A A A A A
प्रकाशित-वाक्‍य 11
1
तकरबाद हमरा एकटा नापऽ वला लग्‍गा देल गेल आ कहल गेल जे, “उठह, परमेश्‍वरक मन्‍दिर आ वेदी केँ नापह और मन्‍दिर मे आराधना कयनिहार सभक गिनती करह।
2
मुदा मन्‍दिरक बाहरी आङन केँ छोड़ि दहक, ओकरा नहि नापह, किएक तँ ओ परमेश्‍वर केँ नहि चिन्‍हऽ वला जातिक लोक सभ केँ देल गेल अछि। ओ सभ बयालीस महिना तक पवित्र नगर केँ लतमरदनि करैत रहत।
3
हम अपन दूनू गवाह केँ अधिकार देबैक जे ओ सभ चट्टी ओढ़ि कऽ एक हजार दू सय साठि दिन तक हमरा सँ पाओल सम्‍बादक प्रचार करथि।”
Maithili Bible 2010