A A A A A
एक साल में बाइबल
अगस्त 25

1 कोरिन्‍थी 7:1-19
1. आब ओहि बात सभक विषय मे जे अहाँ सभ पत्र मे लिखि कऽ पुछने छी—हँ, पुरुषक लेल स्‍त्री केँ नहि छुबी से नीक बात अछि।
2. मुदा एतेक अनैतिक सम्‍बन्‍ध चलि रहल अछि जे ताहि सँ बचबाक लेल प्रत्‍येक पुरुष केँ अपन स्‍त्री होअय आ प्रत्‍येक स्‍त्री केँ अपन पति।
3. पति अपना स्‍त्रीक प्रति अपन वैवाहिक कर्तव्‍य पूरा करय, आ तहिना स्‍त्री सेहो अपना पतिक प्रति।
4. स्‍त्री केँ अपना शरीर पर अधिकार नहि छैक; ओहि पर ओकर पतिक अधिकार छैक। आ तहिना पति केँ ओकर अपना शरीर पर अधिकार नहि छैक; ओहि पर ओकर स्‍त्रीक अधिकार छैक।
5. अहाँ सभ एक-दोसर केँ एहि अधिकार सँ वंचित नहि करू। जँ अपना केँ प्रार्थना मे समर्पित करबाक लेल से करबो करी तँ दूनूक सहमत सँ आ किछुए समयक लेल। तखन फेर पहिने जकाँ एक संग रहू जाहि सँ एना नहि होअय जे अहाँ सभ केँ अपना पर काबू नहि राखि सकबाक कारणेँ अहाँ सभ केँ शैतान प्रलोभन मे फँसाबय।
6. हमर कहबाक अर्थ ई नहि जे एक-दोसर सँ अलग रहबे करू, बल्‍कि जँ रही तँ कोना आ किएक।
7. हम ई चुनितहुँ जे सभ मनुष्‍य हमरा जकाँ अविवाहित रहय । मुदा प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति केँ परमेश्‍वरक दिस सँ अपन विशेष वरदान भेटल अछि—ककरो एक प्रकारक तँ ककरो दोसर प्रकारक।
8. हम अविवाहित सभ केँ आ विधवा सभ केँ ई कहैत छी जे हमरे जकाँ ओहिना रहनाइ अहाँ सभक लेल उत्तम बात होयत।
9. मुदा जँ अहाँ सभ अपना पर काबू नहि राखि सकैत छी तँ विवाह कऽ लिअ, किएक तँ काम-वासना सँ जरैत रहबाक अपेक्षा विवाह कयनाइ नीक अछि।
10. विवाहित सभक लेल हमर नहि, बल्‍कि प्रभुक ई आदेश अछि जे स्‍त्री अपन पति केँ नहि छोड़ि दओ।
11. आ जँ ओ छोड़िओ दय तँ ओकरा अविवाहित रूप मे रहऽ पड़त अथवा अपन पति सँ फेर मेल कऽ लेबाक अछि। पति सेहो अपन स्‍त्रीक परित्‍याग नहि करओ।
12. बाँकी लोक सभ सँ प्रभुक नहि, बल्‍कि हमर कथन अछि, जे जँ कोनो विश्‍वासी भायक स्‍त्री विश्‍वास नहि करैत होअय आ ओ ओहि भायक संग रहबाक लेल सहमत अछि तँ ओ भाय स्‍त्रीक परित्‍याग नहि करओ।
13. जँ कोनो स्‍त्री केँ एहन पति होअय जे विश्‍वास नहि करैत होअय आ स्‍त्रीक संग रहबाक लेल सहमत होअय तँ ओ पतिक परित्‍याग नहि करओ
14. किएक तँ अविश्‍वासी पति अपन स्‍त्री द्वारा पवित्र बनाओल गेल अछि आ तहिना अविश्‍वासी स्‍त्री अपन पति द्वारा पवित्र बनाओल गेल अछि। नहि तँ अहाँ सभक बाल-बच्‍चा अशुद्ध होइत, मुदा आब ओहो सभ पवित्र अछि।
15. मुदा जँ कोनो अविश्‍वासी अलग होमऽ चाहैत अछि तँ ओकरा अलग होमऽ दिऔक। एहन परिस्‍थिति मे विश्‍वास कयनिहार भाइ वा बहिन अपना पति वा स्‍त्रीक संग रहबाक बन्‍हन मे नहि अछि। परमेश्‍वर तँ अपना सभ केँ शान्‍तिक जीवन व्‍यतीत करबाक लेल बजौने छथि।
16. हे स्‍त्री, अहाँ की जानऽ गेलहुँ जे अहाँ अपन पतिक उद्धारक कारण बनब वा नहि बनब? वा हे पति, अहाँ की जानऽ गेलहुँ जे अहाँ अपन स्‍त्रीक उद्धारक कारण बनब वा नहि बनब?
17. तैयो प्रभु जकरा जाहि स्‍थिति मे रखने छथि, परमेश्‍वर जकरा जाहि स्‍थिति मे अपना लग बजौने छथि, से ताही प्रकारक जीवन बिताबय। सभ मण्‍डलीक लेल हम यैह आदेश दैत छी।
18. जँ बजाओल गेलाक समय मे ककरो खतना भऽ चुकल होइक तँ ओ तकरा नहि बदलओ। जँ बजाओल गेलाक समय मे ककरो खतना नहि भेल होइक तँ ओ खतना नहि कराबओ।
19. कारण, ने तँ खतना करयबाक कोनो महत्‍व अछि आ ने ओकर अभावक। महत्‍व अछि परमेश्‍वरक आज्ञा सभक पालन करबाक।