A A A A A

अतिरिक्त: [आत्महत्या]


यूहन्‍ना 10:10
चोर खाली चोरी करबाक, जान मारबाक, और नष्‍ट करबाक उद्देश्‍य सँ अबैत अछि। मुदा हम एहि लेल आयल छी जे मनुष्‍य जीवन प्राप्‍त करय और परिपूर्णता सँ प्राप्‍त करय।

1 यूहन्‍ना 4:4
प्रिय बौआ सभ, अहाँ सभ ओहि झुट्ठा शिक्षक सभ पर विजयी भऽ गेल छी, कारण अहाँ सभ परमेश्‍वरक छी, और जे अहाँ सभ मे छथि, से तकरा सँ शक्‍तिशाली छथि जे संसार मे अछि।

मरकुस 16:16
जे व्‍यक्‍ति विश्‍वास करत और बपतिस्‍मा लेत तकरा उद्धार होयतैक, मुदा जे व्‍यक्‍ति विश्‍वास नहि करत से दोषी ठहराओल जायत।

रोमी 8:1-2
[1] एहि लेल, आब जे सभ मसीह यीशु मे अछि, तकरा सभक लेल कोनो दण्‍डक आज्ञा नहि अछि।[2] किएक तँ परमेश्‍वरक जीवनदायक आत्‍माक नियम मसीह यीशु द्वारा पाप आ मृत्‍युक नियम सँ हमरा स्‍वतन्‍त्र कऽ देने अछि।

रोमी 8:38-39
[38] किएक तँ हमरा पूर्ण विश्‍वास अछि जे, ने मृत्‍यु आ ने जीवन, ने स्‍वर्गदूत आ ने नरकदूत, ने वर्तमान आ ने भविष्‍य, ने कोनो तरहक शक्‍ति,[39] ने आकाश आ ने पाताल, और ने सौंसे सृष्‍टि मे आरो कोनो वस्‍तु अपना सभ केँ परमेश्‍वरक ओहि प्रेम सँ अलग कऽ सकत जे ओ अपना सभक प्रभु, मसीह यीशु, द्वारा प्रगट कयलनि।

मत्ती 27:3-4
[3] यहूदा इस्‍करियोती जे यीशु केँ पकड़बौने छल, से जखन देखलक जे यीशु केँ मृत्‍युदण्‍डक आज्ञा देल गेलनि, तखन ओ बहुत पछतायल। ओ मुख्‍यपुरोहित आ बूढ़-प्रतिष्‍ठित सभ लग चानीक तीस सिक्‍का लऽ कऽ गेल आ हुनका सभ केँ कहलकनि,[4] “हम निर्दोष व्‍यक्‍ति केँ मृत्‍युदण्‍डक लेल पकड़बा कऽ पाप कयलहुँ अछि।” ओ सभ उत्तर देलथिन, “ई बात तोँ जानह, एहि सँ हमरा सभ केँ कोनो मतलब नहि अछि।”

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT