A A A A A

चर्च: [चर्च उत्पीड़न]


मसीह-दूत 8:1
साउल स्‍तिफनुसक हत्‍या सँ सहमत छल। ओही दिन सँ यरूशलेमक विश्‍वासी मण्‍डली पर भयंकर अत्‍याचार शुरू भऽ गेल और मसीह-दूत सभ केँ छोड़ि आरो सभ विश्‍वासी यहूदिया आ सामरिया प्रदेश मे छिड़िया गेल।

मत्ती 5:44
मुदा हम अहाँ सभ केँ कहैत छी, अपना शत्रु सभ सँ प्रेम करू आ अहाँ केँ जे सभ सतबैत अछि तकरा सभक लेल प्रभु सँ प्रार्थना करू।

2 तिमुथियुस 3:12
ई निश्‍चित अछि जे, जे सभ मसीह यीशुक लोक बनि भक्‍तिपूर्ण जीवन बिताबऽ चाहत तकरा सभ केँ अत्‍याचारक सामना करहे पड़तैक।

यूहन्‍ना 15:20
जे बात हम अहाँ सभ केँ कहलहुँ, तकरा मोन राखू, जे ‘दास अपना मालिक सँ पैघ नहि होइत अछि।’ जँ ओ सभ हमरा सतौने अछि तँ अहूँ सभ केँ सताओत। जँ हमर बात मानने अछि तँ अहूँ सभक मानत।

प्रकाशित-वाक्‍य 2:10
आबऽ वला समय मे अहाँ जे कष्‍ट सहऽ वला छी, ताहि सँ नहि डेराउ। देखू, शैतान अहाँ सभ केँ जँचबाक लेल अहाँ सभ मे सँ कतेको गोटे केँ जहल मे राखि देत। एहि तरहेँ अहाँ सभ केँ दस दिन तक कष्‍ट भोगऽ पड़त। प्राणो देबऽ पड़य, ताहि समय तक विश्‍वास मे स्‍थिर रहू, तखन हम अहाँ सभ केँ जीवनक मुकुट प्रदान करब।

रोमी 8:35
अपना सभ केँ मसीहक प्रेम सँ के अलग कऽ सकैत अछि? की कष्‍ट, वा संकट, वा अत्‍याचार, वा अकाल, वा गरीबी, वा खतरा, वा तरुआरि?

मत्ती 5:11
“धन्‍य छी अहाँ सभ, जखन लोक सभ हमरा कारणेँ अहाँ सभ केँ अपमानित करत, सताओत और झूठ बाजि-बाजि कऽ अहाँ सभक विरोध मे लोक केँ सभ तरहक अधलाह बात कहतैक।

रोमी 12:14
अहाँ सभ पर जे अत्‍याचार करय तकरा आशीर्वाद दिअ; हँ, आशीर्वाद दिअ, सराप नहि।

यूहन्‍ना 5:16
यीशु केँ विश्राम-दिन मे एहन काज करबाक कारणेँ यहूदी सभ हुनका सताबऽ लगलनि।

मत्ती 5:10-12
[10] धन्‍य अछि ओ सभ जे धार्मिक रहबाक कारणेँ सताओल जाइत अछि, किएक तँ स्‍वर्गक राज्‍य ओकरे सभक छैक।[11] “धन्‍य छी अहाँ सभ, जखन लोक सभ हमरा कारणेँ अहाँ सभ केँ अपमानित करत, सताओत और झूठ बाजि-बाजि कऽ अहाँ सभक विरोध मे लोक केँ सभ तरहक अधलाह बात कहतैक।[12] तखन खुशी होउ और आनन्‍द मनाउ, किएक तँ अहाँ सभक लेल स्‍वर्ग मे बड़का इनाम राखल अछि। एही तरहेँ लोक परमेश्‍वरक ओहि प्रवक्‍ता सभ केँ सेहो सतौने छलनि, जे सभ अहाँ सभ सँ पहिने प्राचीन समय मे छलाह।

2 कोरिन्‍थी 12:10
तेँ मसीहक लेल हम अपन दुर्बलता सभ मे, अपमान सभ मे, कष्‍ट सभ मे, सतावट सभ मे आ विपत्ति सभ मे प्रसन्‍न रहैत छी, किएक तँ जखन हम दुर्बल छी तखने बलगर होइत छी।

मसीह-दूत 13:50
मुदा यहूदी सभ परमेश्‍वर केँ मानऽ वला गैर-यहूदी जातिक स्‍त्रीगण सभ केँ जे सभ धनिक वर्गक छलि आ ओहि शहरक प्रतिष्‍ठित पुरुष सभ केँ चढ़ा-बढ़ा कऽ पौलुस आ बरनबासक विरोध मे उपद्रव करबाक लेल भड़का देलक और हुनका सभ केँ ओहि क्षेत्र सँ भगा देलकनि।

