A A A A A

चर्च: [स्वर्ग जा रहे हैं]


यूहन्‍ना 14:2-3
[2] हमरा पिताक घर मे बहुते रहऽ वला जगह अछि, और हम अहाँ सभक लेल जगह तैयार करऽ जा रहल छी। ई बात जँ नहि रहैत तँ हम अहाँ सभ केँ कहि दितहुँ।[3] और जँ हम अहाँ सभक लेल जगह तैयार करऽ जा रहल छी, तँ हम फेर आयब, और अहाँ सभ केँ हम अपना लग लऽ जायब, जाहि सँ हम जतऽ छी, ततऽ अहूँ सभ रही। जाहिठाम हम जा रहल छी,

फिलिप्‍पी 3:20-21
[20] मुदा अपना सभक नागरिकता तँ स्‍वर्गक अछि आ अपना सभ स्‍वर्ग सँ आबऽ वला मुक्‍तिदाताक बाट उत्‍सुकतापूर्बक तकैत रहैत छी, अर्थात्‌, प्रभु यीशु मसीहक।[21] हुनका सभ किछु केँ अपना अधीन कऽ लेबाक जे सामर्थ्‍य छनि, ताहि सामर्थ्‍य द्वारा ओ अपना सभक कमजोर मरणशील शरीर केँ बदलि कऽ अपन महिमामय शरीर जकाँ बना देताह।

मसीह-दूत 1:11
ओ सभ मसीह-दूत सभ केँ कहलथिन, “हे गलीलक लोक सभ, अहाँ सभ आकाश दिस की तकैत छी? यैह यीशु जे अहाँ सभ लग सँ स्‍वर्ग मे उठा लेल गेलाह से ओही तरहेँ एक दिन फेर औताह जाहि तरहेँ अहाँ सभ हुनका स्‍वर्ग जाइत देखलहुँ।”

इब्रानी 11:16
मुदा नहि। ओ सभ ताहि सँ उत्तम एक देश, अर्थात् “स्‍वर्ग-देश”, मे पहुँचबाक अभिलाषी छलाह। एहि कारणेँ परमेश्‍वर हुनका सभक परमेश्‍वर कहयबा मे कोनो संकोच नहि मानैत छथि। ओ तँ हुनका सभक लेल एक नगर तैयार कऽ लेने छथि।

यूहन्‍ना ၁၄:၁-၃
[၁] “अहाँ सभ अपना मोन मे घबड़ाउ नहि। परमेश्‍वर पर विश्‍वास करैत रहू और हमरो पर विश्‍वास करैत रहू।[၂] हमरा पिताक घर मे बहुते रहऽ वला जगह अछि, और हम अहाँ सभक लेल जगह तैयार करऽ जा रहल छी। ई बात जँ नहि रहैत तँ हम अहाँ सभ केँ कहि दितहुँ।[၃] और जँ हम अहाँ सभक लेल जगह तैयार करऽ जा रहल छी, तँ हम फेर आयब, और अहाँ सभ केँ हम अपना लग लऽ जायब, जाहि सँ हम जतऽ छी, ततऽ अहूँ सभ रही। जाहिठाम हम जा रहल छी,

मत्ती 18:15-18
[15] “अहाँक भाय जँ अहाँक संग अपराध करय तँ असगरे ओकरा लग जाउ आ एकान्‍त मे ओकर दोष ओकरा बुझा दिऔक। ओ जँ अहाँक बात सुनलक, तँ एकटा भाय अहाँ केँ फेर भेटि गेल से बुझू।[16] मुदा जँ ओ अहाँक बात नहि सुनैत अछि तँ अपना संग एक-दू आदमी केँ लऽ कऽ जाउ आ ओकरा बुझबिऔक, जाहि सँ, जहिना धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि, ‘हर बात दू वा तीन साक्षीक गवाही पर आधारित रहय’।[17] मुदा ओ जँ ओकरो सभक बात सुनबाक लेल तैयार नहि भेल, तँ तकर जानकारी विश्‍वासी मण्‍डली केँ दिऔक। आ जँ ओ विश्‍वासी मण्‍डलीक बात सेहो नहि सुनत, तँ ओकरा संग एहन व्‍यवहार करू जेना ओ अविश्‍वासी वा कर असूल कयनिहार ठकहारा होअय।[18] हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, अहाँ सभ जे किछु पृथ्‍वी पर बान्‍हब, से स्‍वर्ग मे बान्‍हल गेल रहत, आ जे किछु अहाँ सभ पृथ्‍वी पर खोलब से स्‍वर्ग मे खोलल गेल रहत।

यूहन्‍ना 14:28
“अहाँ सभ हमरा कहैत सुनलहुँ जे, हम जा रहल छी आ फेर अहाँ सभ लग आबि रहल छी। जँ अहाँ सभ हमरा सँ प्रेम करितहुँ तँ आनन्‍द मनबितहुँ जे हम पिता लग जा रहल छी, कारण पिता हमरा सँ पैघ छथि।

मसीह-दूत 4:12
कोनो दोसर व्‍यक्‍ति द्वारा उद्धार नहि अछि, कारण स्‍वर्गक नीचाँ मनुष्‍य केँ कोनो दोसर नाम नहि देल गेल अछि जाहि द्वारा अपना सभक उद्धार भऽ सकय।”

यूहन्‍ना ၃:၁၃
केओ स्‍वर्ग मे उपर नहि चढ़ल अछि; वैहटा चढ़ल छथि जे स्‍वर्ग सँ उतरल छथि, अर्थात् मनुष्‍य-पुत्र।

प्रकाशित-वाक्‍य 21:1-4
[1] तखन हम एक नव आकाश आ एक नव पृथ्‍वी देखलहुँ। पुरान आकाश आ पुरान पृथ्‍वी, दूनू लुप्‍त भऽ गेल छल आ आब समुद्रो नहि रहल।[2] तकरबाद हम पवित्र नगर, नव यरूशलेम, केँ स्‍वर्ग सँ परमेश्‍वर लग सँ उतरैत देखलहुँ। ओ अपन वरक लेल श्रृंगार कयल गेल नव कनियाँ जकाँ सजाओल गेल छल।[3] तखन हमरा सिंहासन सँ एक आवाज जोर सँ ई कहैत सुनाइ पड़ल, “देखू, परमेश्‍वरक निवास आब मनुष्‍यक बीच मे छनि। परमेश्‍वर ओकरा सभक संग निवास करताह। ओ सभ हुनकर प्रजा होयत आ परमेश्‍वर अपने ओकरा सभक बीच रहि कऽ ओकरा सभक परमेश्‍वर होयथिन।[4] ओ ओकरा सभक आँखिक सभ नोर पोछि देथिन। तकरबाद ने मृत्‍यु रहत, ने शोक, ने विलाप आ ने कष्‍ट, किएक तँ पहिलुका बात सभ समाप्‍त भऽ गेल अछि।”

1 तिमुथियुस 3:15
जँ हमरा अयबा मे विलम्‍ब भऽ जाय, तँ अहाँ एहि बात केँ जानि ली जे परमेश्‍वरक परिवार मे लोकक चालि-चलन केहन रहबाक चाही। परमेश्‍वरक परिवार जे अछि, से जीवित परमेश्‍वरक मण्‍डलिए अछि। वैह सत्‍यक खाम्‍ह आ न्‍यो अछि।

यूहन्‍ना ၁၄:၆
यीशु बजलाह, “रस्‍ता हमहीं छी, हँ, और सत्‍य और जीवन सेहो छी। हमरा बिनु केओ पिता लग नहि अबैत अछि।

मरकुस 6:3
की ई लकड़ी मिस्‍तिरी नहि अछि? की ई मरियमक बेटा और याकूब, योसेस, यहूदा और सिमोनक भाय नहि अछि? की एकर बहिन सभ अपना सभक बीच नहि रहैत अछि?” ओ सभ यीशु सँ डाह करऽ लागल।

फिलिप्‍पी 3:21
हुनका सभ किछु केँ अपना अधीन कऽ लेबाक जे सामर्थ्‍य छनि, ताहि सामर्थ्‍य द्वारा ओ अपना सभक कमजोर मरणशील शरीर केँ बदलि कऽ अपन महिमामय शरीर जकाँ बना देताह।

यूहन्‍ना 1:12
तैयो जे सभ हुनका स्‍वीकार कयलक, अर्थात् जे सभ हुनका पर विश्‍वास कयलक, तकरा सभ केँ ओ परमेश्‍वरक सन्‍तान बनबाक अधिकार देलथिन।

1 कोरिन्‍थी 13:12
तहिना एखन अपना सभ केँ अएना मे धोनाह सन देखाइ दैत अछि, मुदा तखन प्रत्‍यक्ष देखब। एखन हमर ज्ञान अपूर्ण अछि, मुदा तखन ओही तरहेँ पूर्ण रूप सँ जानब जाहि तरहेँ परमेश्‍वर पूर्ण रूप सँ हमरा एखनो जनैत छथि।

यूहन्‍ना 3:3-5
[3] यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “हम अहाँ केँ सत्‍ये कहैत छी जे, जाबत तक केओ नव जन्‍म नहि लेत ताबत तक ओ परमेश्‍वरक राज्‍य नहि देखि सकत।”[4] निकोदेमुस हुनका कहलथिन, “केओ बूढ़ भऽ कऽ कोना जन्‍म लेत? की ओ मायक गर्भ मे दोसर बेर प्रवेश कऽ फेर जन्‍म लऽ सकत?!”[5] यीशु उत्तर देलथिन, “हम अहाँ केँ विश्‍वास दिअबैत छी जे, जाबत तक केओ जल और आत्‍मा सँ जन्‍म नहि लेत ताबत तक ओ परमेश्‍वरक राज्‍य मे प्रवेश नहि कऽ सकत।

इब्रानी 12:14
सभक संग मेल-मिलाप सँ रहबाक लेल आ पवित्र जीवन बितयबाक लेल पूरा मोन सँ प्रयत्‍न करू, कारण, पवित्रताक बिना केओ परमेश्‍वर केँ नहि देखऽ पाओत।

प्रकाशित-वाक्‍य 21:1-2
[1] तखन हम एक नव आकाश आ एक नव पृथ्‍वी देखलहुँ। पुरान आकाश आ पुरान पृथ्‍वी, दूनू लुप्‍त भऽ गेल छल आ आब समुद्रो नहि रहल।[2] तकरबाद हम पवित्र नगर, नव यरूशलेम, केँ स्‍वर्ग सँ परमेश्‍वर लग सँ उतरैत देखलहुँ। ओ अपन वरक लेल श्रृंगार कयल गेल नव कनियाँ जकाँ सजाओल गेल छल।

1 कोरिन्‍थी 15:40-49
[40] स्‍वर्गिक शरीर होइत अछि आ पृथ्‍वी वला शरीर सेहो होइत अछि, मुदा स्‍वर्गिक शरीरक शोभा एक प्रकारक अछि आ पृथ्‍वी वलाक शोभा दोसर प्रकारक।[41] सूर्यक शोभा एक प्रकारक होइत अछि, चन्‍द्रमाक शोभा दोसर प्रकारक आ तरेगन सभक शोभा आन प्रकारक, एतऽ तक जे एक ताराक शोभा दोसर ताराक शोभा सँ भिन्‍न होइत अछि।[42] मरल सभक जीबि उठनाइ सेहो एहने बात अछि। जे शरीर मृत्‍यु द्वारा “बाउग कयल जाइत अछि” से मरऽ आ सड़ऽ वला अछि। जखन जिआओल जाइत अछि तँ मरैत आ सरैत नहि अछि।[43] अनादरपूर्ण दशा मे “बाउग कयल जाइत अछि,” महिमा सँ मण्‍डित भऽ जिआओल जाइत अछि। कमजोर दशा मे “बाउग कयल जाइत अछि”, जिआओल जा कऽ सामर्थी होइत अछि।[44] जे शरीर “बाउग कयल जाइत अछि” से प्राकृतिक वस्‍तु अछि आ जखन जिआओल जाइत अछि तँ ओ आत्‍मिक वस्‍तु अछि। जँ प्राकृतिक शरीर होइत अछि तँ आत्‍मिक शरीर सेहो होइत अछि।[45] धर्मशास्‍त्रक लेख सेहो यैह अछि जे, “पहिल मनुष्‍य, आदम, जीवित प्राणी बनि गेल।” “अन्‍तिम आदम”, अर्थात्‌ मसीह, जीवनदायक आत्‍मा बनलाह।[46] पहिने आत्‍मिक बात नहि, बल्‍कि प्राकृतिक बात आयल, तकरबादे आत्‍मिक बात।[47] पहिल मनुष्‍य माटिक बनल छल, पृथ्‍वी सँ छल, मुदा दोसर मनुष्‍य स्‍वर्ग सँ छथि।[48] पृथ्‍वी वला ओ मनुष्‍य जेहन छल तेहने ओ सभ लोक अछि जे पृथ्‍वी पर रहैत अछि आ स्‍वर्ग सँ आयल ओ मनुष्‍य जेहन छथि तेहने ओ सभ लोक होयत जे स्‍वर्ग मे रहत।[49] अपना सभ जहिना पृथ्‍वी वला मनुष्‍यक रूप धारण कयने छी तहिना स्‍वर्ग वला मनुष्‍यक रूप सेहो धारण करब।

