A A A A A
एक साल में बाइबल
जुलाई 12

मसीह-दूत 17:1-15
1. ओ सभ अम्‍फिपुलस और अपुलोनिया नगर सभ दऽ कऽ थिसलुनिका शहर पहुँचलाह, जतऽ यहूदी सभक एक सभाघर छल।
2. पौलुस जहिना सभ ठाम करैत छलाह तहिना एहूठामक सभाघर मे गेलाह। तीन सप्‍ताह धरि विश्राम-दिन मे ओ ओकरा सभ सँ धर्मशास्‍त्र पर तर्क-वितर्क कयलनि,
3. और ओकरा सभ केँ धर्मशास्‍त्रक बात बुझबैत ओहि मे सँ एहि बातक प्रमाण दैत रहलाह जे उद्धारकर्ता-मसीह केँ दुःख भोगनाइ आ मरि कऽ जीबि उठनाइ आवश्‍यक छलनि। ओ कहैत छलाह, “ई यीशु जिनका बारे मे हम अहाँ सभ केँ सुना रहल छी, सैह उद्धारकर्ता-मसीह छथि।”
4. ई बात यहूदी सभ मे सँ किछु गोटे स्‍वीकार कयलक, और पौलुस आ सिलासक संग भऽ गेल। तहिना परमेश्‍वर पर श्रद्धा रखनिहार बहुत यूनानी सभ आ प्रतिष्‍ठित स्‍त्रीगण सभ सेहो विश्‍वास कयलक।
5. मुदा एहि पर यहूदी सभ ईर्ष्‍या सँ भरि गेल, आ किछु आवारा-गुण्‍डा सभ केँ चढ़ा-बढ़ा कऽ बड़का भीड़ जुटा लेलक आ शहर मे हूलि मचाबऽ लागल। तखन ओ सभ पौलुस आ सिलास केँ तकबाक लेल यासोनक घर गेल। ओ सभ हुनका सभ केँ पकड़ि कऽ जन-सभाक सामने आनऽ चाहैत छल।
6. मुदा यासोनक घर मे ओ सभ जखन नहि भेटलथिन, तँ ओ सभ यासोन आ किछु आरो विश्‍वासी भाय सभ केँ घिसिअबैत आनि कऽ शहरक पंच सभक सामने ठाढ़ कऽ देलक आ जोर-जोर सँ हल्‍ला करैत हुनका सभ पर दोष लगाबऽ लागल जे, “ई सभ जे सौंसे संसार केँ उनट-पुनट कऽ रहल अछि से सभ आब एतौ आबि गेल अछि
7. आ यासोन एकरा सभ केँ अपना घर मे पाहुन बना कऽ रखने अछि। ई सभ सम्राट-कैसरक कानून सभक विरोध कऽ रहल अछि आ कहैत अछि जे एक दोसर आदमी, यीशु, हमरा सभक राजा छथि।”
8. ई सुनि जनता आ शहरक हाकिम सभ बहुत घबड़ा गेलाह।
9. तेँ हाकिम सभ यासोन आ दोसरो लोक सभ सँ जमानत लेलनि, तखन हुनका सभ केँ जाय देलथिन।
10. ओही दिन अन्‍हार होइत देरी विश्‍वासी भाय सभ पौलुस आ सिलास केँ बिरीया नगर पठा देलथिन। ओतऽ पहुँचि कऽ ओ सभ यहूदी सभक सभाघर मे गेलाह।
11. बिरीया निवासी यहूदी सभ थिसलुनिका निवासी यहूदी सभक अपेक्षा नम्र भावनाक छल, कारण ओ सभ बहुत उत्‍सुकता सँ प्रभुक शुभ समाचारक बात सुनलक आ प्रत्‍येक दिन धर्मशास्‍त्रक अध्‍ययन नीक जकाँ एहि लेल करैत छल जे, देखी, पौलुसक कहल बात एहि सँ मिलैत अछि वा नहि।
12. फलस्‍वरूप बहुत यहूदी लोक सभ विश्‍वास कयलक। तहिना बहुतो प्रतिष्‍ठित यूनानी स्‍त्रीगण आ पुरुष सभ सेहो विश्‍वास कयलक।
13. जखन थिसलुनिकाक यहूदी सभ केँ पता चललैक जे पौलुस आब बिरीया मे परमेश्‍वरक वचनक प्रचार कऽ रहल अछि, तँ ओ सभ ओतौ जा कऽ हूलि मचबाबऽ आ जनता केँ भड़काबऽ लागल।
14. एहि पर विश्‍वासी भाय सभ तुरत पौलुसक लेल समुद्रक कात जयबाक व्‍यवस्‍था कऽ कऽ विदा कऽ देलथिन, मुदा सिलास आ तिमुथियुस बिरीये मे रहि गेलाह।
15. पौलुसक संग जे सभ गेलाह से सभ हुनका एथेन्‍स शहर तक पहुँचौलथिन। ओतऽ पौलुस हुनका सभ केँ कहलथिन जे, सिलास और तिमुथियुस केँ जल्‍दी चल अयबाक लेल कहि दिऔन। तखन ओ सभ ओतऽ सँ घूमि गेलाह।