A A A A A

परमेश्वर: [चमत्कार]


मसीह-दूत 3:16
यीशुएक शक्‍ति सँ आ हुनका नाम पर विश्‍वास कयला सँ ई आदमी, जकरा अहाँ सभ देखि रहल छी आ चिन्‍हितो छी, से स्‍वस्‍थ कयल गेल अछि। हँ, ओही नाम पर विश्‍वास कयलाक कारणेँ ई लोथ आदमी एखन अहाँ सभक समक्ष पूर्ण स्‍वस्‍थ अछि।

यूहन्‍ना 2:11
एहि तरहेँ गलीलक काना गाम मे यीशु अपन चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह सभ शुरू कऽ कऽ अपन महिमा प्रगट कयलनि और हुनकर शिष्‍य सभ हुनका पर विश्‍वास कयलनि।

लूका 18:27
यीशु उत्तर देलथिन, “जे बात मनुष्‍यक लेल असम्‍भव अछि, से परमेश्‍वरक लेल सम्‍भव अछि।”

मरकुस 9:23
यीशु ओकरा कहलथिन, “कोना कहैत छह जे, ‘अपने जँ कऽ सकैत छी तँ...’? विश्‍वास करऽ वलाक लेल सभ किछु सम्‍भव छैक!”

मत्ती 17:20
ओ उत्तर देलथिन, “अहाँ सभ मे विश्‍वासक कमी अछि, तेँ। हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे, जँ अहाँ सभ मे सरिसोक दानो बराबरि विश्‍वास रहत आ एहि पहाड़ केँ कहब जे, ‘एहिठाम सँ हटि कऽ ओतऽ जो’ तँ हटि जायत। एहन कोनो बात नहि अछि जे अहाँ सभक लेल असम्‍भव होयत।

मत्ती 19:26
यीशु हुनका सभक दिस एकटक देखैत कहलथिन, “मनुष्‍यक लेल तँ ई असम्‍भव अछि, मुदा परमेश्‍वरक लेल सभ किछु सम्‍भव अछि।”

मत्ती 21:21
एहि पर यीशु उत्तर देलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे, जँ अहाँ सभ बिनु सन्‍देह कऽ विश्‍वास करब, तँ अहाँ सभ मात्र एतबे नहि करब जे एहि अंजीरक गाछक संग भेल, बल्‍कि जँ अहाँ सभ एहि पहाड़ केँ आज्ञा देबैक जे, ‘एतऽ सँ हट आ समुद्र मे जो,’ तँ सेहो भऽ जायत।

रोमी 15:18-19
[18] हम आन बातक विषय मे नहि बाजब—हम खाली ओही बात सभक चर्चा करबाक साहस करब जे मसीह गैर-यहूदी सभ केँ परमेश्‍वरक बात माननिहार बनयबाक लेल हमरा द्वारा की सभ कयने छथि, अर्थात्, हमर शब्‍द आ काजक माध्‍यम सँ,[19] चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह सभक सामर्थ्‍य द्वारा आ पवित्र आत्‍माक सामर्थ्‍य द्वारा। एहि क्रम मे हम यरूशलेम आ ओकर लग-पासक प्रदेश सँ लऽ कऽ इल्‍लुरिकुम धरि मसीहक शुभ समाचार-प्रचार करबाक अपन काज पूरा कयलहुँ।

मसीह-दूत 19:11-12
[11] परमेश्‍वर पौलुसक माध्‍यम सँ बहुत अद्‌भुत चमत्‍कार करैत छलाह।[12] लोक सभ रुमाल आ अंगपोछा हुनका देह मे छुआ कऽ अस्‍वस्‍थ लोक सभ लग लऽ जाइत छल, तँ ओ सभ अपना बिमारी सँ मुक्‍त भऽ जाइत छल आ दुष्‍टात्‍मा सभ ओकरा सभ मे सँ निकलि जाइत छलैक।

इफिसी 3:20-21
[20] आब ओ जे अपन सामर्थ्‍य अपना सभक भीतर क्रियाशील राखि कऽ अपना सभक सभ विनती आ कल्‍पनो सँ बढ़ि कऽ एतेक कऽ सकैत छथि जाहि बातक पार नहि पाबि सकैत छी[21] तिनकर महिमा पुस्‍त-पुस्‍तानि तक युगानुयुग मण्‍डली मे और मसीह यीशु मे प्रगट होइत रहनि। आमीन!

मसीह-दूत 4:29-31
[29] हे प्रभु, आब ओकरा सभक धमकी केँ देखू आ अपन सेवक सभ केँ ई वरदान दिअ जे अहाँक शुभ समाचार निर्भय भऽ कऽ सुनबैत रही।[30] संगहि अपन हाथ बढ़ा कऽ पीड़ित लोक सभ केँ स्‍वस्‍थ करू आ अपन पवित्र सेवक यीशुक नाम सँ चमत्‍कारपूर्ण काज करबैत रहू।”[31] जखन ओ सभ प्रार्थना समाप्‍त कयलनि तखन ओ स्‍थान, जतऽ ओ सभ जमा भेल छलाह, से हिलि गेल और ओ सभ गोटे पवित्र आत्‍मा सँ भरि गेलाह आ निर्भयतापूर्बक परमेश्‍वरक वचन सुनाबऽ लगलाह।

