A A A A A

स्वर्गदूत और राक्षस: [संरक्षक एन्जिल्स]


1 कोरिन्‍थी 4:9
हमरा एना बुझाइत अछि जे परमेश्‍वर हमरा सभ केँ, जे सभ मसीह-दूत छी, विजय-जुलूसक अन्‍त मे ओहि बन्‍दी सभ जकाँ रखने छथि जकरा सभ पर मृत्‍युदण्‍डक आज्ञा भऽ गेल होइक, किएक तँ हम सभ सम्‍पूर्ण सृष्‍टिक लेल, स्‍वर्गदूतो सभ आ मनुष्‍यो सभक लेल, तमाशा बनि गेल छी।

1 यूहन्‍ना 4:1
प्रिय मित्र सभ, ताहि सभ लोकक विश्‍वास नहि करू जे कहैत अछि जे हमरा मे परमेश्‍वरक आत्‍मा छथि, बल्‍कि ओकरा सभक जाँच करू, ई बुझबाक लेल जे ओकरा मे जे आत्‍मा छैक, से परमेश्‍वरक दिस सँ अछि वा नहि। किएक तँ बहुतो लोक संसार मे निकलि गेल अछि जे झूठ बाजि कऽ अपना केँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता कहैत अछि।

मसीह-दूत 8:26
एम्‍हर परमेश्‍वरक एक स्‍वर्गदूत फिलिपुस केँ कहलथिन, “तोँ एतऽ सँ दक्षिण मुँहें विदा भऽ कऽ यरूशलेम सँ गाजा नगर जाय वला रस्‍ता पर जाह जे बंजरभूमि दऽ कऽ गेल अछि।”

मसीह-दूत 12:15
ओ सभ ओकरा कहलथिन, “तोँ बताहि छह!” मुदा ओ जखन बहुत जोर दऽ कऽ कहैत रहल जे वैह छथि तखन ओ सभ बजलाह, “हुनकर रक्षा करऽ वला स्‍वर्गदूत होयतनि।”

कुलुस्‍सी 2:18
मोन राखू जे अहाँ सभ केँ पुरस्‍कार पयबाक बात मे अयोग्‍य ठहरयबाक अधिकार ओहन लोक केँ नहि छैक जे सभ ईश्‍वरीय दर्शन देखबाक धाख जमबैत रहैत अछि, देखाबटी नम्रता प्रगट करैत अछि, आ कहैत अछि जे स्‍वर्गदूत सभक पूजा कयनाइ आवश्‍यक अछि। ओहन लोक अपन सांसारिक बुद्धिक कारणेँ बिनु आधारक घमण्‍ड सँ फुलि जाइत अछि,

इब्रानी 1:14
स्‍वर्गदूत सभ तखन की छथि? ओ सभ परमेश्‍वरक सेवा-टहल करऽ वला आत्‍मा सभ छथि। हुनका सभ केँ ओहि लोक सभक सेवाक लेल पठाओल जाइत छनि जे सभ उद्धार पयबाक उत्तराधिकारी बनैत अछि।

इब्रानी 13:2
अनचिन्‍हारो सभक अतिथि-सत्‍कार कयनाइ नहि बिसरू, कारण, एहि तरहेँ किछु लोक बिनु जनने स्‍वर्गदूत सभक सेवा-सत्‍कार कयने छथि।

यहूदा 1:6-9
[6] स्‍वर्गदूतो वला बात केँ मोन पाड़ू—स्‍वर्गदूत सभ मे सँ जे सभ अपन अधिकारक पद नहि राखि अपन वास स्‍थान छोड़ि देलक, तकरा सभ केँ परमेश्‍वर भीषण न्‍याय-दिनक न्‍यायक लेल कहियो नहि खुलऽ वला बन्‍हन मे बान्‍हि कऽ अन्‍हार मे राखि देलथिन।[7] एही तरहेँ सदोम, गमोरा आ तकरा लग-पासक नगर सभ ओही स्‍वर्गदूत सभ जकाँ कुकर्म कयलक आ अप्राकृतिक शारीरिक इच्‍छा सभक पाछाँ दौड़ैत रहल। ओ सभ अनन्‍त आगिक दण्‍ड मे पड़ि कऽ आन लोकक लेल उदाहरण बनल अछि।[8] ठीक ओही तरहेँ ई सभ जे अहाँ सभक समूह मे आयल अछि, से सभ अपन सपना सभ सँ प्रेरणा पाबि कऽ अपना शरीर केँ अशुद्ध करैत अछि, किनको अधीन मे नहि रहैत अछि आ स्‍वर्गिक प्राणी सभक निन्‍दा करैत अछि।[9] प्रधान स्‍वर्गदूत मिकाएल सेहो जखन मूसाक लासक विषय मे शैतान सँ वाद-विवाद कऽ रहल छलाह, तँ हुनका साहस नहि भेलनि जे शैतान केँ अपमान-जनक शब्‍द कहि कऽ ओकरा पर दोष लगबथि। ओ मात्र एतबे कहलथिन, “परमेश्‍वरे तोरा दण्‍डित करथुन।”

लूका 16:22
“एक दिन गरीब लाजर मरि गेल आओर स्‍वर्गदूत सभ ओकरा स्‍वर्ग मे अब्राहम लग पहुँचौलनि। धनिक आदमी सेहो मरल आ माटि मे गाड़ल गेल।

मत्ती 18:10
“अहाँ सभ एहि पर ध्‍यान राखू जे एहि बच्‍चा सभ मे सँ एकोटा केँ तुच्‍छ नहि बुझब। हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, स्‍वर्ग मे एकर सभक रक्षा कयनिहार दूत सभ सदिखन हमर स्‍वर्गीय पिताक मुँह दिस तकैत रहैत छथि।

प्रकाशित-वाक्‍य 5:11
फेर हम देखलहुँ, तँ बहुतो स्‍वर्गदूत सभक आवाज सुनाइ देलक जे सभ सिंहासन, चारू प्राणी आ धर्मवृद्ध सभक चारू कात ठाढ़ छलाह, जिनकर संख्‍या लाखो-लाख आ करोड़ो-करोड़ मे छलनि।

प्रकाशित-वाक्‍य 19:10
तखन हम हुनकर आराधना करबाक लेल हुनका चरण पर खसि पड़लहुँ। मुदा ओ हमरा कहलनि, “एना नहि करू! हम तँ अहाँ जकाँ आ अहाँक भाय सभ जकाँ, जे सभ यीशुक विषय मे देल गेल गवाही पर स्‍थिर छथि, दासे छी। अहाँ परमेश्‍वरक आराधना करू, किएक तँ जे केओ यीशुक विषय मे गवाही दैत छथि, तिनका प्रवक्‍ता जकाँ परमेश्‍वरे सँ प्रेरणा भेटैत छनि।”

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT