A A A A A

स्वर्गदूत और राक्षस: [शैतान]


मत्ती 12:24
मुदा फरिसी सभ जखन लोकक ई बात सुनलनि तँ ओ सभ कहऽ लगलाह, “ओ तँ मात्र दुष्‍टात्‍मा सभक मुखिया बालजबूलक शक्‍ति सँ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालैत अछि।”

मरकुस 3:22
यरूशलेम सँ आयल धर्मशिक्षक सभ कहऽ लगलाह जे, “यीशु मे दुष्‍टात्‍मा सभक मुखिया बालजबूल छैक। तकरे शक्‍ति सँ ओ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालैत अछि।”

मत्ती 10:25
चेला केँ अपन गुरुक बराबरि होयब आ दास केँ अपन मालिकक बराबरि होयब, एतबे बहुत अछि। जँ ओ सभ घरक मालिक केँ ‘दुष्‍टात्‍मा सभक मुखिया’ कहैत अछि तँ मालिकक परिवारक लोक केँ की-की नहि कहतैक!

मत्ती 12:27
ठीक अछि, जँ हम बालजबूलक शक्‍ति सँ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालैत छी तँ अहाँ सभक लोक ककरा शक्‍ति सँ निकालैत अछि? वैह सभ अहाँ सभक फैसला करत।

लूका 11:15-19
[15] मुदा कतेक गोटे कहऽ लागल, “ई तँ दुष्‍टात्‍मा सभक मुखिया बालजबूलक शक्‍ति सँ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालैत अछि।”[16] दोसर लोक हुनका जाँच करबाक लेल स्‍वर्ग सँ कोनो चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह देखयबाक लेल कहलकनि।[17] मुदा यीशु ओकरा सभक विचार बुझि कऽ ओकरा सभ केँ कहलथिन, “जाहि राज्‍य मे फूट पड़ि जाय, से उजड़ि जाइत अछि, और जाहि परिवार मे फूट भऽ जाय से नष्‍ट भऽ जाइत अछि।[18] शैतान जँ स्‍वयं अपन विरोधी भऽ जाय तँ ओकर राज्‍य कोना टिकल रहतैक? हम ई बात एहि लेल कहैत छी जे अहाँ सभक कथन अछि जे हम दुष्‍टात्‍मा सभ केँ बालजबूलक शक्‍ति सँ निकालैत छी।[19] जँ हम बालजबूलक शक्‍ति सँ दुष्‍टात्‍मा निकालैत छी तँ अहाँ सभक चेला सभ ककरा शक्‍ति सँ निकालैत अछि? वैह सभ अहाँ सभक फैसला करत।

लूका 11:18
शैतान जँ स्‍वयं अपन विरोधी भऽ जाय तँ ओकर राज्‍य कोना टिकल रहतैक? हम ई बात एहि लेल कहैत छी जे अहाँ सभक कथन अछि जे हम दुष्‍टात्‍मा सभ केँ बालजबूलक शक्‍ति सँ निकालैत छी।

मरकुस 3:20-30
[20] तखन यीशु और हुनकर शिष्‍य सभ एकटा घर मे गेलाह। ओहिठाम ततेक लोक फेर जमा भऽ गेल जे हुनका सभ केँ भोजनो करबाक समय नहि भेटलनि।[21] हुनकर घरक लोक जखन ई बात सुनलनि तँ हुनका जबरदस्‍ती लऽ अयबाक लेल विदा भेलाह, ई सोचि जे यीशु पागल भऽ गेल छथि।[22] यरूशलेम सँ आयल धर्मशिक्षक सभ कहऽ लगलाह जे, “यीशु मे दुष्‍टात्‍मा सभक मुखिया बालजबूल छैक। तकरे शक्‍ति सँ ओ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालैत अछि।”[23] हुनका सभ केँ अपना लग बजा कऽ यीशु उदाहरण द्वारा उत्तर देलथिन जे, “शैतान कोना शैतान केँ भगा सकत?[24] जँ कोनो राज्‍य मे फूट पड़ि जाय तँ ओ नहि टिकि सकत।[25] तहिना जँ कोनो परिवार मे फूट भऽ गेल अछि तँ ओ नहि टिकि सकैत अछि।[26] जँ शैतान अपने केँ विरोध करय और ओकरा अपने मे फूट भऽ जाइक तँ ओ टिकि नहि सकैत अछि। ओकर विनाश निश्‍चित छैक।[27] केओ कोनो बलगर आदमीक घर मे ढुकि कऽ ओकर चीज-वस्‍तु ताबत तक नहि लुटि सकैत छैक, जाबत तक पहिने ओहि बलगर आदमी केँ बान्‍हि कऽ काबू मे नहि कऽ लैत अछि। ओकरा बान्‍हि लेलाक बादे ओकर वस्‍तु लुटि सकैत अछि।[28] अहाँ सभ केँ हम विश्‍वास दिअबैत छी जे, मनुष्‍य केँ सभ तरहक पाप आ निन्‍दाक बातक क्षमा भेटि सकैत छैक,[29] मुदा जँ केओ पवित्र आत्‍माक निन्‍दा करैत अछि तँ ओकरा कहियो क्षमा नहि भेटतैक। ओ अनन्‍त पापक दोषी होयत।”[30] यीशु ई बात एहि लेल कहलथिन जे ओ सभ कहैत छलाह जे हुनका मे दुष्‍टात्‍मा छनि।

मत्ती 9:34
मुदा फरिसी सभ कहऽ लगलाह जे, “ई दुष्‍टात्‍मा सभक मुखियाक शक्‍ति सँ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालैत अछि।”

प्रकाशित-वाक्‍य 21:20
पाँचम सुलेमानीक, छठम गोमेदक, सातम स्‍वर्णमणिक, आठम पेरोजक, नवम पुखराजक, दसम लहसनियांक, एगारहम धूम्रकान्‍तक आ बारहम चन्‍द्रकान्‍तक छल।

यूहन्‍ना 1:1
शुरू मे वचन रहथि। वचन परमेश्‍वरक संग छलाह, और अपने परमेश्‍वर छलाह।

लूका 11:19
जँ हम बालजबूलक शक्‍ति सँ दुष्‍टात्‍मा निकालैत छी तँ अहाँ सभक चेला सभ ककरा शक्‍ति सँ निकालैत अछि? वैह सभ अहाँ सभक फैसला करत।

लूका 3:1
कैसर तिबिरियुसक शासन-कालक पन्‍द्रहम वर्ष मे जकरयाहक पुत्र यूहन्‍ना लग निर्जन क्षेत्र मे परमेश्‍वरक दिस सँ सम्‍बाद अयलनि। ओहि समय मे पुन्‍तियुस पिलातुस यहूदिया प्रदेशक राज्‍यपाल छलाह, गलील प्रदेशक शासक हेरोद छलाह, इतूरिया आ त्रखोनीतिस क्षेत्रक शासक हुनकर भाय फिलिपुस और अबिलेन क्षेत्रक शासक लुसानियास छलाह। महापुरोहितक पद पर छलाह हन्‍ना और काइफा। यूहन्‍ना लग परमेश्‍वरक सम्‍बाद एही समय मे अयलनि।

प्रकाशित-वाक्‍य 16:16
ओ अशुद्ध आत्‍मा सभ राजा सभ केँ ओहि स्‍थान पर जमा कयलक जे इब्रानी भाषा मे हर-मगिदोन कहबैत अछि।

मत्ती 22:37
यीशु उत्तर देलथिन, “ ‘तोँ अपन प्रभु-परमेश्‍वर केँ अपन सम्‍पूर्ण मोन सँ, अपन सम्‍पूर्ण आत्‍मा सँ आ अपन सम्‍पूर्ण बुद्धि सँ प्रेम करह।’

मरकुस 3:1-6
[1] दोसर बेर यीशु सभाघर गेलाह। एक गोटे जकर हाथ सुखायल छलैक सेहो ओहिठाम छल।[2] किछु लोक सभ यीशु पर दोष लगयबाक आधारक लेल हुनका पर नजरि गड़ौने छल जे, देखी ओ विश्राम-दिन मे एकरा स्‍वस्‍थ करताह वा नहि।[3] यीशु सुखल हाथ वला आदमी केँ कहलथिन, “उठह! सभक आगाँ मे ठाढ़ होअह।”[4] तखन लोक सभ दिस घूमि कऽ पुछलथिन जे, “विश्राम-दिन मे की उचित? नीक काज करब अथवा अधलाह? ककरो जीवनक रक्षा करब अथवा नष्‍ट करब?” केओ किछु नहि बाजल।[5] यीशु तमसा कऽ चारू दिस लोक सभ पर नजरि दौड़ौलनि। ओ लोक सभक जिद्दीपनक कारणेँ उदास भऽ गेलाह और ओहि आदमी केँ कहलथिन जे, “अपन हाथ बढ़ाबह।” ओ हाथ बढ़ौलक और ओकर हाथ एकदम ठीक भऽ गेलैक।[6] फरिसी सभ तुरत निकलि कऽ हेरोद-दलक संग मिलि कऽ यीशु केँ कोना मारल जाय, तकर षड्‌यन्‍त्र रचऽ लगलाह।

मरकुस 10:46-52
[46] तखन ओ सभ यरीहो नगर पहुँचलाह। जखन यीशु और शिष्‍य सभ बड़का भीड़क संग यरीहो सँ निकलैत छलाह तखन रस्‍ताक कात मे तिमाईक पुत्र, बरतिमाई, जे आन्‍हर छल, से भीख मँगैत बैसल छल।[47] जखन ओ सुनलक जे नासरत-निवासी यीशु जा रहल छथि तँ ओ सोर पारि कऽ कहऽ लागल जे, “यौ दाऊदक पुत्र यीशु! हमरा पर दया करू!”[48] ओकरा बहुत लोक डाँटि कऽ चुप रहऽ लेल कहलकैक, मुदा ओ आरो जोर सँ हल्‍ला कऽ कऽ कहऽ लागल जे, “यौ दाऊदक पुत्र! हमरा पर दया करू!”[49] यीशु ठाढ़ भऽ गेलाह आ कहलनि जे, “ओकरा बजाउ!” तखन ओहि आन्‍हर केँ बजा कऽ लोक सभ कहलकैक जे, “निराश नहि हो! उठ! तोरा बजबैत छथुन!”[50] अपन ओढ़ना फेकि कऽ ओ छरपि उठल और यीशु लग आयल।[51] यीशु ओकरा पुछलथिन जे, “तोँ की चाहैत छह, हम तोरा लेल की करिअह?” आन्‍हर बाजल, “गुरुजी, हम देखऽ चाहैत छी!”[52] यीशु ओकरा कहलथिन, “जाह—तोहर विश्‍वास तोरा नीक कऽ देलकह।” ओ तुरत देखऽ लागल और रस्‍ता मे यीशुक पाछाँ चलऽ लागल।

मत्ती 10:3
फिलिपुस और बरतुल्‍मै; थोमा आ कर असूल कयनिहार मत्ती; अल्‍फेयासक बेटा याकूब आ तद्दै;

मसीह-दूत 2:9
अपना सभ जे पार्थी, मेदी और एलामी लोक छी, मेसोपोतामिया, यहूदिया, कप्‍पदुकिया, पुन्‍तुस, आसिया,

मसीह-दूत 6:5
एहि विचार सँ सभ केओ प्रसन्‍न भेल आ ओ सभ स्‍तिफनुस जे पवित्र आत्‍मा आ विश्‍वास सँ परिपूर्ण छलाह, और फिलिपुस, प्रुखुरुस, निकानोर, तीमोन, परमिनास और अन्‍ताकिया निवासी निकुलाउस जे यहूदी धर्म स्‍वीकार कयने छलाह तिनका सभ केँ चुनलकनि।

प्रकाशित-वाक्‍य 1:11
“जे किछु तोँ देखबह तकरा पुस्‍तक मे लिखिहह आ ओकरा इफिसुस, स्‍मुरना, पिरगमुन, थूआतीरा, सरदीस, फिलादेलफिया आ लौदीकिया समेत एहि सातो शहरक मण्‍डली केँ पठा दिहक।”

मरकुस 3:23
हुनका सभ केँ अपना लग बजा कऽ यीशु उदाहरण द्वारा उत्तर देलथिन जे, “शैतान कोना शैतान केँ भगा सकत?

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT