A A A A A

अतिरिक्त: [Revivial]


याकूब 4:8
परमेश्‍वरक लग मे आउ तँ ओहो अहाँ सभक लग मे आबि जयताह। यौ पापी लोक सभ, अपन हाथ शुद्ध करू। यौ दूमतिया लोक सभ, अपन हृदय पवित्र करू।

मसीह-दूत 2:17-18
[17] ‘परमेश्‍वर ई कहैत छथि जे, अन्‍त समय मे सभ वर्गक मनुष्‍य केँ हम अपन आत्‍मा देबैक। तखन तोरा सभक बेटा-बेटी सभ हमरा सँ सम्‍बाद पाओत आ सुनाओत। तोरा सभक युवक सभ हमरा द्वारा प्रगट कयल दृश्‍य देखत, और तोरा सभक वृद्ध लोकनि सपना देखत।[18] हँ, हम अपन दास-दासी सभ केँ सेहो ओहि समय मे अपन आत्‍मा देबैक और ओ सभ हमरा सँ सम्‍बाद पाओत आ सुनाओत।

2 तिमुथियुस 4:3-4
[3] किएक तँ एहन समय आबि रहल अछि जखन लोक सभ सही शिक्षाक बात सुनब बरदास्‍त नहि करत, बल्‍कि अपना इच्‍छाक अनुसार अपना चारू कात तेहन शिक्षक सभक भीड़ जमा करत जे ओकरा सभ केँ वैह बात सुनौतैक जे ओ सभ सुनऽ चाहैत अछि।[4] ओ सभ सत्‍य केँ सुनऽ काल मे कान मुनि लेत आ कपोल-कल्‍पित खिस्‍सा-पिहानीक पाछाँ दौड़त।

इफिसी 5:14
एहि कारणेँ कहलो जाइत अछि जे, “हौ सुतनिहार, जागह! मृत्‍यु मे सँ जीबि उठह, तँ मसीह तोरा पर अपन इजोत चमकौथुन।”

मत्ती 6:33
बल्‍कि सभ सँ पहिने परमेश्‍वरक राज्‍य पर, आ परमेश्‍वर जाहि प्रकारक धार्मिकता अहाँ सँ चाहैत छथि, ताहि पर मोन लगाउ, तँ ई सभ वस्‍तु सेहो अहाँ केँ देल जायत।

मसीह-दूत 2:38
पत्रुस उत्तर देलथिन, “अहाँ सभ गोटे अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू और यीशु मसीहक नाम सँ बपतिस्‍मा लिअ, जाहि सँ परमेश्‍वर अहाँ सभक पाप केँ क्षमा करथि आ अहाँ सभ केँ पवित्र आत्‍मा प्रदान करथि।

मसीह-दूत 3:19-21
[19] तेँ आब अहाँ सभ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू और परमेश्‍वर लग आउ, जाहि सँ अहाँ सभक पाप मेटित होअय और प्रभु अहाँ सभ केँ आत्‍मिक उत्‍साहक समय प्रदान करथि,[20] और जाहि सँ अहाँ सभ लग परमेश्‍वर अपन मसीह केँ पठबथि जिनका ओ पहिनहि सँ नियुक्‍त कयने छथिन, अर्थात् यीशु केँ।[21] ई आवश्‍यक अछि जे ओ ताबत धरि स्‍वर्ग मे रहथि जाबत धरि सभ बातक सुधार करबाक ओ समय नहि आओत जाहि समयक सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वर प्राचीन काल मे अपन चुनल प्रवक्‍ता लोकनि द्वारा वचन देने छथि।

लूका 15:7
हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, एहि तरहेँ निनान्‍नबे एहन धर्मी सभ जे ई बुझैत अछि जे हमरा अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करबाक कोनो आवश्‍यकता नहि अछि, स्‍वर्ग मे ओकरा सभक अपेक्षा ओहि एक पापीक लेल बेसी आनन्‍द मनाओल जायत जे अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करैत अछि।

मरकुस 1:15
“समय आबि गेल अछि, परमेश्‍वरक राज्‍य लग मे अछि! अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू आ शुभ समाचार पर विश्‍वास करू।”

मत्ती 3:6
और अपन पाप स्‍वीकार करैत यरदन नदी मे हुनका सँ बपतिस्‍मा लेलक।

मत्ती 11:20-24
[20] तकरबाद यीशु ओहि नगर सभ केँ, जाहि मे ओ सभ सँ बेसी चमत्‍कार वला काज सभ कयने छलाह, तकरा सभ केँ धिक्‍कारऽ लगलथिन, कारण, ओहि नगरक निवासी सभ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन नहि कयने छल।[21] “है खुराजीन नगर, तोरा धिक्‍कार छौक! है बेतसैदा नगर, तोरा धिक्‍कार छौक! किएक तँ जे चमत्‍कार सभ तोरा सभक बीच कयल गेल, से जँ सूर आ सीदोन नगर मे कयल गेल रहैत तँ ओ सभ बहुत पहिनहि चट्टी ओढ़ि छाउर पर बैसि कऽ हृदय-परिवर्तन कऽ लेने रहैत।[22] हम तोरा सभ केँ कहैत छिऔक जे, न्‍यायक दिन मे तोरा सभक अपेक्षा सूर आ सीदोन नगरक दशा सहबा जोगरक रहतैक।[23] आ तोँ, है कफरनहूम नगर! की तोँ स्‍वर्ग तक उठाओल जयबेँ? नहि, तोँ तँ पाताल मे खसाओल जयबेँ। कारण, जे चमत्‍कार सभ तोरा सभक बीच कयल गेल, से जँ सदोम नगर मे कयल गेल रहैत तँ ओ आइ धरि कायम रहैत।[24] तैयो हम तोरा कहैत छिऔक जे न्‍यायक दिन मे तोहर दशाक अपेक्षा सदोमक दशा सहबा जोगरक रहतैक।”

1 पत्रुस 4:17
किएक तँ न्‍यायक समय आबि गेल अछि आ से परमेश्‍वरक परिवारे सँ शुरू भऽ रहल अछि। जँ न्‍यायक शुरुआत अपना सभ सँ भऽ रहल अछि, तँ तकरा सभ केँ की होयतैक जे सभ अनाज्ञाकारी भऽ परमेश्‍वरक शुभ समाचार केँ नहि मानैत अछि?

1 पत्रुस 5:10
अहाँ सभ केँ कनेक काल धरि कष्‍ट सहन कऽ लेलाक बाद, परमेश्‍वर, जे सम्‍पूर्ण कृपाक स्रोत छथि, से अपने अहाँ सभ केँ सिद्ध, दृढ़, बलवन्‍त आ स्‍थिर करताह। ओ तँ यीशु मसीह मे अहाँ सभ केँ अपन अनन्‍त कालीन महिमा मे सहभागी होयबाक लेल बजौने छथि।

इफिसी 1:18
हम इहो प्रार्थना करैत छी जे ओ अहाँ सभक भितरी आँखि खोलि देथि, जाहि सँ अहाँ सभ जानि ली जे हुनका द्वारा बजाओल जयबाक कारणेँ अहाँ सभक आशा कतेक महान्‌ अछि, और ई जानि ली जे हुनकर लोक हुनका लेल केहन अद्‌भुत आ अनमोल उत्तराधिकार छनि ।

रोमी 6:4
तेँ अपना सभ बपतिस्‍मा द्वारा हुनका मृत्‍यु मे सहभागी भऽ हुनका संग गाड़ल सेहो गेल छी जाहि सँ जहिना यीशु मसीह पिता परमेश्‍वरक महिमा द्वारा मुइल सभ मे सँ जिआओल गेलाह तहिना अपनो सभ एक नव जीवन जीबी।

Maithili Bible 2010
©2010 The Bible Society of India and WBT