A A A A A
एक साल में बाइबल
फरवरी 22

मरकुस 3:20-35
20. तखन यीशु और हुनकर शिष्‍य सभ एकटा घर मे गेलाह। ओहिठाम ततेक लोक फेर जमा भऽ गेल जे हुनका सभ केँ भोजनो करबाक समय नहि भेटलनि।
21. हुनकर घरक लोक जखन ई बात सुनलनि तँ हुनका जबरदस्‍ती लऽ अयबाक लेल विदा भेलाह, ई सोचि जे यीशु पागल भऽ गेल छथि।
22. यरूशलेम सँ आयल धर्मशिक्षक सभ कहऽ लगलाह जे, “यीशु मे दुष्‍टात्‍मा सभक मुखिया बालजबूल छैक। तकरे शक्‍ति सँ ओ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालैत अछि।”
23. हुनका सभ केँ अपना लग बजा कऽ यीशु उदाहरण द्वारा उत्तर देलथिन जे, “शैतान कोना शैतान केँ भगा सकत?
24. जँ कोनो राज्‍य मे फूट पड़ि जाय तँ ओ नहि टिकि सकत।
25. तहिना जँ कोनो परिवार मे फूट भऽ गेल अछि तँ ओ नहि टिकि सकैत अछि।
26. जँ शैतान अपने केँ विरोध करय और ओकरा अपने मे फूट भऽ जाइक तँ ओ टिकि नहि सकैत अछि। ओकर विनाश निश्‍चित छैक।
27. केओ कोनो बलगर आदमीक घर मे ढुकि कऽ ओकर चीज-वस्‍तु ताबत तक नहि लुटि सकैत छैक, जाबत तक पहिने ओहि बलगर आदमी केँ बान्‍हि कऽ काबू मे नहि कऽ लैत अछि। ओकरा बान्‍हि लेलाक बादे ओकर वस्‍तु लुटि सकैत अछि।
28. अहाँ सभ केँ हम विश्‍वास दिअबैत छी जे, मनुष्‍य केँ सभ तरहक पाप आ निन्‍दाक बातक क्षमा भेटि सकैत छैक,
29. मुदा जँ केओ पवित्र आत्‍माक निन्‍दा करैत अछि तँ ओकरा कहियो क्षमा नहि भेटतैक। ओ अनन्‍त पापक दोषी होयत।”
30. यीशु ई बात एहि लेल कहलथिन जे ओ सभ कहैत छलाह जे हुनका मे दुष्‍टात्‍मा छनि।
31. ओहि समय मे यीशुक माय आ भाय लोकनि ओतऽ पहुँचलाह। सभ गोटे बाहर रहि कऽ, यीशु केँ बाहर अयबाक लेल खबरि पठौलनि।
32. यीशुक चारू कात लोक सभ बैसल छल। एक गोटे आबि कऽ हुनका कहलकनि जे, “सुनू! अहाँक माय और भाय लोकनि बाहर ठाढ़ छथि आ अहाँ केँ बजबैत छथि।”
33. ओ कहलथिन, “के छथि हमर माय? के सभ छथि हमर भाय?”
34. ओ चारू कात बैसल लोकक दिस ताकि कहलनि जे, “देखू! यैह सभ हमर माय और भाय लोकनि छथि!
35. जे केओ परमेश्‍वरक इच्‍छाक अनुसार चलैत छथि वैह हमर भाय, हमर बहिन, हमर माय छथि।”