A A A A A
एक साल में बाइबल
मई 19

यूहन्‍ना 6:1-21
1. एकरा बाद यीशु गलील झील, अर्थात् तिबिरियास झीलक ओहि पार गेलाह।
2. बड़का भीड़ यीशुक चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह जे ओ रोगी सभ पर देखबैत छलाह, ताहि सँ प्रभावित भऽ हुनका पाछाँ-पाछाँ अबैत छल।
3. यीशु पहाड़ पर चढ़ि कऽ अपन शिष्‍य सभक संग बैसि रहलाह।
4. यहूदी सभक फसह-भोजक पाबनि लगचिआयल छल।
5. यीशु जखन नजरि उठा कऽ लोकक बड़का भीड़ केँ अपना लग अबैत देखलनि तखन फिलिपुस केँ पुछलथिन, “अपना सभ एकरा सभ केँ खुअयबाक लेल कतऽ सँ रोटी किनू?”
6. ई बात ओ फिलिपुस केँ जँचबाक लेल पुछलथिन, कारण ओ अपने तखनो जनैत छलाह जे ओ की करताह।
7. फिलिपुस हुनका उत्तर देलथिन, “एकरा सभ गोटेक लेल कनेको-कनेको जे रोटी किनब से दुओ सय दिनार सँ नहि होयत!”
8. हुनकर एक शिष्‍य, अन्‍द्रेयास, सिमोन पत्रुसक भाय, हुनका कहलथिन,
9. “एतऽ एक लड़का अछि जकरा संग मे जओक पाँचटा रोटी छैक आ दूटा माछ, लेकिन एतेक लोक मे एतबे सँ की होयतैक?”
10. यीशु आज्ञा देलथिन, “लोक सभ केँ बैसा दिऔक।” ओहि ठाम बहुत घास छल, और ओहि पर लोक सभ बैसैत गेल। पुरुषक संख्‍या लगभग पाँच हजार छल।
11. तखन यीशु रोटी लेलनि, और परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दऽ कऽ बैसलाहा लोक सभ मे बटबा देलथिन। तहिना माछो लऽ कऽ कयलनि, और सभ केँ ततेक भेटलैक जतेक-जतेक ओ सभ चाहैत छल।
12. सभ लोक केँ भरि इच्‍छा भोजन कऽ लेलाक बाद यीशु शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “आब उबरल टुकड़ा सभ बिछि लिअ, जाहि सँ किछुओ बरबाद नहि होअय।”
13. ओ सभ ओहि पाँचटा जओक रोटीक टुकड़ा, जे भोजन करऽ वला लोक सभ सँ बाँचि गेल छल, तकरा बिछि कऽ ओहि सँ बारहटा पथिया भरलनि।
14. लोक सभ यीशु द्वारा कयल गेल ई चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह देखि कऽ कहऽ लागल, “ई तँ अवश्‍य परमेश्‍वरक ओ प्रवक्‍ता छथि जे संसार मे आबऽ वला छलाह।”
15. यीशु ई बुझलनि जे लोक सभ हुनका जबरदस्‍ती पकड़ि कऽ राजा बनाबऽ चाहैत छल, तेँ ओ फेर पहाड़ पर असगरे चल गेलाह।
16. साँझ पड़ला पर यीशुक शिष्‍य सभ झीलक किनार पर जा
17. नाव मे चढ़ि कऽ कफरनहूम नगर जयबाक लेल झील केँ पार करऽ लगलाह। ताबत अन्‍हार भऽ गेल छल और यीशु एखन तक हुनका सभ लग नहि आयल छलाह।
18. हवा बहुत जोर सँ बहि रहल छल, और झील मे बड़का लहरि उठि रहल छल।
19. जखन ओ सभ लगभग तीन-चारि मील नाव केँ खेबि लेने छलाह तखन यीशु केँ झीलक पानि पर चलैत और नाव दिस अबैत देखलनि, और भयभीत भऽ गेलाह।
20. मुदा ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “हम छी, नहि डेराउ!”
21. तखन ओ सभ खुशी भऽ हुनका नाव मे लऽ लेबाक लेल तैयार भेलाह, और नाव तुरत ओहि स्‍थान पर पहुँचल जाहिठाम ओ सभ जा रहल छलाह।