मसीह-दूत 7:52
परमेश्‍वरक एहन एकोटा प्रवक्‍ता भेलाह, जिनका अहाँ सभक पूर्वज सभ नहि सतौलकनि? परमेश्‍वरक धार्मिक सेवकक आगमनक सम्‍बन्‍ध मे भविष्‍यवाणी कयनिहार सभक ओ सभ खून तक कऽ देलकनि। और आब अहाँ सभ ओहि धार्मिक सेवक केँ पकड़बा कऽ हुनकर हत्‍या कयलहुँ।

मरकुस 4:17
मुदा ओ वचन ओकरा मे जड़ि नहि पकड़ैत छैक और तेँ कनेके काल तक स्‍थिर रहैत अछि। जखन वचनक कारणेँ ओकरा कष्‍ट और अत्‍याचार सहबाक स्‍थिति अबैत छैक तखन ओ सभ तुरत विश्‍वास केँ छोड़ि दैत अछि।

गलाती 4:29
मुदा जहिना ओहि समय मे प्राकृतिक परिस्‍थिति मे जन्‍मल बेटा परमेश्‍वरक आत्‍माक सामर्थ्‍य द्वारा जन्‍मल बेटा केँ सतबैत छल, तहिना आइओ भऽ रहल अछि।

मरकुस 10:30
तकरा एहि युग मे सय गुना भेटतैक—घर, भाय, बहिन, माय, सन्‍तान, जमीन, मुदा संगे-संगे सहऽ पड़तैक अत्‍याचार, और आबऽ वला युग मे भेटतैक अनन्‍त जीवन।

मत्ती 13:21
मुदा ओ वचन ओकरा मे जड़ि नहि पकड़ैत छैक आ ओ कनेके काल स्‍थिर रहैत अछि। जखन शुभ समाचारक कारणेँ ओकरा कष्‍ट सहऽ पड़ैत छैक वा ओकरा संग अत्‍याचार होमऽ लगैत छैक तँ ओ तुरत विश्‍वास केँ छोड़ि दैत अछि।

मसीह-दूत 22:4
एहि ‘बाट’ पर विश्‍वास कयनिहार सभ केँ सता कऽ हम मारिओ दैत छलहुँ—पुरुष आ स्‍त्रीगण दूनू केँ बान्‍हि-बान्‍हि कऽ जहल मे रखबा दैत छलहुँ।

मत्ती 5:10
धन्‍य अछि ओ सभ जे धार्मिक रहबाक कारणेँ सताओल जाइत अछि, किएक तँ स्‍वर्गक राज्‍य ओकरे सभक छैक।

गलाती 6:12
जे सभ बाहरी बात मे लोक केँ प्रभावित करऽ चाहैत अछि सैह सभ अहाँ सभ केँ खतना करयबाक लेल बाध्‍य करैत अछि। ओ सभ ई मात्र एहि लेल करैत अछि जे मसीहक क्रूसक कारणेँ ओकरा सभ केँ अत्‍याचार नहि सहऽ पड़ैक।

लूका 21:12
“मुदा एहि सभ बात सँ पहिने हमरा कारणेँ लोक सभ अहाँ सभ केँ पकड़ि कऽ अहाँ सभ पर अत्‍याचार करत। अहाँ सभ केँ सभाघर सभ मे सौंपि देत, जहल मे बन्‍द कऽ देत, और राजा आ राज्‍यपाल सभक समक्ष लऽ जायत।

मरकुस 10:29-30
[29] यीशु उत्तर देलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी, प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति जे हमरा लेल और शुभ समाचारक लेल घर, भाय, बहिन, माय-बाबू, सन्‍तान वा जमीन-जालक त्‍याग करत[30] तकरा एहि युग मे सय गुना भेटतैक—घर, भाय, बहिन, माय, सन्‍तान, जमीन, मुदा संगे-संगे सहऽ पड़तैक अत्‍याचार, और आबऽ वला युग मे भेटतैक अनन्‍त जीवन।

रोमी 8:35-37
[35] अपना सभ केँ मसीहक प्रेम सँ के अलग कऽ सकैत अछि? की कष्‍ट, वा संकट, वा अत्‍याचार, वा अकाल, वा गरीबी, वा खतरा, वा तरुआरि?[36] जेना कि धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि, “अहाँक लेल दिन भरि हम सभ वध कयल जाइत छी। वध होमऽ वला भेँड़ा सभ जकाँ हम सभ मानल गेल छी।”[37] नहि! अपना सभ सँ जे प्रेम कयने छथि तिनका द्वारा अपना सभ एहि सभ बात मे पूर्ण विजय पबैत छी।

मसीह-दूत 11:19-21
[19] स्‍तिफनुस केँ मारल गेलाक बाद मसीही विश्‍वासी सभ पर जखन अत्‍याचार बढ़ऽ लागल तँ ओ सभ जहाँ-तहाँ छिड़िया गेलाह आ फीनिकी प्रदेश, साइप्रस द्वीप और अन्‍ताकिया नगर तक पहुँचलाह। मुदा विशेष काल ओ सभ मात्र यहूदी सभक बीच शुभ समाचारक प्रचार करैत छलाह।[20] परन्‍तु हुनका सभ मे सँ किछु लोक, जे साइप्रस आ कुरेनक निवासी छलाह, से सभ अन्‍ताकिया नगर जा कऽ यूनानी सभ सँ सेहो सम्‍पर्क कऽ ओकरा सभ केँ प्रभु यीशुक सम्‍बन्‍ध मे शुभ समाचार सुनाबऽ लगलथिन।[21] प्रभुक शक्‍ति हुनका सभक संग छलनि, आ बहुतो लोक प्रभु पर विश्‍वास कऽ कऽ हुनकर रस्‍ता पर आबि गेलनि।

मसीह-दूत 9:4-5
[4] ओ जमीन पर खसि पड़ल आ ओकरा एक स्‍वर सुनाइ देलक, “हौ साउल, हौ साउल, तोँ हमरा किएक सतबैत छह?”[5] ओ पुछलकनि, “यौ प्रभु, अहाँ के छी?” ओ उत्तर देलथिन, “हम यीशु छी जिनका तोँ सता रहल छह।

गलाती 5:11
यौ भाइ लोकनि, जँ हम एखनो तक खतनाक प्रचार करैत रहितहुँ, जेना किछु लोक हमरा बारे मे कहैत अछि, तँ हमरा पर एखन तक यहूदी सभ द्वारा अत्‍याचार किएक कयल जाइत? जँ हम से करैत रहितहुँ तँ क्रूस परक भेल मसीहक मृत्‍युक प्रचार सँ जे ठेस लगैत छैक से समाप्‍त भऽ गेल रहैत।

मत्ती 10:23
“जखन लोक सभ अहाँ सभ केँ कोनो नगर मे सताबऽ लागत तखन अहाँ सभ भागि कऽ दोसर नगर चल जाउ। हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी, अहाँ सभ इस्राएल देशक सभ नगर मे अपन काज समाप्‍तो नहि कयने रहब, ताबत मनुष्‍य-पुत्र फेर आबि जयताह।

मत्ती 5:12
तखन खुशी होउ और आनन्‍द मनाउ, किएक तँ अहाँ सभक लेल स्‍वर्ग मे बड़का इनाम राखल अछि। एही तरहेँ लोक परमेश्‍वरक ओहि प्रवक्‍ता सभ केँ सेहो सतौने छलनि, जे सभ अहाँ सभ सँ पहिने प्राचीन समय मे छलाह।

1 तिमुथियुस 1:13
जखन कि हम पहिने हुनकर निन्‍दा करैत छलहुँ, हुनकर लोक केँ सतबैत छलहुँ आ खुलि कऽ हुनकर अपमान करैत छलहुँ। मुदा हमरा पर हुनकर दया भेलनि, कारण, हमरा सँ ओ सभ काज अज्ञानता आ अविश्‍वासक दशा मे भेल छल।

मत्ती 5:11-12
[11] “धन्‍य छी अहाँ सभ, जखन लोक सभ हमरा कारणेँ अहाँ सभ केँ अपमानित करत, सताओत और झूठ बाजि-बाजि कऽ अहाँ सभक विरोध मे लोक केँ सभ तरहक अधलाह बात कहतैक।[12] तखन खुशी होउ और आनन्‍द मनाउ, किएक तँ अहाँ सभक लेल स्‍वर्ग मे बड़का इनाम राखल अछि। एही तरहेँ लोक परमेश्‍वरक ओहि प्रवक्‍ता सभ केँ सेहो सतौने छलनि, जे सभ अहाँ सभ सँ पहिने प्राचीन समय मे छलाह।

लूका 11:49
एहि कारणेँ सर्वज्ञानी परमेश्‍वर कहलनि, ‘हम ओकरा सभक ओहिठाम अपन प्रवक्‍ता और दूत लोकनि केँ पठयबैक। ओ सभ हिनका सभ मे सँ कतेको गोटे केँ मारि देतनि और कतेको गोटे केँ सतौतनि।’

1 थिसलुनिकी 3:3-4
[3] जाहि सँ अहाँ सभ मे सँ केओ एहि अत्‍याचार सभक कारणेँ जे अहाँ सभ सहि रहल छी डगमगाय नहि लागी। अहाँ सभ तँ जनिते छी जे एहन कष्‍ट अपना सभक जीवन मे अयबेटा करत।[4] हम सभ अहाँ सभक ओतऽ जखन छलहुँ तँ अहाँ सभ केँ कहबो कयलहुँ जे अपना सभ केँ अत्‍याचारक सामना अवश्‍य करऽ पड़त, आ जेना अहाँ सभ जनिते छी, से बात भेबो कयल।

इब्रानी 11:36-38
[36] परीक्षा सहैत किछु लोक केँ उपहासक पात्र बनऽ पड़ल, कोड़ाक मारि खाय पड़ल, और जंजीर सँ बन्‍हा कऽ जहल मे रहऽ पड़ल।[37] किछु लोक केँ पथरबाहि कऽ कऽ मारल गेलनि। किछु केँ आरी सँ चीरि कऽ दू फाँक कऽ देल गेलनि। किछु लोक केँ तरुआरि सँ वध कयल गेलनि। किछु लोक गरीबी, अत्‍याचार आ दुर्व्‍यवहार सहैत भेँड़ा और बकरीक छाल ओढ़ने घुमैत छलाह।[38] संसार हुनका सभक जोगरक नहि छल। हुनका सभ केँ निर्जन क्षेत्र मे, पहाड़ पर, गुफा मे और खधिया मे शरण लेबऽ पड़लनि।

यूहन्‍ना 15:20-21
[20] जे बात हम अहाँ सभ केँ कहलहुँ, तकरा मोन राखू, जे ‘दास अपना मालिक सँ पैघ नहि होइत अछि।’ जँ ओ सभ हमरा सतौने अछि तँ अहूँ सभ केँ सताओत। जँ हमर बात मानने अछि तँ अहूँ सभक मानत।[21] ओ सभ अहाँ सभक संग एहन व्‍यवहार हमरा नामक कारणेँ करत, किएक तँ ओ सभ तिनका नहि चिन्‍हैत छनि जे हमरा पठौलनि।

मत्ती 10:21-23
[21] “भाय भाय केँ, बाबू अपना बेटा केँ मृत्‍युदण्‍डक लेल पकड़बाओत, आ बेटा-बेटी अपन माय-बाबूक विरोध मे ठाढ़ भऽ कऽ मरबाओत।[22] “अहाँ सभ सँ सभ केओ घृणा करत, एहि लेल जे अहाँ सभ हमर लोक छी। मुदा जे व्‍यक्‍ति अन्‍त तक अपना विश्‍वास मे स्‍थिर रहत से उद्धार पाओत।[23] “जखन लोक सभ अहाँ सभ केँ कोनो नगर मे सताबऽ लागत तखन अहाँ सभ भागि कऽ दोसर नगर चल जाउ। हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी, अहाँ सभ इस्राएल देशक सभ नगर मे अपन काज समाप्‍तो नहि कयने रहब, ताबत मनुष्‍य-पुत्र फेर आबि जयताह।

मत्ती 24:8-10
[8] ई सभ बात तँ कष्‍टक शुरुआते होयत।[9] “ओहि समय मे लोक सभ अहाँ सभ पर अत्‍याचार करयबाक लेल अहाँ सभ केँ अधिकारी सभक जिम्‍मा मे लगा देत आ मरबा देत। अहाँ सभ सँ सभ देशक लोक सभ एहि लेल घृणा करत जे अहाँ सभ हमर लोक छी।[10] ओहि समय मे बहुतो लोक अपन विश्‍वास छोड़ि देत। ओ सभ एक-दोसर केँ पकड़बाओत आ एक-दोसर सँ घृणा करत।

लूका 21:12-19
[12] “मुदा एहि सभ बात सँ पहिने हमरा कारणेँ लोक सभ अहाँ सभ केँ पकड़ि कऽ अहाँ सभ पर अत्‍याचार करत। अहाँ सभ केँ सभाघर सभ मे सौंपि देत, जहल मे बन्‍द कऽ देत, और राजा आ राज्‍यपाल सभक समक्ष लऽ जायत।[13] ई बात सभ अहाँ सभक लेल गवाही देबाक अवसर होयत।[14] मुदा अहाँ सभ अपना मोन मे ई निश्‍चय कऽ लिअ जे हमरा पर लगाओल अभियोगक उत्तर मे हम की बाजू तकर चिन्‍ता पहिने सँ हम नहि करब।[15] कारण, अहाँ सभ केँ बजबाक लेल हम तेहन शब्‍द और बुद्धि देब जे कोनो विरोधी ने तकरा सामने मे टिकि सकत आ ने तकरा काटि सकत।[16] माय-बाबू, भाय, कुटुम्‍ब-परिवार और साथी-संगी सभ अहाँ सभक संग विश्‍वासघात कऽ कऽ पकड़बाओत, और अहाँ सभ मे सँ कतेको केँ मारिओ देत।[17] अहाँ सभ सँ सभ केओ एहि लेल घृणा करत जे अहाँ सभ हमर लोक छी।[18] मुदा अहाँ सभक माथक एकटा केशो नहि टुटत।[19] विश्‍वास मे दृढ़ रहला सँ अहाँ सभ जीवन प्राप्‍त करब।

1 कोरिन्‍थी 4:8-13
[8] एखने अहाँ सभ तृप्‍त भऽ गेल छी! एखने अहाँ सभ सम्‍पन्‍न भऽ गेल छी! अहाँ सभ राजा भऽ गेलहुँ, आ सेहो बिनु हमरा सभक! कतेक बढ़ियाँ होइत जे अहाँ सभ वास्‍तव मे राजा भऽ गेल रहितहुँ जाहि सँ हमहूँ सभ अहाँ सभक संग राजा बनि सकितहुँ![9] हमरा एना बुझाइत अछि जे परमेश्‍वर हमरा सभ केँ, जे सभ मसीह-दूत छी, विजय-जुलूसक अन्‍त मे ओहि बन्‍दी सभ जकाँ रखने छथि जकरा सभ पर मृत्‍युदण्‍डक आज्ञा भऽ गेल होइक, किएक तँ हम सभ सम्‍पूर्ण सृष्‍टिक लेल, स्‍वर्गदूतो सभ आ मनुष्‍यो सभक लेल, तमाशा बनि गेल छी।[10] हम सभ मसीहक कारणेँ मूर्ख छी, मुदा अहाँ सभ मसीह मे ज्ञानवान छी! हम सभ दुर्बल छी मुदा अहाँ सभ बलवान छी! अहाँ सभ केँ आदर भेटि रहल अछि आ हमरा सभ केँ निरादर![11] हम सभ एखनो तक भूखल-पियासल रहैत छी, फाटल-पुरान पहिरैत छी, मारि खाइत छी। हमरा सभ केँ रहबाक लेल कोनो घर नहि अछि।[12] हम सभ अपना हाथ सँ कठिन परिश्रम करैत छी। जखन हमरा सभक अपमान कयल जाइत अछि तँ हम सभ आशीर्वाद दैत छी। जखन हमरा सभ पर अत्‍याचार होइत अछि तँ हम सभ ओकरा सहैत छी।[13] जखन लोक हमरा सभक निन्‍दा करैत अछि तखन हम सभ नम्रतापूर्बक उत्तर दैत छी। आइओ तक हम सभ संसारक मैल आ समाजक कूड़ा-करकट बनल छी।

इब्रानी 10:32-34
[32] बितल समयक स्‍मरण करू जहिया इजोत प्राप्‍त कयलाक बाद अहाँ सभ महा कष्‍टक संघर्ष मे स्‍थिर रहलहुँ।[33] कहियो-कहियो अहाँ सभ निन्‍दा आ अत्‍याचार द्वारा लोकक सम्‍मुख तमाशा बनलहुँ और कहियो-कहियो ओहने संकट मे पड़ल लोक केँ देखि अहाँ सभ स्‍वेच्‍छा सँ हुनका सभ केँ संग देलहुँ।[34] अहाँ सभ जहल मे राखल गेल लोकक संग सहानुभूति रखलहुँ, और अहाँ सभक धन-सम्‍पत्ति जखन लुटि लेल गेल तँ तकरा खुशी सँ बरदास्‍त कयलहुँ, कारण अहाँ सभ केँ बुझल छल जे अहाँ सभ लग एहि सँ नीक और टिकऽ वला सम्‍पत्ति अछि।

इब्रानी 11:33-38
[33] ई सभ विश्‍वासे द्वारा राज्‍य सभ केँ अपन अधीन कयलनि, न्‍यायक संग शासन कयलनि, ओ बात सभ प्राप्‍त कयलनि जाहि बातक सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वर वचन देने छलाह। ई सभ सिंह सभक मुँह बन्‍द कऽ,[34] धधकैत आगि केँ मिझा कऽ आ तरुआरिक धार सँ बाँचि कऽ सुरक्षित रहलाह। ई सभ निर्बलता मे बलवन्‍त कयल गेलाह और युद्ध मे सामर्थी भऽ आन-आन देशक सेना सभ केँ भगौलनि।[35] स्‍त्रीगण सभ अपन प्रिय लोक केँ मृत्‍यु सँ फेर जीवित पौलनि। किछु लोक बचाओल जयबाक बात अस्‍वीकार कऽ यातनापूर्ण मृत्‍यु सहब चुनलनि जाहि सँ एहि पृथ्‍वी परक जीवन सँ उत्तम जीवनक लेल जिआओल जाइ।[36] परीक्षा सहैत किछु लोक केँ उपहासक पात्र बनऽ पड़ल, कोड़ाक मारि खाय पड़ल, और जंजीर सँ बन्‍हा कऽ जहल मे रहऽ पड़ल।[37] किछु लोक केँ पथरबाहि कऽ कऽ मारल गेलनि। किछु केँ आरी सँ चीरि कऽ दू फाँक कऽ देल गेलनि। किछु लोक केँ तरुआरि सँ वध कयल गेलनि। किछु लोक गरीबी, अत्‍याचार आ दुर्व्‍यवहार सहैत भेँड़ा और बकरीक छाल ओढ़ने घुमैत छलाह।[38] संसार हुनका सभक जोगरक नहि छल। हुनका सभ केँ निर्जन क्षेत्र मे, पहाड़ पर, गुफा मे और खधिया मे शरण लेबऽ पड़लनि।

मसीह-दूत 12:1-19
[1] एही समय मे राजा हेरोद मण्‍डलीक किछु विश्‍वासी सभ पर अत्‍याचार करबाक लेल हुनका सभ केँ बन्‍दी बना लेलनि।[2] ओ यूहन्‍नाक भाय याकूब केँ तरुआरि सँ मरबा देलनि।[3] जखन ओ देखलनि जे एहि घटना सँ यहूदी सभ प्रसन्‍न भेल अछि तँ ओ पत्रुस केँ सेहो पकड़बा लेलनि। ई “बिनु खमीरक रोटी वला पाबनि”क समय मे भेल।[4] पत्रुस केँ बन्‍दी बना कऽ जहल मे रखबा देलनि, आ चारि-चारि सैनिकक चारिटा दलक पहरा मे राखि देलनि। हेरोद सोचलनि जे पत्रुस केँ फसह-पाबनिक बाद जनताक सामने न्‍यायक लेल उपस्‍थित करायब।[5] तँ पत्रुस जहल मे छलाह, मुदा एम्‍हर विश्‍वासी सभ पूरा मोन सँ पत्रुसक लेल परमेश्‍वर सँ प्रार्थना कऽ रहल छलाह।[6] जाहि दिन राजा हेरोद पत्रुस केँ जनताक समक्ष अनबाक विचार कयने छलाह, ओहि सँ पहिलुके राति मे पत्रुस दू सैनिकक बीच, दूनू कात जिंजीर सँ बान्‍हल, सुतल छलाह। द्वारि लग सेहो सैनिक सभ पहरा दऽ रहल छल।[7] एकाएक प्रभुक एक स्‍वर्गदूत पत्रुस लग जहल मे ठाढ़ भेलाह। सम्‍पूर्ण कोठली प्रकाशमय भऽ गेल। स्‍वर्गदूत पत्रुस केँ हिला कऽ जगौलनि आ कहलथिन, “जल्‍दी उठह!” तुरत हिनकर दूनू हाथ सँ जिंजीर खुजि कऽ खसि पड़ल।[8] स्‍वर्गदूत कहलथिन, “कपड़ा सम्‍हारि लैह, आ चप्‍पल पहिरि लैह।” पत्रुस ओहिना कयलनि। तखन स्‍वर्गदूत कहलथिन, “चद्दरि ओढ़ि लैह आ हमरा पाछाँ आबह।”[9] ओ हुनका पाछाँ-पाछाँ जहल सँ बाहर अयलाह, मुदा हुनका निश्‍चित भान नहि भऽ रहल छलनि जे स्‍वर्गदूत जे कऽ रहल छथि से सही घटना अछि—हुनका होइत छलनि जे हम कोनो तरहक सपना देखि रहल छी।[10] ओ सभ पहिल और दोसर पहरेदार केँ टपि कऽ लोहाक मुख्‍य फाटक लग पहुँचलाह। हुनका सभ केँ पहुँचतहि ओ फाटक अपने सँ खुजि गेल, और ओ सभ निकलि कऽ शहर मे प्रवेश कऽ गेलाह। ओ सभ जखन गलीक अन्‍त तक गेलाह तँ स्‍वर्गदूत एकाएक पत्रुस केँ छोड़ि कऽ चल गेलाह।[11] तखन हिनका होश भेलनि आ बजलाह, “आब तँ निश्‍चय जानि गेलहुँ जे ठीके प्रभु अपन स्‍वर्गदूत पठा कऽ हेरोदक हाथ सँ और जे बात यहूदी सभ चाहैत छल, ताहि सभ सँ हमरा बचौलनि।”[12] ई बात बुझि ओ यूहन्‍ना, जिनकर दोसर नाम मरकुस छलनि, तिनकर माय मरियमक ओतऽ गेलाह, जतऽ बहुत लोक जमा भऽ कऽ प्रार्थना कऽ रहल छलाह।[13] पत्रुस बाहर सँ केबाड़ खटखटौलनि। एक नोकरनी, जकर नाम रोदा छलैक, से केबाड़ खोलबाक लेल आयल।[14] पत्रुसक आवाज चिन्‍हि कऽ ओ ततेक खुश भेल जे बिनु केबाड़ खोलनहि ओ ई कहैत भीतर दौड़ि कऽ गेल जे, “पत्रुस बाहर छथि!”[15] ओ सभ ओकरा कहलथिन, “तोँ बताहि छह!” मुदा ओ जखन बहुत जोर दऽ कऽ कहैत रहल जे वैह छथि तखन ओ सभ बजलाह, “हुनकर रक्षा करऽ वला स्‍वर्गदूत होयतनि।”[16] एम्‍हर पत्रुस केबाड़ खटखटबिते रहलाह। ओ सभ जखन खोलि कऽ हुनका देखलथिन तँ चकित रहि गेलाह।[17] पत्रुस हुनका सभ केँ शान्‍त होयबाक लेल हाथ सँ संकेत कयलनि आ कहऽ लगलथिन जे प्रभु कोना जहल सँ मुक्‍त कऽ देलनि। तखन कहलथिन, “ई सभ बात याकूब और दोसरो भाय सभ केँ कहि देबनि।” ई कहि ओ ओतऽ सँ दोसर ठाम चल गेलाह।[18] प्रात भेने जहल मे पहरेदारक बीच बड़का खलबली मचि गेल जे पत्रुस की भऽ गेल?[19] राजा हेरोद हुनका खोजबाक हुकुम देलथिन, मुदा ओ नहि भेटलथिन। तेँ हेरोद सैनिक सभ सँ पूछ-ताछ कऽ कऽ ओकरा सभ केँ मृत्‍युदण्‍डक आज्ञा देलथिन। तखन हेरोद यहूदिया प्रदेश छोड़ि कैसरिया नगर जा कऽ रहऽ लगलाह।

मसीह-दूत 9:1-14
[1] साउल एखनो तक प्रभु यीशुक शिष्‍य सभ केँ धमकी दैत छल आ हुनका सभक हत्‍या करबाक फिराक मे रहैत छल। ओ महापुरोहित लग जा कऽ[2] दमिश्‍कक सभाघर सभक लेल आज्ञा-पत्र मँगलक जाहि सँ जँ ओकरा दमिश्‍क मे एहि पंथ केँ मानऽ वला लोक सभ भेटैक तँ ओ ओकरा सभ केँ, चाहे स्‍त्रीगण होअय वा पुरुष, बन्‍दी बना कऽ यरूशलेम आनि सकय।[3] जखन ओ दमिश्‍क नगर लग पहुँचल तँ एकाएक आकाश सँ बहुत तेज प्रकाश ओकरा चारू कात पड़ल।[4] ओ जमीन पर खसि पड़ल आ ओकरा एक स्‍वर सुनाइ देलक, “हौ साउल, हौ साउल, तोँ हमरा किएक सतबैत छह?”[5] ओ पुछलकनि, “यौ प्रभु, अहाँ के छी?” ओ उत्तर देलथिन, “हम यीशु छी जिनका तोँ सता रहल छह।[6] आब तोँ उठि कऽ शहर मे जाह, ओतऽ तोरा कहल जयतह जे तोरा की करबाक छह।”[7] साउलक संग जे लोक सभ जा रहल छल से सभ अवाक रहि गेल, कारण ओ सभ आवाज सुनलक मुदा ककरो देखलक नहि।[8] साउल जमीन पर सँ उठलाह मुदा ओ जखन आँखि तकलनि तँ हुनका किछु देखाइ नहि दैत छलनि। तेँ ओ सभ हुनका हाथ पकड़ि कऽ दमिश्‍क शहर मे लऽ गेलनि।[9] ओ तीन दिन धरि आन्‍हर रहलाह आ किछु नहि खयलनि-पिलनि।[10] दमिश्‍क मे हननियाह नामक एक शिष्‍य छलाह, जिनका प्रभु यीशु दर्शन दऽ कऽ कहलथिन, “हौ हननियाह!” ओ उत्तर देलथिन, “कहल जाओ प्रभु।”[11] प्रभु आज्ञा देलथिन, “उठह, ‘सोझका गली’ नामक रस्‍ता मे जा कऽ यहूदाक घर मे तरसुस निवासी साउलक खोज करह, ओ प्रार्थना कऽ रहल अछि।[12] और ओकरा मोन मे एकटा दृश्‍य देखाइ पड़ल छैक जे हमरा घर मे हननियाह नामक एक आदमी अयलाह आ हमरा पर हाथ रखलनि जे हम देखि सकी।”[13] हननियाह उत्तर देलथिन, “यौ प्रभु, हम एहि आदमीक बारे मे बहुत किछु सुनने छी जे कोना ओ यरूशलेम मे अहाँक चुनल लोक सभ केँ सतबैत छल[14] आ एहूठाम अहाँक शिष्‍य सभ केँ पकड़बाक लेल मुख्‍यपुरोहित सभक आदेश-पत्र लऽ कऽ आयल अछि।”

गलाती 1:13
अहाँ सभ तँ सुनि चुकल छी जे पहिने जखन हम यहूदी धर्म मानैत छलहुँ तँ हमर व्‍यवहार केहन छल। हम परमेश्‍वरक मण्‍डली पर घोर अत्‍याचार करैत छलहुँ आ ओकरा नष्‍ट करबाक प्रयत्‍न करैत छलहुँ।

प्रकाशित-वाक्‍य 2:8-10
[8] “स्‍मुरनाक मण्‍डलीक दूत केँ ई लिखह, जे पहिल आ अन्‍तिम छथि, जे मरि गेल छलाह आ आब जीबि उठल छथि से ई कहैत छथि—[9] हम अहाँक कष्‍ट आ गरीबी सँ परिचित छी। मुदा वास्‍तव मे अहाँ धनवान छी! और हम इहो जनैत छी जे, ओ सभ जे यहूदी भऽ कऽ अपना केँ परमेश्‍वरक लोक कहैत अछि, मुदा अछि नहि, से सभ अहाँक कतेक बदनामी करैत अछि। ओ सभ शैतानक समूह अछि।[10] आबऽ वला समय मे अहाँ जे कष्‍ट सहऽ वला छी, ताहि सँ नहि डेराउ। देखू, शैतान अहाँ सभ केँ जँचबाक लेल अहाँ सभ मे सँ कतेको गोटे केँ जहल मे राखि देत। एहि तरहेँ अहाँ सभ केँ दस दिन तक कष्‍ट भोगऽ पड़त। प्राणो देबऽ पड़य, ताहि समय तक विश्‍वास मे स्‍थिर रहू, तखन हम अहाँ सभ केँ जीवनक मुकुट प्रदान करब।

मसीह-दूत 26:9-11
[9] “हमहूँ सोचैत छलहुँ जे, जतेक हम नासरत-निवासी यीशुक नामक विरोध मे कऽ सकैत छी, ततेक हमरा करबाक अछि।[10] आ हम यरूशलेम मे एना करबो कयलहुँ। मुख्‍यपुरोहित सभ सँ अधिकार लऽ कऽ हम परमेश्‍वरक कतेको लोक सभ केँ जहल मे राखि देलहुँ, आ जखन ओकरा सभ केँ मृत्‍युदण्‍ड देल गेलैक तँ हमहूँ ओहि मे सहमति दैत छलहुँ।[11] हम कतेको बेर सभाघर सभ मे जा-जा कऽ ओकरा सभ केँ दण्‍ड दिआ कऽ ओकरा सभ सँ अपना प्रभु केँ अस्‍वीकार करयबाक कोशिश कयलहुँ। हमरा ततेक क्रोध छल जे सनकल जकाँ भऽ गेल छलहुँ आ हम ओकरा सभ केँ सतयबाक लेल आनो-आन देशक शहर सभ मे गेलहुँ।

1 कोरिन्‍थी 4:12
हम सभ अपना हाथ सँ कठिन परिश्रम करैत छी। जखन हमरा सभक अपमान कयल जाइत अछि तँ हम सभ आशीर्वाद दैत छी। जखन हमरा सभ पर अत्‍याचार होइत अछि तँ हम सभ ओकरा सहैत छी।

मसीह-दूत 12:1
एही समय मे राजा हेरोद मण्‍डलीक किछु विश्‍वासी सभ पर अत्‍याचार करबाक लेल हुनका सभ केँ बन्‍दी बना लेलनि।

फिलिप्‍पी 3:6
धर्मक प्रति हमर उत्‍साह एतेक छल जे हम मसीहक मण्‍डली पर अत्‍याचार करैत छलहुँ। आ धर्म-नियम पर आधारित धार्मिकताक दृष्‍टि सँ हमरा मे कोनो त्रुटी नहि छल।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT