A A A A A
एक साल में बाइबल
जुलाई 16

मसीह-दूत 19:21-40
21. एहि घटना सभक बाद पौलुस अपना मोन मे मकिदुनिया और अखाया प्रदेश दऽ कऽ यरूशलेम जयबाक निर्णय कऽ लेलनि। ओ कहलनि, “ओतऽ पहुँचलाक बाद हमरा रोम सेहो गेनाइ आवश्‍यक अछि।”
22. तखन ओ अपन दूटा सहकर्मी तिमुथियुस आ इरास्‍तुस केँ आगाँ मकिदुनिया पठा कऽ अपने किछु दिन आओर आसिया प्रदेश मे रहलाह।
23. एही समय मे प्रभुक “बाट” केँ लऽ कऽ इफिसुस शहर मे बड़का खलबली मचि गेल।
24. देमेत्रियुस नामक एक सोनार, जे अरतिमिस देवीक मन्‍दिरक चानीक मुरुत बनबैत छल आ कारीगर सभ केँ सेहो बहुते काज दिअबैत छल,
25. से एक दिन अपन कारीगर सभ आ एहि व्‍यवसाय सँ सम्‍बन्‍धित आरो कारीगर सभ केँ सेहो जमा कऽ कऽ कहलकैक, “यौ भाइ लोकनि! अहाँ सभ केँ बुझले अछि जे अपना सभक सभ धन-सम्‍पत्ति एही व्‍यवसाय सँ अछि।
26. और इहो देखि आ सुनि रहल छी जे ई पौलुस कोना इफिसुसो मे आ करीब-करीब सौंसे आसिया प्रदेश मे बहुतो लोक केँ समझा-बुझा कऽ बहका देने छैक जे, हाथक बनाओल देवता तँ देवता अछिए नहि।
27. एहि सँ एतबे बातक खतरा नहि, जे अपना सभक व्‍यवसायक प्रतिष्‍ठा जाइत रहत, बल्‍कि एकरो जे महान् देवी अरतिमिसक मन्‍दिर तुच्‍छ बुझल जयतनि, और ई देवी जिनकर पूजा आसिया प्रदेश मे आ सौंसे संसार मे सेहो कयल जाइत छनि, तिनकर ईश्‍वरीय गौरव समाप्‍त भऽ जयतनि।”
28. ई सुनि ओकरा सभक क्रोध भड़कि उठल और ओ सभ जोर-जोर सँ नारा लगाबऽ लागल जे, “इफिसी सभक अरतिमिस देवी महान्‌ छथि!”
29. आब सौंसे शहर मे हुल्‍लड़ि मचि गेल। लोक सभ गयुस और अरिस्‍तर्खुस, जे मकिदुनिया प्रदेशक छलाह आ पौलुसक संग यात्रा कऽ रहल छलाह, तिनका सभ केँ पकड़ि लेलकनि आ सभ केओ एक जुट भऽ कऽ खेलक मैदान दिस दौड़ि पड़ल।
30. पौलुस भीड़क समक्ष जा कऽ लोक सभ केँ किछु कहऽ चाहैत छलाह, मुदा आरो शिष्‍य सभ हुनका ओतऽ नहि जाय देलथिन।
31. आसियाक किछु उच्‍चाधिकारी सभ, जे पौलुसक मित्र छलनि, सेहो हुनका खबरि पठा कऽ आग्रह कयलथिन जे ओ मैदान मे जयबाक कोशिश नहि करथि।
32. एम्‍हर मैदान मे लोक सभक बीच ततेक गड़बड़ी छल जे ओ सभ हल्‍ला कऽ कऽ केओ किछु कहैत छल, तँ केओ किछु। विशेष लोक इहो नहि जनैत छल जे एतऽ आयल छी किएक।
33. तखन यहूदी सभ सिकन्‍दर केँ ठेलि-ठालि कऽ प्रवक्‍ताक रूप मे सभाक आगाँ ठाढ़ कऽ देलकनि, और भीड़ मे सँ किछु लोक हुनका निर्देश देबऽ लगलनि। ओ भीड़ केँ चुप रहबाक लेल हाथ सँ संकेत कऽ कऽ लोक केँ बुझाबऽ लगलाह,
34. मुदा लोक सभ जखन बुझलक जे ई यहूदी अछि तँ करीब दू घण्‍टा धरि एक स्‍वर मे नारा लगबैत रहल जे, “इफिसी सभक अरतिमिस देवी महान्‌ छथि!”
35. अन्‍त मे शहरक प्रधानजी भीड़ केँ शान्‍त कयलनि आ कहलथिन, “यौ इफिसुस-निवासी सभ! की संसारक प्रत्‍येक मनुष्‍य ई नहि जनैत अछि जे इफिसुस शहर महान् देवी अरतिमिसक मन्‍दिर आ आकाश सँ खसल हुनकर मुरुतक रक्षक अछि?
36. ई बात जखन निर्विवाद अछि तँ अहाँ सभ केँ शान्‍त रहबाक चाही आ बिनु सोचने-विचारने किछु नहि करबाक चाही।
37. कारण, अहाँ सभ तँ एहन व्‍यक्‍ति सभ केँ पकड़ि कऽ अनने छी जे ने तँ मन्‍दिर केँ लुटने अछि आ ने अपना सभक देवीक अपमान कयने अछि।
38. तेँ जँ देमेत्रियुस आ हुनकर संगी कारीगर सभ केँ ककरो सँ सिकायत छनि तँ कचहरी खुजल अछि आ न्‍यायाधीश लोकनि सेहो छथि। ओ सभ अपन अभियोग कचहरी मे पेश करथु।
39. और जँ अहाँ सभ कोनो दोसर प्रश्‍न उठाबऽ चाहैत होइ तँ तकर निर्णय नियमित नागरिक-सभा मे कयल जायत।
40. एखन हमरा डर अछि जे अजुका घटनाक कारणेँ कतौ अपना सभ पर दंगाक आरोप ने लगाओल जाय, कारण ई हुल्‍लड़ि बिनु कारणेँ छल, आ एकरा बारे मे अपना सभ कोनो उत्तर नहि दऽ सकब।”