A A A A A

परमेश्वर: [समय]

2 कोरिन्‍थी 6:2
किएक तँ परमेश्‍वर धर्मशास्‍त्र मे कहैत छथि जे, “हम अपन कृपादृष्‍टि रखबाक समय मे तोहर सुनलिअह, आ उद्धारक दिन मे हम तोहर सहायता कयलिअह।” देखू, एखने “कृपादृष्‍टिक समय” अछि। देखू, आइए “उद्धारक दिन” अछि।

1 यूहन्‍ना 2:17
संसार और जाहि कोनो बातक लेल ओकर इच्‍छा होइत छैक, से सभ समाप्‍त भऽ रहल अछि, मुदा जे व्‍यक्‍ति परमेश्‍वरक इच्‍छा पर चलैत अछि, से सदा-सर्वदा जीबैत रहत।

यूहन्‍ना 3:16
“हँ, परमेश्‍वर संसार सँ एहन प्रेम कयलनि जे ओ अपन एकमात्र बेटा केँ दऽ देलनि, जाहि सँ जे केओ हुनका पर विश्‍वास करैत अछि से नाश नहि होअय, बल्‍कि अनन्‍त जीवन पाबय।

यूहन्‍ना 9:4
जे हमरा पठौलनि, तिनकर काज अपना सभ केँ दिने मे करऽ पड़त। राति आबि रहल अछि, जखन केओ नहि काज कऽ सकैत अछि।

रोमी 13:11
अपना सभ कतेक महत्‍वपूर्ण समय मे रहि रहल छी, से बुझि, एहि बात सभ पर ध्‍यान दिअ। निन्‍न सँ जागि कऽ उठबाक समय आबि गेल अछि, कारण, अपना सभ जाहि समय मे विश्‍वास मे अयलहुँ, तकर अपेक्षा आब अपना सभक उद्धार पूर्ण होयबाक समय बेसी लग अछि।

मरकुस 13:32-33
[32] “मुदा एहि घटना सभक दिन वा समय केओ नहि जनैत अछि, स्‍वर्गदूतो सभ नहि आ पुत्रो नहि—मात्र पिता जनैत छथि।[33] होसियार रहू! बाट तकैत रहू आ प्रार्थना करैत रहू! अहाँ सभ तँ नहि जनैत छी जे ओ समय कहिया होयत।

2 पत्रुस 3:8-9
[8] मुदा यौ प्रिय मित्र सभ, एकटा एहि बात केँ नहि बिसरू जे, प्रभुक दृष्‍टि मे एक दिन हजार वर्षक बराबरि अछि, आ हजार वर्ष एक दिनक बराबरि।[9] प्रभु अपन देल वचन पूरा करबा मे देरी नहि करैत छथि, जेना कि किछु लोक बुझैत अछि, बल्‍कि ओ अहाँ सभक प्रति धैर्य रखने छथि। ओ ई नहि चाहैत छथि जे केओ नाश होअय, बल्‍कि ई चाहैत छथि जे सभ केओ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करय।

कुलुस्‍सी 4:5-6
[5] प्रभु यीशु केँ नहि मानऽ वला लोक सभक संग विवेकपूर्ण व्‍यवहार करू। हर अवसरक पूरा सदुपयोग करू।[6] जखन ओकरा सभ सँ बात-चीत करैत छी, तँ नम्रता और विचारशीलता सँ करू, तखन अहाँ सभ प्रत्‍येक लोक केँ समुचित उत्तर देनाइ सिखब।

इफिसी 5:15-17
[15] एहि लेल, अपन आचरणक पूरा-पूरा ध्‍यान राखू। निर्बुद्धि लोक जकाँ नहि, बल्‍कि बुद्धिमान जकाँ आचरण करू।[16] हर अवसरक पूरा सदुपयोग करू, कारण, ई वर्तमान समय खराब अछि।[17] तेँ एहन लोक नहि बनू जे बिनु सोचि-विचारि कऽ काज करैत अछि, बल्‍कि प्रभुक इच्‍छा की अछि, से बुझू।

1 थिसलुनिकी 5:1-3
[1] यौ भाइ लोकनि, कोन बात कहिया कखन होयत, ताहि सम्‍बन्‍ध मे किछु लिखबाक कोनो आवश्‍यकता नहि अछि,[2] कारण, अहाँ सभ अपने नीक सँ जनैत छी जे, “प्रभुक दिन” ताहि तरहेँ अचानक आओत जाहि तरहेँ राति मे चोर अबैत अछि।[3] लोक सभ कहैत रहत जे, “सभ शान्‍त आ सुरक्षित अछि,” तखन जहिना गर्भवती स्‍त्री पर अचानक बच्‍चा केँ जन्‍म देबाक कष्‍ट अबैत छैक, तहिना ओकरा सभ पर विनाश आओत, और ओकरा सभ केँ बचबाक कोनो उपाय नहि रहतैक।

याकूब 4:13-17
[13] अहाँ सभ जे कहैत छी जे, “आइ वा काल्‍हि हम सभ फलना शहर जायब, ओतऽ एक वर्ष रहब आ व्‍यापार कऽ कऽ धन कमायब,” से सुनू हमर बात।[14] काल्‍हि की होयत से अहाँ सभ नहि जनैत छी। अहाँ सभक जीवन अछिए कतेक? अहाँ सभ मेघक धुइन छी जे कनेक काल देखाइ दैत अछि आ फेर लुप्‍त भऽ जाइत अछि।[15] अहाँ सभ केँ एकर बदला मे तँ ई कहबाक चाही जे, “जँ प्रभुक इच्‍छा होनि तँ हम सभ जीवित रहब आ ई वा ओ काज करब।”[16] मुदा ई केहन बात भेल जे अहाँ सभ अपन अहंकार सँ नियारल बात सभ पर घमण्‍ड करैत छी? एहन सभ घमण्‍ड कयनाइ अधलाह बात अछि।[17] एहि लेल, जे केओ ई जनैत अछि जे की कयनाइ उचित होइत मुदा करैत नहि अछि से पाप करैत अछि।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT