A A A A A
प्रकाशित-वाक्‍य 18
1
तकरबाद हम एक आओर स्‍वर्गदूत केँ स्‍वर्ग सँ उतरैत देखलहुँ। हुनका लग पैघ अधिकार छलनि आ हुनकर तेज सँ धरती प्रकाशित भऽ गेल।
2
ओ ऊँच स्‍वर मे बजलाह, “सर्वनाश भऽ गेलैक! महानगर बेबिलोनक सर्वनाश भऽ गेलैक! ओ दुष्‍टात्‍मा सभक निवास स्‍थान, सभ प्रकारक अशुद्ध आत्‍माक अड्डा आ प्रत्‍येक अशुद्ध आ घृणित चिड़ैक अखाढ़ा बनि गेल अछि।
3
किएक तँ सभ जातिक लोक ओकर कुकर्मक काम-वासना वला मदिरा पिने अछि, पृथ्‍वीक राजा सभ ओकरा संग कुकर्म कयने अछि आ पृथ्‍वीक व्‍यापारी सभ ओकर अपार भोग-विलास करबाक कारणेँ धनवान भऽ गेल अछि।”
Maithili Bible 2010