A A A A A

चर्च: [ईश्वर की स्तुति करना]


इब्रानी 13:15
तेँ अपना सभ यीशुक माध्‍यम सँ परमेश्‍वर केँ स्‍तुति-बलिदान सदत चढ़बैत रही, अर्थात्‌ मुँह सँ हुनकर नामक गुणगान रूपी चढ़ौना।

इफिसी 1:6
जाहि सँ हुनकर ओ अनमोल कृपाक प्रशंसा होनि, जे ओ अपन प्रिय पुत्र द्वारा अपना सभ पर कयने छथि, जकरा पाबऽ जोगरक अपना सभ छलहुँ नहि।

इफिसी 5:19
आपस मे भजन, स्‍तुति-गान और भक्‍तिक गीत गबैत रहू। अपना मोनो मे प्रभुक लेल गीत गबैत-बजबैत रहू,

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT