A A A A A

अतिरिक्त: [विज्ञान]


1 तिमुथियुस 6:20
यौ तिमुथियुस, अहाँक जिम्‍मा मे जे देल गेल अछि तकर रक्षा करू। परमेश्‍वर केँ अपमानित करऽ वला निरर्थक बकवाद, और सत्‍यक विरोधी “ज्ञान”क शिक्षा, जे ज्ञान तँ कहबैत अछि मुदा अछि नहि, ताहि सँ दूर रहू।

लूका 11:52
“यौ धर्म-नियमक पंडित सभ, धिक्‍कार अछि अहाँ सभ केँ! कारण, अहाँ सभ ओ कुंजी छिनि कऽ रखने छी जे ज्ञानक द्वारि खोलैत अछि। अहाँ सभ अपनो नहि प्रवेश कयलहुँ, और जे सभ प्रवेश कऽ रहल छल तकरो सभ केँ रोकि देलिऐक।”

रोमी 2:20
मूर्ख सभ केँ बुझौनिहार, और अज्ञानी सभक गुरु छी, किएक तँ अहाँ सभ केँ धर्म-नियमक द्वारा सम्‍पूर्ण ज्ञान आ सत्‍य प्राप्‍त भऽ गेल अछि।

प्रकाशित-वाक्‍य 11:15-18
[15] सातम स्‍वर्गदूत धुतहू फुकलनि। एहि पर स्‍वर्ग मे एना कहैत कतेको आवाज जोर-जोर सँ आबऽ लागल जे, “संसारक राज्‍य हमरा सभक प्रभु आ हुनकर मसीह केँ प्राप्‍त भऽ गेलनि। ओ युगानुयुग तक राज्‍य करताह।”[16] तखन चौबीसो धर्मवृद्ध, जे परमेश्‍वरक सम्‍मुख अपन-अपन सिंहासन पर बैसल छलाह, से सभ मुँह भरे खसि कऽ परमेश्‍वरक आराधना करैत कहऽ लगलाह जे,[17] “हे सर्वशक्‍तिमान प्रभु-परमेश्‍वर, अहाँ जे छी, आ जे छलहुँ! हम सभ अहाँ केँ धन्‍यवाद दैत छी जे अहाँ अपन सामर्थ्‍यक प्रयोग कऽ कऽ राज्‍य करऽ लागल छी।[18] जाति-जातिक लोक सभ क्रोधित भेल, और आब अहाँक क्रोध प्रगट भऽ गेल अछि। ओ समय आबि गेल अछि, जहिया मुइल लोक सभक न्‍याय कयल जयतैक, और जहिया अहाँक सेवा करऽ वला प्रवक्‍ता सभ आ अहाँक लोक सभ केँ पुरस्‍कार भेटतैक, अर्थात् छोट-पैघ ओहि सभ लोक केँ जे अहाँक नामक भय मानैत अछि। ओ समय आबि गेल अछि जहिया पृथ्‍वी केँ नष्‍ट-भ्रष्‍ट कयनिहार सभक विनाश कयल जयतैक।”

कुलुस्‍सी 1:15-16
[15] यीशु मसीह अदृश्‍य परमेश्‍वरक प्रतिरूप छथि, ओ समस्‍त सृष्‍टिक उपर सर्वोच्‍च स्‍थान पर छथि।[16] किएक तँ हुनके माध्‍यम सँ सभ वस्‍तुक सृष्‍टि भेल, ओ चाहे स्‍वर्गक होअय वा पृथ्‍वीक, दृश्‍य होअय वा अदृश्‍य, सिंहासन होअय वा प्रभुता, शासन होअय वा अधिकार—सभ वस्‍तु हुनके द्वारा आ हुनके लेल रचल गेल अछि।

प्रकाशित-वाक्‍य 1:5
***

प्रकाशित-वाक्‍य 5:6
तखन हम सिंहासनक बीच मे ठाढ़, चारू जीवित प्राणी आ धर्मवृद्ध सभक बीच, एक बलि-भेँड़ा केँ देखलहुँ। ओ देखऽ मे एना लगलाह, जेना कहियो वध कयल गेल होथि। हुनका सातटा सीँग आ सातटा आँखि छलनि। ई सभ परमेश्‍वरक सात आत्‍मा अछि जकरा परमेश्‍वर सम्‍पूर्ण पृथ्‍वी पर पठौने छथिन।

प्रकाशित-वाक्‍य 13:14
पहिल जानबरक सेवा मे जे चमत्‍कार सभ देखयबाक शक्‍ति ओकरा भेटल छलैक, ताहि द्वारा ओ पृथ्‍वीक निवासी सभ केँ बहकबैत छल। ओ ओकरा सभ सँ ओहि पहिल जानबर, जकरा पर तरुआरिक प्रहार भेल छल आ तैयो जीवित छल, तकरा सम्‍मान मे ओकर मूर्ति बनबौलक।

प्रकाशित-वाक्‍य 17:18
अहाँ जाहि स्‍त्री केँ देखलहुँ, से ओ महानगर अछि जे पृथ्‍वीक राजा सभ पर राज्‍य करैत अछि।”

यहूदा 1:9
प्रधान स्‍वर्गदूत मिकाएल सेहो जखन मूसाक लासक विषय मे शैतान सँ वाद-विवाद कऽ रहल छलाह, तँ हुनका साहस नहि भेलनि जे शैतान केँ अपमान-जनक शब्‍द कहि कऽ ओकरा पर दोष लगबथि। ओ मात्र एतबे कहलथिन, “परमेश्‍वरे तोरा दण्‍डित करथुन।”

कुलुस्‍सी 1:15
यीशु मसीह अदृश्‍य परमेश्‍वरक प्रतिरूप छथि, ओ समस्‍त सृष्‍टिक उपर सर्वोच्‍च स्‍थान पर छथि।

1 थिसलुनिकी 4:16
कारण, जखन प्रभु आदेश देताह आ प्रधान स्‍वर्गदूतक स्‍वर सुनाइ पड़त और परमेश्‍वरक धुतहूक आवाज सुनाइ देत, तखन प्रभु स्‍वयं स्‍वर्ग सँ उतरताह, और जे सभ मसीह पर विश्‍वास करैत मरि गेल छथि से सभ पहिने जीबि उठताह।

प्रकाशित-वाक्‍य 3:14
“लौदीकियाक मण्‍डलीक दूत केँ ई लिखह, ओ जे सत्‍य छथि, जे विश्‍वासयोग्‍य आ सत्‍य गवाह छथि आ परमेश्‍वरक सृष्‍टिक मूलस्रोत छथि से ई कहैत छथि—

यूहन्‍ना 1:18
परमेश्‍वर केँ केओ कहियो नहि देखने छनि। मुदा एकलौता पुत्र, जे अपने परमेश्‍वर छथि, और जे पिताक संगति मे रहैत छथि, वैह हुनका प्रगट कयने छथिन।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT