1 |
जखन बलि-भेँड़ा सातम छाप खोललनि, तँ करीब आधा घण्टा धरि स्वर्ग मे कोनो आवाज नहि सुनाइ पड़ल; सभ शान्त रहल। |
2 |
तकरबाद हम ओहि सातटा स्वर्गदूत केँ देखलियनि, जे सभ परमेश्वरक सम्मुख ठाढ़ रहैत छथि। हुनका सभ केँ सातटा धुतहू देल गेलनि। |
3 |
तखन एकटा आरो स्वर्गदूत सोनाक धूपदानी लऽ कऽ अयलाह आ वेदी लग मे ठाढ़ भऽ गेलाह। हुनका बहुत रास धूप देल गेलनि, जाहि सँ ओ ओकरा सिंहासनक समक्ष स्थित सोनाक वेदी पर परमेश्वरक सभ लोकक प्रार्थनाक संग चढ़बथि। |
4 |
स्वर्गदूतक हाथ सँ धूपक धुआँ परमेश्वरक लोकक प्रार्थना सभक संग परमेश्वरक सम्मुख ऊपर पहुँचलनि। |
5 |
तकरबाद स्वर्गदूत धूपदानी लेलनि आ वेदी परक आगि सँ भरि कऽ ओकरा पृथ्वी पर फेकि देलथिन। एहि पर मेघ तड़कऽ आ गोंगिआय लागल, बिजुली चमकऽ लागल आ भूकम्प भेल। |
6 |
आब ओ सातो स्वर्गदूत, जिनका सभ लग सातटा धुतहू छलनि, ओकरा फुकबाक लेल तैयार भऽ गेलाह। |
7 |
पहिल स्वर्गदूत धुतहू फुकलनि। एहि पर खूनक संग पाथर आ आगि पृथ्वी पर बरसाओल गेल। एहि सँ पृथ्वीक एक तिहाइ भाग आ गाछ-वृक्ष सभक एक तिहाइ भाग भस्म भऽ गेल, और सभ हरियर घास-पात भस्म भऽ गेल। |
8 |
दोसर स्वर्गदूत धुतहू फुकलनि, तँ आगि सँ जरैत एक विशाल पहाड़ सन वस्तु समुद्र मे फेकल गेल। एहि सँ समुद्रक एक तिहाइ भाग खून बनि गेल। |
9 |
समुद्र मेहक एक तिहाइ प्राणी मरि गेल आ एक तिहाइ पानि जहाज सभ नष्ट भऽ गेल। |
10 |
तेसर स्वर्गदूत धुतहू फुकलनि, तँ एक विशाल तारा, मशाल जकाँ जरैत, आकाश सँ टुटल आ नदी सभक और जलस्रोत सभक एक तिहाइ भाग पर खसि पड़ल। |
11 |
ओहि ताराक नाम “चिरैंता”, अर्थात् तिताह, अछि। ओहि सँ जलक एक तिहाइ भाग तीत भऽ गेल आ जल केँ तीत भऽ जयबाक कारणेँ बहुतो लोक मरि गेल। |
12 |
चारिम स्वर्गदूत धुतहू फुकलनि, तँ सूर्यक एक तिहाइ भाग, चन्द्रमाक एक तिहाइ भाग आ तारा सभक एक तिहाइ भाग पर प्रहार भेल, जाहि सँ ओकरा सभक एक तिहाइ भाग अन्हार भऽ गेलैक। दिनक एक तिहाइ भाग मे इजोत नहि रहल आ तहिना रातिक एक तिहाइ भागक सेहो वैह अवस्था भऽ गेलैक। |
13 |
हम फेर नजरि उठौलहुँ तँ बीच आकाश मे एकटा गरुड़ केँ उड़ैत देखलहुँ, जे जोर सँ ई घोषणा कऽ रहल छल, “कष्ट! कष्ट! कष्ट! पृथ्वीक निवासी सभ पर धुतहूक बाँकी आवाजक कारणेँ, जकरा तीनटा स्वर्गदूत फुकऽ वला छथि कतेक भयानक विपत्ति औतैक! हाय! हाय! हाय!” |
Maithili Bible 2010 |
©2010 The Bible Society of India and WBT |
प्रकाशित-वाक्य 8:1 |
प्रकाशित-वाक्य 8:2 |
प्रकाशित-वाक्य 8:3 |
प्रकाशित-वाक्य 8:4 |
प्रकाशित-वाक्य 8:5 |
प्रकाशित-वाक्य 8:6 |
प्रकाशित-वाक्य 8:7 |
प्रकाशित-वाक्य 8:8 |
प्रकाशित-वाक्य 8:9 |
प्रकाशित-वाक्य 8:10 |
प्रकाशित-वाक्य 8:11 |
प्रकाशित-वाक्य 8:12 |
प्रकाशित-वाक्य 8:13 |
प्रकाशित-वाक्य 1 / प्रवा 1 |
प्रकाशित-वाक्य 2 / प्रवा 2 |
प्रकाशित-वाक्य 3 / प्रवा 3 |
प्रकाशित-वाक्य 4 / प्रवा 4 |
प्रकाशित-वाक्य 5 / प्रवा 5 |
प्रकाशित-वाक्य 6 / प्रवा 6 |
प्रकाशित-वाक्य 7 / प्रवा 7 |
प्रकाशित-वाक्य 8 / प्रवा 8 |
प्रकाशित-वाक्य 9 / प्रवा 9 |
प्रकाशित-वाक्य 10 / प्रवा 10 |
प्रकाशित-वाक्य 11 / प्रवा 11 |
प्रकाशित-वाक्य 12 / प्रवा 12 |
प्रकाशित-वाक्य 13 / प्रवा 13 |
प्रकाशित-वाक्य 14 / प्रवा 14 |
प्रकाशित-वाक्य 15 / प्रवा 15 |
प्रकाशित-वाक्य 16 / प्रवा 16 |
प्रकाशित-वाक्य 17 / प्रवा 17 |
प्रकाशित-वाक्य 18 / प्रवा 18 |
प्रकाशित-वाक्य 19 / प्रवा 19 |
प्रकाशित-वाक्य 20 / प्रवा 20 |
प्रकाशित-वाक्य 21 / प्रवा 21 |
प्रकाशित-वाक्य 22 / प्रवा 22 |
|
|
|
|
|