A A A A A

अतिरिक्त: [काम]


कुलुस्‍सी 3:23
अहाँ सभ जे किछु करी, मोन लगा कऽ करू, ई मानि कऽ जे मनुष्‍यक लेल नहि, बल्‍कि प्रभुक लेल कऽ रहल छी,

इफिसी 4:28
जे चोरी करैत अछि, से आब चोरी नहि करओ, बल्‍कि अपना हाथ सँ इमानदारीपूर्बक परिश्रम करओ, जाहि सँ ओ आवश्‍यकता मे पड़ल लोक सभक मदति कऽ सकय।

यूहन्‍ना 6:27
जे भोजन नहि टिकैत अछि, ताहि लेल परिश्रम नहि करू, बल्‍कि ओहि भोजनक लेल परिश्रम करू जे अनन्‍त जीवन तक टिकैत अछि और जे मनुष्‍य-पुत्र अहाँ सभ केँ प्रदान करताह, कारण हुनका पर पिता-परमेश्‍वर अपन छाप लगा देने छथिन।”

गलाती 6:4-5
[4] प्रत्‍येक मनुष्‍य अपने काजक जाँच करय। तखन बिनु अपना केँ दोसर सँ तुलना कयने ओ अपन कयल काज सँ गर्व कऽ सकत।[5] किएक तँ प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति केँ अपन बोझ स्‍वयं उठाबऽ पड़ैत छैक।

फिलिप्‍पी 4:13
जे हमरा बल दैत छथि हम तिनका द्वारा सभ किछु कऽ सकैत छी।

कुलुस्‍सी 3:24
किएक तँ अहाँ सभ जनैत छी जे, एकर प्रतिफलक रूप मे अहाँ सभ प्रभु सँ उत्तराधिकार प्राप्‍त करब। अहाँ सभ तँ प्रभु मसीहेक सेवा कऽ रहल छी।

लूका 1:37
परमेश्‍वरक लेल कोनो बात असम्‍भव नहि छनि।”

1 तिमुथियुस 5:8
जे केओ अपन सम्‍बन्‍धी सभक आ विशेष कऽ अपने परिवारक सदस्‍य सभक देख-रेख नहि करैत अछि, से विश्‍वास त्‍यागि देने अछि और अविश्‍वासिओ सँ भ्रष्‍ट अछि।

2 तिमुथियुस 2:6
जे किसान पसेना बहा कऽ परिश्रम करैत अछि, तकरे सभ सँ पहिने फसिलक हिस्‍सा पयबाक अधिकार छैक।

तीतुस 2:7-8
[7] अहाँ स्‍वयं प्रत्‍येक बात मे नीक व्‍यवहार द्वारा नमूना बनू। अहाँ शुद्ध मोन सँ आ गम्‍भीरता सँ शिक्षा दिअ—[8] एहन सही सिद्धान्‍तक शिक्षा दिअ जकर आलोचना नहि कयल जा सकत जाहि सँ कोनो बातक विषय मे अपना सभक निन्‍दा करबाक अवसर नहि पयबाक कारणेँ विरोधी सभ लज्‍जित भऽ जाय।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT