A A A A A
एक साल में बाइबल
अप्रैल 7

लूका 9:1-17
1. यीशु अपन बारहो शिष्‍य केँ एक संग बजौलथिन, और हुनका सभ केँ सभ तरहक दुष्‍टात्‍मा केँ निकालबाक आ बिमारी सभ केँ ठीक करबाक शक्‍ति और अधिकार देलथिन।
2. तखन ओ हुनका सभ केँ परमेश्‍वरक राज्‍यक प्रचार करबाक लेल और रोगी सभ केँ स्‍वस्‍थ करबाक लेल गाम-गाम पठौलथिन।
3. ओ कहलथिन, “बाटक लेल अहाँ सभ किछु नहि लऽ जाउ—ने लाठी ने झोरा, ने रोटी ने पाइ, आ ने दोसर अंगा राखू।
4. जाहि कोनो घर मे ठहरब, जाबत धरि ओहि गाम सँ विदा नहि होयब ताबत धरि ओही घर मे ठहरू।
5. और जतऽ कतौ लोक अहाँ सभक स्‍वागत नहि करय, ताहि गाम सँ विदा होइत काल अपन पयरक गर्दा झाड़ि लेब। ई ओकरा सभक विरोधक गवाही रहत।”
6. तँ ओ सभ विदा भेलाह और गाम-गाम मे शुभ समाचारक प्रचार करैत आ सभ ठाम लोक केँ स्‍वस्‍थ करैत घुमऽ लगलाह।
7. एम्‍हर शासक हेरोद एहि सभ घटनाक विषय मे सुनलनि, और दुबिधा मे पड़ि गेलाह, कारण किछु लोकक कथन छलैक जे, बपतिस्‍मा देबऽ वला यूहन्‍ना मुइल सभ मे सँ जिआओल गेल छथि।
8. दोसर लोक सभ कहैत छल जे, एलियाह फेर आबि गेल छथि। आरो लोकक कथन छलैक जे, प्राचीन समयक परमेश्‍वरक अन्‍य प्रवक्‍ता सभ मे सँ केओ फेर जीबि उठल छथि।
9. मुदा हेरोद कहलनि, “यूहन्‍ना केँ तँ हम मूड़ी कटबा देने छिऐक, तँ फेर ई के अछि जकरा बारे मे एतेक बात सुनैत छी?” और ओ यीशु सँ भेँट करबाक कोशिश करऽ लगलाह।
10. पठाओल गेल दूत सभ जहिया घूमि कऽ अयलाह तँ ओ सभ जे किछु कयने छलाह से सभ बात यीशु केँ कहि सुनौलथिन। तकरबाद यीशु हुनका सभ केँ अपना संग लऽ कऽ बेतसैदा नगर गेलाह, जाहि सँ ओ सभ एकान्‍त स्‍थान मे रहि सकथि।
11. मुदा लोक सभ केँ एहि बातक पता लागि गेलैक, और ओहो सभ हुनका पाछाँ-पाछाँ आबऽ लागल। यीशु ओकरा सभक स्‍वागत कयलथिन, और परमेश्‍वरक राज्‍यक सम्‍बन्‍ध मे ओकरा सभक संग बात-चीत करऽ लगलाह। जकरा ककरो कोनो बिमारी सँ स्‍वस्‍थ होयबाक आवश्‍यकता छलैक, तकरा सभ केँ ओ स्‍वस्‍थ कयलथिन।
12. जखन साँझ पड़ऽ लागल तँ बारहो शिष्‍य सभ यीशु लग आबि कऽ कहलथिन, “आब लोक सभ केँ लग-पासक गाम-बजार सभ मे अपना लेल राति मे रहबाक जगह आ भोजनक प्रबन्‍ध करबाक लेल विदा कऽ दिऔक, कारण अपना सभ एतऽ बस्‍ती सँ दूर मे छी।”
13. ओ उत्तर देलथिन, “अहीं सभ एकरा सभ केँ भोजन करबिऔक।” ओ सभ कहलथिन, “हमरा सभ लग खाली पाँचटा रोटी आ दूटा माछ अछि, बस, आओर किछु नहि। वा की—एहि सभ लोकक लेल हम सभ भोजनक वस्‍तु किनि कऽ लाउ?”
14. ओतऽ पुरुषक संख्‍या लगभग पाँच हजार छल। यीशु शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “सभ केँ पचास-पचासक समूह मे बैसा दिऔक।”
15. शिष्‍य सभ ओहिना कयलनि आ सभ केओ बैसि रहल।
16. तकरबाद यीशु ओ पाँचटा रोटी आ दूटा माछ लऽ लेलनि आ स्‍वर्ग दिस तकैत ओहि रोटी आ माछक लेल परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देलनि। तखन रोटी आ माछ केँ तोड़लनि आ लोक सभ मे परसबाक लेल अपना शिष्‍य सभ केँ देलथिन।
17. सभ केओ भरि इच्‍छा भोजन कयलक। शिष्‍य सभ जखन रोटी आ माछक उबरल टुकड़ा सभ बिछलनि तँ ओ बारह छिट्टा भेल।