मरकुस 16:17-20
[17] जे सभ विश्‍वास करत से सभ ई चिन्‍ह सभ देखाओत—हमरा नाम सँ दुष्‍टात्‍मा केँ निकालत, अनजान भाषा मे बाजत,[18] जँ साँप उठा लेत वा विष पी लेत तँ ओकरा सभ केँ कोनो हानि नहि होयतैक। बिमार आदमी सभ पर हाथ राखत तँ ओ स्‍वस्‍थ भऽ जायत।”[19] तखन प्रभु यीशु शिष्‍य सभ सँ बात कयलाक बाद स्‍वर्ग मे उठा लेल गेलाह, और परमेश्‍वरक दहिना कात बैसलाह।[20] शिष्‍य सभ बाहर जा कऽ सभ जगह मे शुभ समाचारक प्रचार कयलनि। प्रभु हुनका सभक सहायता करैत रहलथिन, और प्रचारक संगे-संग जे चमत्‍कार देखाओल गेल तकरा द्वारा ओ अपन शुभ समाचारक सत्‍यता प्रमाणित कयलथिन।]

लूका 9:13-17
[13] ओ उत्तर देलथिन, “अहीं सभ एकरा सभ केँ भोजन करबिऔक।” ओ सभ कहलथिन, “हमरा सभ लग खाली पाँचटा रोटी आ दूटा माछ अछि, बस, आओर किछु नहि। वा की—एहि सभ लोकक लेल हम सभ भोजनक वस्‍तु किनि कऽ लाउ?”[14] ओतऽ पुरुषक संख्‍या लगभग पाँच हजार छल। यीशु शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “सभ केँ पचास-पचासक समूह मे बैसा दिऔक।”[15] शिष्‍य सभ ओहिना कयलनि आ सभ केओ बैसि रहल।[16] तकरबाद यीशु ओ पाँचटा रोटी आ दूटा माछ लऽ लेलनि आ स्‍वर्ग दिस तकैत ओहि रोटी आ माछक लेल परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देलनि। तखन रोटी आ माछ केँ तोड़लनि आ लोक सभ मे परसबाक लेल अपना शिष्‍य सभ केँ देलथिन।[17] सभ केओ भरि इच्‍छा भोजन कयलक। शिष्‍य सभ जखन रोटी आ माछक उबरल टुकड़ा सभ बिछलनि तँ ओ बारह छिट्टा भेल।

लूका 8:43-48
[43] भीड़ मे एक स्‍त्री छलि, जे बारह वर्ष सँ खून खसऽ वला रोग सँ पीड़ित छलि आ अपन सभ सम्‍पत्ति इलाजक पाछाँ वैद्य केँ दऽ देने छलि, मुदा ओकरा केओ नहि स्‍वस्‍थ कऽ सकल छल।[44] ओ पाछाँ सँ आबि यीशुक वस्‍त्रक कोर छुबि लेलक, और ओकर खून खसनाइ तुरत बन्‍द भऽ गेलैक।[45] यीशु पुछलथिन, “हमरा के छुलक?” जखन सभ केओ अस्‍वीकार कयलक तँ पत्रुस कहलथिन, “यौ मालिक, अहाँ तँ भीड़ सँ घेरल छी आ लोक सभ चारू कात सँ अहाँ केँ पिचि रहल अछि!”[46] मुदा यीशु कहलथिन, “नहि, केओ हमरा छुलक अछि। हम जनैत छी जे हमरा मे सँ सामर्थ्‍य बहरायल अछि।”[47] ओ स्‍त्री जखन देखलक जे हम नुकायल नहि रहि सकैत छी तँ कँपैत आबि यीशुक पयर पर खसलि, और सभ लोकक सामने कहि सुनौलकनि जे हुनका किएक छुलकनि आ कोना तुरत्ते स्‍वस्‍थ भऽ गेल।[48] तखन यीशु ओकरा कहलथिन, “बेटी, तोहर विश्‍वास तोरा स्‍वस्‍थ कऽ देलकह। शान्‍तिपूर्बक जाह।”

यूहन्‍ना 4:46-54
[46] तँ यीशु फेर गलीलक काना गाम मे अयलाह, जाहिठाम ओ पानि केँ अंगूरक मदिरा बना देने रहथि। कफरनहूम नगर मे राजाक एक हाकिम छलाह जिनकर बालक अस्‍वस्‍थ छलनि।[47] ओ ई खबरि सुनि जे यीशु यहूदिया प्रदेश सँ गलील मे पहुँचि गेल छथि, तँ जा कऽ हुनका सँ निवेदन कयलथिन जे, “चलि कऽ हमरा बेटा केँ नीक कऽ दिअ।” कारण ओ मरऽ पर छल।[48] यीशु हुनका कहलथिन, “अहाँ सभ जाबत तक चिन्‍ह और चमत्‍कार नहि देखब ताबत विश्‍वास कहियो नहि करब।”[49] हाकिम हुनका कहलथिन, “यौ सरकार, एखन चलू। नहि तँ हमर बौआ मरि जायत।”[50] यीशु उत्तर देलथिन, “जाउ अहाँ, अहाँक बेटा बाँचि गेल।” ओ आदमी यीशुक कथन पर विश्‍वास कयलनि और चल गेलाह।[51] ओ रस्‍ते मे छलाह कि हुनकर नोकर सभ भेँट कऽ हुनका कहलकनि, “अपनेक बच्‍चा ठीक भऽ गेल अछि!”[52] ओ ओकरा सभ सँ पुछलथिन जे कतेक बजे सँ बच्‍चा ठीक होमऽ लागल, तँ ओ सभ कहलकनि, “काल्‍हिखन लगभग एक बजे दिन मे ओकर बोखार उतरि गेल।”[53] तखन ओ बुझलनि जे ठीक ओही घड़ी यीशु हुनका कहने छलथिन जे, अहाँक बेटा बाँचि गेल। और ओ अपन पूरा परिवार यीशु पर विश्‍वास कयलनि।[54] ई आब दोसर चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह छल जे यीशु यहूदिया प्रदेश सँ गलील प्रदेश मे आबि कऽ देखौलनि।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT