A A A A A

बुरा चरित्र: [अनुमान]

1 कोरिन्‍थी 4:5
एहि लेल समय सँ पहिने कोनो बातक न्‍याय नहि करू, अर्थात् जाबत धरि प्रभु नहि औताह ताबत धरि रूकल रहू। ओ अन्‍हार मे नुकायल सभ बात केँ इजोत मे लौताह आ लोकक भितरी मोनक अभिप्राय सभ केँ प्रगट करताह। तहिया प्रत्‍येक मनुष्‍य परमेश्‍वरे सँ अपन प्रशंसा पाओत।

1 कोरिन्‍थी 11:31
जँ अपना सभ स्‍वयं अपना केँ ठीक सँ जँचितहुँ तँ दण्‍डक भागी नहि होइतहुँ।

2 कोरिन्‍थी 5:10
किएक तँ अपना सभ गोटे केँ मसीहक न्‍यायासनक सामने उपस्‍थित होमऽ पड़त जाहि सँ प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति केँ अपना देहधारी जीवन मे कयल नीक अथवा अधलाह काज सभक प्रतिफल भेटैक।

2 पत्रुस 2:4
मोन राखू जे, जे स्‍वर्गदूत सभ पाप कयलक तकरा सभ केँ परमेश्‍वर नहि छोड़लनि, बल्‍कि ओकरा सभ केँ नरकक अन्‍हार मे जंजीर सँ जकड़ि कऽ न्‍यायक दिनक प्रतीक्षा करबाक लेल राखि देलनि।

मसीह-दूत 17:31
ओ तँ एक दिन निश्‍चित कयने छथि जहिया ओ अपन चुनल व्‍यक्‍ति द्वारा उचित न्‍यायानुसार संसारक न्‍याय करताह। एहि व्‍यक्‍ति केँ मृत्‍यु सँ जिआ कऽ सभ आदमी केँ एहि बातक प्रमाण देने छथि।”

इब्रानी 9:27
जहिना ई निश्‍चित कयल गेल अछि जे मनुष्‍य एके बेर मरय आ तकरबाद ओकर न्‍याय कयल जाइक,

यूहन्‍ना 12:48
जे हमरा अस्‍वीकार करैत अछि और हमर वचन ग्रहण नहि करैत अछि, तकर न्‍याय करऽ वला एक अछि—जे वचन हम कहने छी, वैह अन्‍तिम दिन मे ओकर न्‍याय करतैक।

मत्ती 12:36
हम अहाँ सभ केँ कहैत छी, मनुष्‍य जे कोनो व्‍यर्थक बात बाजत, न्‍यायक दिन मे ओकरा तकर हिसाब देबऽ पड़तैक,

मत्ती 24:36
“मुदा एहि घटना सभक दिन वा समय केओ नहि जनैत अछि, स्‍वर्गदूतो सभ नहि आ पुत्रो नहि —मात्र पिता जनैत छथि।

प्रकाशित-वाक्‍य 21:4
ओ ओकरा सभक आँखिक सभ नोर पोछि देथिन। तकरबाद ने मृत्‍यु रहत, ने शोक, ने विलाप आ ने कष्‍ट, किएक तँ पहिलुका बात सभ समाप्‍त भऽ गेल अछि।”

रोमी 2:16
ई बात सभ ओहि दिन स्‍पष्‍ट होयत जहिया हमर एहि शुभ समाचारक कथन अनुसार परमेश्‍वर यीशु मसीहक द्वारा लोक सभक गुप्‍त बात सभक न्‍याय करताह।

प्रकाशित-वाक्‍य 20:11-15
[11] तकरबाद हम एक विशाल उज्‍जर सिंहासन आ ओहि पर विराजमान व्‍यक्‍ति केँ देखलहुँ। हुनका सोझाँ सँ पृथ्‍वी आ आकाश लुप्‍त भऽ गेल और ओकर कोनो नामो-निशान नहि रहल।[12] तखन हम छोट-पैघ, सभ मरल लोक केँ सिंहासनक सम्‍मुख ठाढ़ देखलहुँ आ पुस्‍तक सभ खोलल गेल। तकरबाद एक आओर पुस्‍तक खोलल गेल जे जीवनक पुस्‍तक अछि। मरल सभक कयल कर्म, जे पुस्‍तक सभ मे लिखल गेल छलैक, ताहि अनुसार ओकरा सभक न्‍याय कयल गेलैक।[13] समुद्र ओहि मरल सभ केँ जे ओकरा मे छल, प्रस्‍तुत कयलक। तखन मृत्‍यु आ पाताल अपन-अपन मरल सभ केँ प्रस्‍तुत कयलक। ओकरा सभ मे सँ प्रत्‍येक व्‍यक्‍तिक न्‍याय ओकरा कर्मक अनुसार कयल गेलैक।[14] तकरबाद मृत्‍यु आ पाताल, दूनू केँ आगिक कुण्‍ड मे फेकि देल गेलैक। ई आगिक कुण्‍ड दोसर मृत्‍यु अछि।[15] जकरा सभक नाम जीवनक पुस्‍तक मे लिखल नहि भेटलैक तकरा सभ केँ आगिक कुण्‍ड मे फेकि देल गेलैक।

English NIRV Version 1996
Copyright © 1995, 1996, 1998, 2014 by Biblica, Inc.® Used by permission. All rights reserved worldwide.