1 |
विश्राम-दिनक प्रात भेने, अर्थात् सप्ताहक पहिल दिन, भोर सँ भोर मरियम मग्दलीनी आ दोसर मरियम कबर देखबाक लेल गेलीह। |
2 |
एकाएक बड़का भूकम्प भेल, कारण, परमेश्वरक एक स्वर्गदूत स्वर्ग सँ उतरलाह, और कबरक मुँह पर सँ पाथर गुड़का कऽ ओहि पर बैसि रहलाह। |
3 |
हुनकर रूप बिजलोका जकाँ चमकैत छलनि आ हुनकर वस्त्र बर्फ सन उज्जर छलनि। |
4 |
पहरा पर बैसल सैनिक सभ हुनका देखि एतेक डेरा गेल जे थर-थर काँपऽ लागल आ मरल सन भऽ गेल। |
5 |
तखन स्वर्गदूत ओहि स्त्रीगण सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ नहि डेराउ। हम जनैत छी जे अहाँ सभ यीशु केँ, जिनका क्रूस पर चढ़ाओल गेल छलनि, तिनका तकबाक लेल आयल छी। |
6 |
मुदा ओ एतऽ नहि छथि। ओ जहिना कहने छलाह तहिना जीबि उठल छथि। आउ, ओहि स्थान केँ देखू जतऽ हुनका राखल गेल छलनि, |
7 |
आ तखन जल्दी जा कऽ हुनकर शिष्य सभ केँ ई समाचार सुनाउ जे, ‘ओ मुइल सभ मे सँ जीबि उठलाह! अहाँ सभ सँ पहिने गलील जा रहल छथि आ ओतऽ हुनका सँ भेँट होयत।’ ई बात अहाँ सभ केँ कहि देलहुँ।” |
8 |
ओ सभ डर आ तैयो बड़का खुशीक संग ई समाचार शिष्य सभ केँ सुनयबाक लेल कबर पर सँ दौड़ पड़लीह। |
9 |
एकाएक यीशु हुनका सभक आगाँ मे प्रगट भऽ देखाइ देलथिन आ नमस्कार कयलथिन। स्त्रीगण सभ लग मे जा कऽ हुनकर पयर पकड़ि कऽ आराधना कयलनि। |
10 |
यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ डेराउ नहि। जा कऽ हमर भाय सभ केँ गलील मे पहुँचबाक लेल कहिऔक। ओतहि ओ सभ हमरा देखत।” |
11 |
स्त्रीगण सभ एखन रस्ते मे छलीह। ओम्हर कबर पर पहरा देबऽ वला मे सँ किछु सैनिक सभ नगर मे जा कऽ मुख्यपुरोहित सभ केँ एहि घटनाक सम्पूर्ण विवरण कहि सुनौलक। |
12 |
मुख्यपुरोहित सभ यहूदी सभक बूढ़-प्रतिष्ठित लोकनि केँ जमा कऽ एहि विषय मे किछु विचार-विमर्श कयलनि। तकरबाद ओ सभ ओहि सैनिक सभ केँ बहुत रुपैया-पैसा दैत कहलथिन, |
13 |
“लोक केँ अहाँ सभ ई कहू जे, ‘राति मे हम सभ जखन सुतल छलहुँ तँ ओकर चेला सभ ओकर लास चोरा कऽ लऽ गेल।’ |
14 |
राज्यपाल पिलातुस तक जँ कतौ ई खबरि पहुँचत तँ हम सभ हुनका सँ ई बात सभ मिला लेब और अहाँ सभ केँ बचा लेब।” |
15 |
सैनिक सभ हुनका सभ सँ ओ पाइ लऽ लेलक आ जहिना ओ सभ सिखौने छलथिन तहिना लोक सभ केँ कहऽ लागल। ई अफवाह यहूदी सभ मे दूर-दूर पसरि गेल और आइओ तक ओकरा सभ मे प्रचलित अछि। |
16 |
यीशुक एगारह शिष्य गलील जा कऽ ओहि पहाड़ पर गेलाह जतऽ यीशु हुनका सभ केँ पहुँचबाक लेल कहने छलथिन। |
17 |
यीशु केँ देखि कऽ ओ सभ हुनकर आराधना कयलथिन। मुदा किछु गोटेक मोन मे हुनका बारे मे शंको छलनि। |
18 |
तखन यीशु हुनका सभक लग आबि कहलथिन, “स्वर्ग आ पृथ्वीक सम्पूर्ण अधिकार हमरा देल गेल अछि। |
19 |
एहि लेल अहाँ सभ आब जा कऽ सभ जातिक लोक केँ हमर शिष्य बनाउ और ओकरा सभ केँ पिता, पुत्र आ पवित्र आत्माक नाम सँ बपतिस्मा दिऔक। |
20 |
हम जतेक आदेश अहाँ सभ केँ देने छी तकर सभक पालन करबाक लेल ओकरा सभ केँ सिखाउ। मोन राखू, संसारक अन्त तक हम सदिखन अहाँ सभक संग छी।” |
Maithili Bible 2010 |
©2010 The Bible Society of India and WBT |
मत्ती 28:1 |
मत्ती 28:2 |
मत्ती 28:3 |
मत्ती 28:4 |
मत्ती 28:5 |
मत्ती 28:6 |
मत्ती 28:7 |
मत्ती 28:8 |
मत्ती 28:9 |
मत्ती 28:10 |
मत्ती 28:11 |
मत्ती 28:12 |
मत्ती 28:13 |
मत्ती 28:14 |
मत्ती 28:15 |
मत्ती 28:16 |
मत्ती 28:17 |
मत्ती 28:18 |
मत्ती 28:19 |
मत्ती 28:20 |
मत्ती 1 / मत्ती 1 |
मत्ती 2 / मत्ती 2 |
मत्ती 3 / मत्ती 3 |
मत्ती 4 / मत्ती 4 |
मत्ती 5 / मत्ती 5 |
मत्ती 6 / मत्ती 6 |
मत्ती 7 / मत्ती 7 |
मत्ती 8 / मत्ती 8 |
मत्ती 9 / मत्ती 9 |
मत्ती 10 / मत्ती 10 |
मत्ती 11 / मत्ती 11 |
मत्ती 12 / मत्ती 12 |
मत्ती 13 / मत्ती 13 |
मत्ती 14 / मत्ती 14 |
मत्ती 15 / मत्ती 15 |
मत्ती 16 / मत्ती 16 |
मत्ती 17 / मत्ती 17 |
मत्ती 18 / मत्ती 18 |
मत्ती 19 / मत्ती 19 |
मत्ती 20 / मत्ती 20 |
मत्ती 21 / मत्ती 21 |
मत्ती 22 / मत्ती 22 |
मत्ती 23 / मत्ती 23 |
मत्ती 24 / मत्ती 24 |
मत्ती 25 / मत्ती 25 |
मत्ती 26 / मत्ती 26 |
मत्ती 27 / मत्ती 27 |
मत्ती 28 / मत्ती 28 |
|
|
|
|
|