लूका ၂၄:၃၉
हमर हाथ-पयर देखू। हमहीं छी! हमरा छुबि कऽ देखू! भूत-प्रेत केँ तँ एना हाड़-माँसु सभ नहि होइत छैक जेना अहाँ सभ हमरा देखि रहल छी।”

इब्रानी 9:27
जहिना ई निश्‍चित कयल गेल अछि जे मनुष्‍य एके बेर मरय आ तकरबाद ओकर न्‍याय कयल जाइक,

फिलिप्‍पी 1:21-23
[21] हमरा लेल जीवित रहबाक अर्थ अछि मसीहक लेल जीनाइ, आ मरनाइ अछि लाभ।[22] मुदा जँ हम जीवित रही तँ फलदायक परिश्रम कऽ सकब। तखन हम कोन चुनी—जीनाइ वा मरनाइ, से नहि जनैत छी।[23] हम बड़का दुबिधा मे छी। मोन तँ होइत अछि जे एहि संसार केँ छोड़ि कऽ मसीह लग जा कऽ रही, जे शरीर मे जीवित रहनाइ सँ बहुत नीक अछि।

इफिसी ၁:၂၂-၂၃
[၂၂] परमेश्‍वर सभ किछु हुनका अधीन मे कऽ देलथिन, और हुनका सभ बात पर सर्वोच्‍च प्रभु बना कऽ मण्‍डली केँ दऽ देलथिन।[၂၃] मण्‍डली मसीहक देह अछि, आ तिनका सँ परिपूर्ण अछि जे सभ किछु केँ सभ तरहेँ परिपूर्णता धरि लऽ जाइत छथि।

1 कोरिन्‍थी 1:10
यौ भाइ लोकनि, अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक नाम सँ हम अहाँ सभ सँ आग्रह करैत छी जे अहाँ सभ एकमत भऽ कऽ रहू जाहि सँ आपस मे फूट नहि होअय, बल्‍कि अहाँ सभक मोन आ विचार मे पूर्ण एकता होअय।

यूहन्‍ना 8:12
बाद मे यीशु फेर लोक सभ केँ कहलनि, “हम संसारक इजोत छी। जे केओ हमरा पाछाँ आओत, से अन्‍हार मे कहियो नहि चलत, बल्‍कि जीवनक इजोत प्राप्‍त करत।”

1 पत्रुस 3:15
मसीह केँ प्रभु मानि कऽ अपना हृदय मे सभ सँ ऊँच स्‍थान दिऔन। अहाँ सभ केँ जे आशा अछि, ताहि विषय मे जे सभ अहाँ सभ सँ प्रश्‍न करैत अछि, तकरा सभ केँ उत्तर देबाक लेल सदिखन तत्‍पर रहू। मुदा से नम्रता आ आदरक संग करू,

लूका ၅:၁၀
तहिना जबदीक पुत्र याकूब और यूहन्‍ना, जे सिमोनक हिस्‍सेदार छलथिन, सेहो चकित भेलाह। एहि पर यीशु सिमोन केँ कहलथिन, “डेराउ नहि! आब अहाँ मनुष्‍य सभ केँ पकड़ब।”

याकूब 5:16
तेँ अहाँ सभ एक-दोसराक सम्‍मुख अपन-अपन पाप मानि लिअ और एक-दोसराक लेल प्रार्थना करू जाहि सँ अहाँ सभ स्‍वस्‍थ कयल जाइ। धार्मिक लोकक प्रार्थना सँ बहुत प्रभावशाली परिणाम होइत अछि।

2 तिमुथियुस 2:2
और जे बात सभ अहाँ बहुत गवाह सभक समक्ष हमरा सँ सुनने छी, तकरा एहन विश्‍वासयोग्‍य लोक सभक जिम्‍मा मे सौंपि दिऔन जे सभ दोसरो लोक सभ केँ सिखाबऽ मे सक्षम होथि।

प्रकाशित-वाक्‍य 12:1
तकरबाद आकाश मे एक आश्‍चर्यजनक चिन्‍ह देखाइ देलक जकर अर्थ महत्‍वपूर्ण अछि—एक स्‍त्री वस्‍त्रक रूप मे सूर्य पहिरने छलीह। हुनका पयरक नीचाँ मे चन्‍द्रमा छल आ सिर पर बारहटा ताराक एक मुकुट छलनि।

यूहन्‍ना 6:51
ओ जीबैत रोटी जे स्‍वर्ग सँ उतरल अछि से हमहीं छी। जँ केओ ई रोटी खायत तँ ओ अनन्‍त काल तक जीबैत रहत। और ई रोटी जे हम संसारक जीवनक लेल देब, से हमर माँसु अछि।”

2 कोरिन्‍थी ၅:၈
हँ, हम सभ साहस रखैत छी आ एहि देह सँ अलग भऽ कऽ प्रभुक लग वला “घर पर” रहनाइ केँ सभ सँ उत्तम मानैत छी।

लूका 10:16
“जे केओ अहाँ सभक बात सुनैत अछि से हमर बात सुनैत अछि। जे केओ अहाँ सभ केँ अस्‍वीकार करैत अछि, से हमरा अस्‍वीकार करैत अछि, और जे केओ हमरा अस्‍वीकार करैत अछि से तिनका अस्‍वीकार करैत छनि जे हमरा पठौलनि।”

यूहन्‍ना 16:13
सत्‍यक आत्‍मा जखन औताह तखन ओ अहाँ सभ केँ पूर्ण सत्‍य बुझौताह, कारण ओ अपना तरफ सँ नहि बजताह, बल्‍कि जे ओ सुनताह सैह बजताह, और भविष्‍य मे होमऽ वला बात अहाँ सभ केँ कहि देताह।

1 यूहन्‍ना ၄:၆
मुदा अपना सभ परमेश्‍वरक छी, और जे केओ परमेश्‍वर केँ चिन्‍हैत छनि, से अपना सभक सुनैत अछि। मुदा जे केओ परमेश्‍वरक नहि अछि से अपना सभक नहि सुनैत अछि। एहि सँ अपना सभ सत्‍यक आत्‍मा और झूठक आत्‍मा चिन्‍हि सकैत छी।

यूहन्‍ना 21:15-19
[15] हुनका सभ केँ जलखइ कयलाक बाद यीशु सिमोन पत्रुस केँ कहलथिन, “सिमोन, यूहन्‍नाक पुत्र, की अहाँ हिनका सभ सँ बढ़ि कऽ हमरा सँ प्रेम करैत छी?” ओ उत्तर देलथिन, “हँ, प्रभु, अहाँ जनैत छी जे हम अहाँ सँ प्रेम करैत छी।” यीशु कहलथिन, “तँ हमर नव भेँड़ा केँ चराउ।”[16] फेर दोसर बेर यीशु पुछलथिन, “सिमोन, यूहन्‍नाक पुत्र, की अहाँ वास्‍तव मे हमरा सँ प्रेम करैत छी?” ओ उत्तर देलथिन, “हँ, प्रभु, अहाँ तँ जनैत छी जे हम अहाँ सँ प्रेम करैत छी।” यीशु बजलाह, “हमर भेँड़ाक देख-रेख करू।”[17] फेर तेसर बेर यीशु पुछलथिन, “सिमोन, यूहन्‍नाक पुत्र, की अहाँ हमरा सँ प्रेम करैत छी?” पत्रुस दुखी भेलाह जे यीशु तेसर बेर पुछलनि जे, “की अहाँ हमरा सँ प्रेम करैत छी?” ओ उत्तर देलथिन, “प्रभु, अहाँ तँ सभ किछु जनैत छी। अहाँ जनैत छी जे हम अहाँ सँ प्रेम करैत छी।” यीशु हुनका कहलथिन, “हमर भेँड़ा केँ चराउ।[18] हम अहाँ केँ सत्‍ये कहैत छी जे जखन अहाँ जबान छलहुँ, तखन अहाँ अपन डाँड़ अपने कसि लैत छलहुँ, आ जतऽ मोन होइत छल ततऽ जाइत छलहुँ। मुदा जखन अहाँ बूढ़ भऽ जायब, तखन हाथ पसारब और केओ दोसर अहाँक डाँड़ बान्‍हि कऽ अहाँ केँ ततऽ लऽ जायत जतऽ अहाँ नहि जाय चाहब।”[19] (ओ ई बात एकर संकेत देबाक लेल कहलथिन जे पत्रुस कोन तरहक मृत्‍यु द्वारा परमेश्‍वरक महिमा प्रगट करताह।) तखन ओ हुनका कहलथिन, “हमरा पाछाँ चलू।”

मत्ती 6:14
अहाँ सभ जँ लोकक अपराध क्षमा करब तँ अहाँ सभक पिता जे स्‍वर्ग मे छथि सेहो अहूँ सभक अपराध क्षमा करताह।

मत्ती 24:37-41
[37] जहिना नूहक समय मे भेल तहिना ओहि समय मे होयत जहिया मनुष्‍य-पुत्र फेर औताह।[38] जल-प्रलय होमऽ सँ पहिने लोक सभ खाय-पिबऽ मे आ विवाह करऽ-कराबऽ मे लागल छल। नूह जाहि दिन जहाज मे चढ़ि गेलाह ताहि दिन तक लोक सभ एहि सभ काज मे मस्‍त रहल।[39] ओकरा सभ केँ किछु बुझऽ मे नहि अयलैक जे कोन बात सभ होमऽ वला अछि, ताबत जल-प्रलयक बाढ़ि आबि कऽ ओकरा सभ केँ बहा कऽ लऽ गेलैक। मनुष्‍य-पुत्र जहिया फेर औताह, तहिया ओहिना होयत।[40] ओहि समय मे दू गोटे खेत मे रहत; ओहि मे सँ एकटा लऽ लेल जायत आ दोसर ओतहि छोड़ि देल जायत।[41] दूटा स्‍त्रीगण जाँत पिसैत रहत, एकटा लऽ लेल जायत आ दोसर छोड़ि देल जायत।

1 तिमुथियुस 2:4
कारण, हुनकर इच्‍छा ई छनि जे, सभ मनुष्‍य उद्धार पाबय आ सत्‍य केँ जानय।

1 थिसलुनिकी 4:17
तखन अपना सभ, जे सभ तहिओ जीवित रहब, सेहो हुनके सभक संग मेघ मे उठाओल जा कऽ आकाश मे प्रभु सँ भेटब। एहि तरहेँ अनन्‍त काल धरि अपना सभ प्रभुक संग रहब।

1 यूहन्‍ना ၅:၁၃
अहाँ सभ केँ, जे परमेश्‍वरक पुत्रक नाम पर विश्‍वास करैत छी, हम ई सभ बात लिखि रहल छी जाहि सँ अहाँ सभ जानी जे अहाँ सभ केँ अनन्‍त जीवन अछि।

रोमी ၈:၂၈
अपना सभ जनैत छी जे परमेश्‍वर सँ प्रेम कयनिहार लोक, अर्थात् हुनका उद्देश्‍यक अनुरूप बजाओल गेल लोक सभक लेल प्रत्‍येक परिस्‍थिति मे परमेश्‍वर भलाइ उत्‍पन्‍न करैत छथि।

यूहन्‍ना 5:24
“हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी जे, जे हमर बात सुनैत अछि और हमरा पठाबऽ वला केँ मानैत अछि तकरा अनन्‍त जीवन छैक। ओकरा न्‍यायक सामना नहि करऽ पड़तैक, कारण ओ एखने मृत्‍यु केँ पार भऽ कऽ जीवन मे प्रवेश कऽ लेने अछि।

1 कोरिन्‍थी 10:13
अहाँ सभ कहियो कोनो एहन परीक्षा मे नहि पड़लहुँ जे मनुष्‍य सभ केँ नहि होइत रहैत अछि। परमेश्‍वर विश्‍वासयोग्‍य छथि। ओ अहाँ सभ केँ एहन परीक्षा मे नहि पड़ऽ देताह जे अहाँ सभक सहनशक्‍ति सँ बाहर होअय। ओ परीक्षाक समय मे तकरा सहबाक साहस दैत अहाँ सभ केँ पार कऽ निकलबाक उपाय सेहो उपलब्‍ध करौताह।

मत्ती 25:46
तखन यीशु कहलनि, “ई सभ अनन्‍त दण्‍ड भोगबाक लेल चल जायत, मुदा धर्मी सभ अनन्‍त जीवन मे प्रवेश करत।”

लूका 23:43
यीशु उत्तर देलथिन, “हम तोरा सत्‍य कहैत छिअह जे, आइए तोँ हमरा संग स्‍वर्गधाम मे होयबह।”

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT