Instagram
English
A A A A A
मसीह-दूत 15:22-41
22. तखन मसीह-दूत सभ आ मण्‍डलीक देख-रेख कयनिहार लोकनि पूरा मण्‍डलीक संग मिलि कऽ निर्णय कयलनि जे अपना सभ मे सँ किछु गोटे केँ चुनि कऽ पौलुस आ बरनबासक संग अन्‍ताकिया पठाबी। तँ यहूदा, जिनकर दोसर नाम बरसब्‍बा छलनि, आ सिलास केँ ओ सभ चुनलनि। हुनका सभ केँ विश्‍वासी भाय सभ विशेष मानैत छलनि।
23. हुनके सभक हाथेँ ओ सभ ई चिट्ठी पठौलनि— प्रिय अन्‍ताकिया, सीरिया आ किलिकियाक निवासी गैर-यहूदी विश्‍वासी भाय सभ, अहाँ सभ केँ मसीह-दूत आ यरूशलेमक मण्‍डलीक देख-रेख कयनिहार अहाँ सभक भाय लोकनिक दिस सँ नमस्‍कार।
24. हमरा सभ केँ सुनबा मे आयल अछि जे हमरा सभ मे सँ किछु गोटे अहाँ सभक ओहिठाम जा कऽ अपना बात द्वारा दुःख देने अछि। हम सभ ओकरा सभ केँ एहि तरहक कोनो आदेश नहि देने छलिऐक।
25. तेँ हम सभ एक ठाम जमा भऽ कऽ सभक सहमति सँ दू आदमी केँ अहाँ सभ लग पठयबाक निर्णय कयलहुँ।
26. हमरा सभक प्रिय मित्र पौलुस आ बरनबास, जिनकर जान अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक नामक कारणेँ जाय लागल छलनि,
27. तिनका सभक संग हम सभ एहि दूनू भाय यहूदा आ सिलास केँ अहाँ सभ लग पठा रहल छी। ओ सभ अपन मुँहो सँ यैह बात कहि देताह जे एहि पत्र मे लिखल अछि।
28. पवित्र आत्‍मा केँ आ हमरा सभ केँ ई उचित बुझायल जे निम्‍नलिखित आवश्‍यक बात सभ केँ छोड़ि कऽ आरो कोनो बातक बोझ अहाँ सभ पर नहि लादी—
29. मूर्ति पर चढ़ाओल खयबाक वस्‍तु सँ, खूनक खान-पान सँ, कण्‍ठ दबा कऽ मारल ⌞अर्थात् बिनु खून बहा कऽ मारल⌟ पशुक माँसु सँ, आ अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध सँ बँचू। एहि बात सभ सँ दूर रहला सँ अहाँ सभक भलाइ होयत। शेष शुभ।
30. हुनका सभ केँ मण्‍डलीक लोक विदा कयलकनि, आ ओ सभ अन्‍ताकिया गेलाह। ओतऽ पहुँचि कऽ ओ सभ मण्‍डलीक लोक केँ बजा कऽ चिट्ठी देलथिन।
31. ओ सभ चिट्ठी पढ़ि प्रोत्‍साहनक एहन बात सँ अति आनन्‍दित भेलाह।
32. यहूदा आ सिलास, जे स्‍वयं परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता छलाह, विभिन्‍न तरहक बात सँ विश्‍वासी भाय सभ केँ विश्‍वास मे मजगूत आ प्रोत्‍साहित कयलथिन।
33. यहूदा आ सिलास किछु दिन धरि अन्‍ताकिया मे रहलाह। तकरबाद विश्‍वासी भाय सभ हुनका सभ केँ आशीर्वाद दऽ कऽ, तिनका सभ लग विदा कऽ देलथिन जे सभ हुनका सभ केँ पठौने छलथिन।
34. [मुदा सिलास ओहीठाम रहबाक निर्णय कयलनि।]
35. पौलुस आ बरनबास अन्‍ताकिया मे रहि गेलाह, जतऽ ओ सभ, आ दोसरो बहुत गोटे, प्रभुक वचनक शिक्षा दैत रहलाह आ शुभ समाचार सुनबैत रहलाह।
36. किछु समय बितला पर पौलुस बरनबास केँ कहलथिन, “चलू! जाहि-जाहि नगर मे अपना सभ प्रभुक वचनक प्रचार कयने छी, ताहि-ताहि ठाम जा कऽ देखी जे ओतुक्‍का विश्‍वासी भाय सभ केहन छथि।”
37. बरनबास यूहन्‍ना केँ, जिनकर दोसर नाम मरकुस छलनि, सेहो संग लऽ जाय चाहैत छलाह,
38. मुदा पौलुस केँ ई बात उपयुक्‍त नहि बुझि पड़लनि जे, जे आदमी हुनका सभ केँ पंफूलिया प्रदेश मे छोड़ि देने छलनि आ जे हुनका सभक काज मे संग नहि देबऽ चाहलक, तकरा अपना संग मे लऽ जाइ।
39. एहि पर हुनका दूनू गोटे मे बहुत बड़का मतभेद भऽ गेलनि, और अन्‍त मे ओ सभ एक-दोसर सँ अलग भऽ गेलाह। बरनबास मरकुस केँ अपना संग लऽ पानि जहाज सँ साइप्रस द्वीप चल गेलाह।
40. पौलुस सिलास केँ चुनलनि। अन्‍ताकियाक भाय सभ हुनका सभ केँ प्रभुक कृपा पर सौंपि विदा कयलथिन।
41. ओ सभ सीरिया आ किलिकिया प्रदेश मे घूमि-घूमि कऽ ओहिठामक मण्‍डली सभ केँ विश्‍वास मे मजगूत करैत आगाँ बढ़ैत गेलाह।