर कृपा तोरा लेल प्रशस्‍त छह, किएक तँ हमर सामर्थ्‍यक पूर्णता मनुष्यक दुर्बलता मे सिद्ध होइत अछि।” एहि लेल हम खुशी सँ अपन दुर्बलता सभ पर गर्व करब, जाहि सँ ओहि दुर्बलता सभक द्वारा हमरा मे मसीहक सामर्थ्‍य क्रियाशील रहय।

यूहन्‍ना 1:14
वचन मनुष्‍य बनि गेलाह, और कृपा आ सत्‍य सँ परिपूर्ण भऽ, हमरा सभक बीच मे निवास कयलनि। हम सभ हुनकर एहन महिमा देखलहुँ जेना पिताक एकलौता पुत्रक महिमा।

इफिसी 4:7
मुदा अपना सभ केँ भेटल वरदान अलग-अलग अछि—मसीह जाहि रूप मे बाँटऽ चाहलनि, ताहि अनुसारेँ अपना सभ मे सँ हर एक केँ कृपाक विशेष वरदान देल गेल अछि।

2 पत्रुस 1:2
परमेश्‍वर केँ आ यीशु अपना सभक प्रभु केँ चिन्‍हबाक द्वारा अहाँ सभ केँ प्रशस्‍त मात्रा मे कृपा आ शान्‍तिक अनुभव होअय।

रोमी 1:7
अहाँ सभ जे रोम शहर मे परमेश्‍वरक प्रिय लोक छी आ पवित्र होयबाक लेल बजाओल गेल छी, अहाँ सभ गोटे केँ हम ई पत्र लिखि रहल छी। अपना सभक पिता परमेश्‍वर आ प्रभु यीशु मसीह अहाँ सभ पर कृपा करथि आ अहाँ सभ केँ शान्‍ति देथि।

रोमी 5:17
जँ एके मनुष्‍यक पापक कारणेँ ओहि मनुष्‍य द्वारा मृत्‍यु राज्‍य कयलक, तँ एहि सँ कतेक बढ़ि कऽ जकरा सभ केँ परमेश्‍वरक प्रशस्‍त कृपा आ धार्मिकताक दान भेटल छैक, से सभ एके मनुष्‍य, अर्थात् यीशु मसीह, द्वारा जीवन मे राज्‍य करत।

यूहन्‍ना 1:16
हुनकर परिपूर्णता मे सँ हमरा सभ गोटे केँ कृपा भेटल अछि, हँ, आशिष पर आशिष। कारण,

तीतुस 2:11-14
[11] किएक तँ परमेश्‍वरक कृपा सभ मनुष्‍यक उद्धारक लेल प्रगट भेल अछि।[12] ई कृपा अपना सभ केँ ई सिखबैत अछि जे अधर्म आ सांसारिक अभिलाषा सभ केँ त्‍यागि कऽ एहि संसार मे विचारवान भऽ कऽ और उचित व्‍यवहार कऽ कऽ एहन जीवन व्‍यतीत करी जकरा सँ परमेश्‍वर प्रसन्‍न होथि।[13] कारण, अपना सभ ओहि दिनक बाट तकैत छी जहिया अपना सभक आनन्‍दपूर्ण आशा पूरा भऽ जायत, अर्थात्, जहिया अपना सभक महान् परमेश्‍वर आ उद्धारकर्ता, यीशु मसीह, महिमाक संग प्रगट होयताह।[14] ओ वैह छथि जे अपना केँ अर्पित कऽ देलनि जाहि सँ ओ अपना सभ केँ सभ प्रकारक दुष्‍कर्म सँ छुटकारा देबाक मोल चुकबथि आ अपना सभ केँ शुद्ध कऽ कऽ ओ अपना लेल एहन प्रजा बनबथि जे हुनकर अपन निज लोक होनि और नीक काज करबाक लेल सदत उत्‍सुक रहनि।

रोमी 5:2
यैह यीशु मसीह अपना सभ केँ परमेश्‍वरक संग एहि नव सम्‍बन्‍ध मे अनने छथि जे सम्‍बन्‍ध हुनका कृपा पर आधारित अछि आ जाहि सम्‍बन्‍ध मे अपना सभ स्‍थिर छी। और परमेश्‍वरक महिमा मे सहभागी होयबाक आशा मे आनन्‍दित छी।

2 कोरिन्‍थी 6:1
परमेश्‍वरक सहकर्मी भऽ कऽ हम सभ अहाँ सभ सँ आग्रह करैत छी जे परमेश्‍वरक जे कृपा अहाँ सभ केँ भेटल अछि तकरा व्‍यर्थ नहि होमऽ दिअ।

2 थिसलुनिकी 1:12
किएक तँ एहि तरहेँ अपना सभक परमेश्‍वर आ प्रभु यीशु मसीहक कृपाक कारणेँ अहाँ सभ द्वारा अपना सभक प्रभु यीशु केँ आदर-प्रशंसा प्राप्‍त होयतनि, आ हुनका द्वारा अहाँ सभ केँ आदर-प्रशंसा प्राप्‍त होयत।

1 तिमुथियुस 1:13-16
[13] जखन कि हम पहिने हुनकर निन्‍दा करैत छलहुँ, हुनकर लोक केँ सतबैत छलहुँ आ खुलि कऽ हुनकर अपमान करैत छलहुँ। मुदा हमरा पर हुनकर दया भेलनि, कारण, हमरा सँ ओ सभ काज अज्ञानता आ अविश्‍वासक दशा मे भेल छल।[14] और देखू, अपना सभक परमेश्‍वर हमरा पर असीम कृपा कयलनि और संगे-संग हमरा ओहि विश्‍वास आ प्रेम सँ भरि देलनि जे मसीह यीशु द्वारा भेटैत अछि।[15] ई एक सत्‍य बात अछि, जकर विश्‍वास सभ केँ करबाक चाही—मसीह यीशु संसार मे पापी सभ केँ बचयबाक लेल अयलाह। और ओकरा सभ मे सँ सभ सँ बड़का पापी हम छी।[16] मुदा यैह कारण छल जे हमरा पर मसीह यीशुक दया भेलनि, जाहि सँ सभ सँ बड़का पापी पर ओ अपन असीम धैर्य प्रगट करथि, और एहि तरहेँ बाद मे आबऽ वला ओहि लोक सभक लेल हम एक उदाहरण बनिएनि जे सभ हुनका पर विश्‍वास कऽ कऽ अनन्‍त जीवन पौनिहार बनताह।

रोमी 6:23
किएक तँ पापक मजदूरी अछि मृत्‍यु, मुदा परमेश्‍वरक वरदान अछि अनन्‍त जीवन जे अपना सभक प्रभु, मसीह यीशुक माध्‍यम सँ प्राप्‍त होइत अछि।

रोमी 3:23
सभ केओ पाप कयने अछि आ परमेश्‍वरक महिमा तक पहुँचऽ मे चुकि जाइत अछि।

2 कोरिन्‍थी 9:8
परमेश्‍वर अपना कृपा सँ अहाँ सभ केँ प्रशस्‍त मात्रा मे सभ प्रकारक आशिष देबऽ मे समर्थ छथि जाहि सँ अहाँ सभ केँ जे किछु आवश्‍यक होअय, से सदिखन अहाँ सभ लग रहय, आ प्रत्‍येक भलाइक काजक लेल सेहो अहाँ सभ लग बहुत किछु बचि जाय।

याकूब 2:8
धर्मशास्‍त्र कहैत अछि, “अपन पड़ोसी सँ अपने जकाँ प्रेम करह।” जँ अहाँ सभ वास्‍तव मे एहि राजकीय नियमक पालन करैत छी तँ ठीक करैत छी।

1 यूहन्‍ना 5:3
परमेश्‍वर सँ प्रेम कयनाइ ई अछि—हुनकर आज्ञा सभक पालन कयनाइ। हुनकर आज्ञा सभ कठिन नहि अछि,

2 पत्रुस 3:9
प्रभु अपन देल वचन पूरा करबा मे देरी नहि करैत छथि, जेना कि किछु लोक बुझैत अछि, बल्‍कि ओ अहाँ सभक प्रति धैर्य रखने छथि। ओ ई नहि चाहैत छथि जे केओ नाश होअय, बल्‍कि ई चाहैत छथि जे सभ केओ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करय।

मसीह-दूत 2:38
पत्रुस उत्तर देलथिन, “अहाँ सभ गोटे अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू और यीशु मसीहक नाम सँ बपतिस्‍मा लिअ, जाहि सँ परमेश्‍वर अहाँ सभक पाप केँ क्षमा करथि आ अहाँ सभ केँ पवित्र आत्‍मा प्रदान करथि।

रोमी 3:27
तखन घमण्‍ड करऽ वला बात कतऽ रहल? ओकर तँ कोनो स्‍थाने नहि अछि। कोन कारणेँ? की एहि कारणेँ जे धर्म-नियम केँ पालन नहि कऽ सकलहुँ? नहि, बल्‍कि एहि कारणेँ जे सभ बात आब विश्‍वासे पर निर्भर अछि।

याकूब 2:12
एहि लेल अहाँ सभक बात-चीत आ व्‍यवहार एहन लोक सभक जकाँ होअय जकर सभक न्‍याय ओहि नियमक अनुसार होयतैक जे स्‍वतन्‍त्र करैत अछि।

रोमी 7:12
एहि तरहेँ अपना सभ देखैत छी जे धर्म-नियम अपने पवित्र अछि और आज्ञा सेहो पवित्र, उचित आ कल्‍याणकारी अछि।

रोमी 1:16
हम ई शुभ समाचार सुनाबऽ सँ लज्‍जित नहि होइत छी, किएक तँ ई शुभ समाचार ओ माध्‍यम अछि जाहि द्वारा परमेश्‍वर अपना सामर्थ्‍य सँ प्रत्‍येक विश्‍वास कयनिहार लोकक उद्धार करैत छथि, पहिने यहूदी सभक आ फेर आन जातिक लोक सभक।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT