A A A A A
एक साल में बाइबल
फरवरी 15

मत्ती 27:27-54
27. राज्‍यपालक सैनिक सभ यीशु केँ राजभवन मे लऽ गेलनि आ अपन पूरा सैनिक-दल केँ हुनका चारू कात जमा कऽ लेलक।
28. ओ सभ यीशु जे वस्‍त्र पहिरने छलाह तकरा निकलबा कऽ लाल रंगक राजसी वस्‍त्र पहिरा देलकनि।
29. काँटक मुकुट बना हुनका मूड़ी पर रखलकनि आ हुनका दहिना हाथ मे एक छड़ी पकड़ा देलकनि। तकरबाद हुनका सामने ठेहुनिया दऽ कऽ हुनकर मजाक उड़बैत कहऽ लगलनि, “यहूदी सभक राजा, प्रणाम!”
30. ओ सभ हुनका पर थूक फेकलकनि आ हुनका हाथ सँ छड़ी लऽ कऽ बेर-बेर मूड़ी पर मारलकनि।
31. ओ सभ एहि तरहेँ यीशुक मजाक उड़ौलाक बाद हुनका देह पर सँ लाल रंग वला वस्‍त्र निकालि लेलकनि आ हुनकर अपन कपड़ा फेर पहिरा देलकनि। तकरबाद ओ सभ हुनका क्रूस पर लटकयबाक लेल लऽ गेलनि।
32. शहर सँ बाहर लऽ जाइत काल सैनिक सभ केँ सिमोन नामक एक आदमी जे कुरेन नगरक रहऽ वला छल, से भेटलैक। ओकरा सैनिक सभ जबरदस्‍ती पकड़ि कऽ यीशुक क्रूस उठा कऽ लऽ चलबाक लेल कहलकैक।
33. यीशु केँ लऽ कऽ ओ सभ गुलगुता, अर्थात् “खप्‍पड़ वला स्‍थान” पर पहुँचल।
34. ओहिठाम ओ सभ यीशु केँ तीत दवाइ मिलाओल दारू पिबाक लेल देलकनि, मुदा ओ ओकरा चिखि कऽ नहि पिलनि।
35. सैनिक सभ हुनका हाथ-पयर मे काँटी ठोकि कऽ क्रूस पर टाँगि देलकनि। हुनकर वस्‍त्र पर चिट्ठा खसा कऽ अपना मे बाँटि लेलक,
36. तखन ओतऽ बैसि कऽ पहरा देबऽ लागल।
37. ओ सभ एक दोष-पत्र हुनका मूड़ीक उपर क्रूस पर टाँगि देलक जाहि पर लिखल छलैक जे, “ई यीशु अछि, यहूदी सभक राजा”।
38. यीशुक संगे दूटा डाकू सेहो क्रूस पर चढ़ाओल गेल, एकटा हुनकर दहिना कात और दोसर बामा कात।
39. ओहि बाटे आबऽ-जाय वला लोक सभ मूड़ी डोला-डोला कऽ हुनकर निन्‍दा कऽ रहल छल।
40. ओ सभ कहैत छल, “रे मन्‍दिर केँ तोड़ऽ वला और तीन दिन मे ओकरा बनाबऽ वला! तोँ जँ परमेश्‍वरक पुत्र छेँ तँ अपना केँ बचा आ एहि क्रूस पर सँ उतरि आ।”
41. तहिना मुख्‍यपुरोहित लोकनि, धर्मशिक्षक सभ आ बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक सभ सेहो हुनकर मजाक उड़बैत कहलनि,
42. “ई आन लोक सभ केँ बचबैत रहल मुदा अपना केँ नहि बचा सकैत अछि। ई जँ इस्राएलक राजा अछि तँ एखन क्रूस पर सँ उतरि आबओ, तखन हमहूँ सभ एकरा पर विश्‍वास करबैक।
43. ई आदमी परमेश्‍वर पर भरोसा रखैत छल। जँ एकरा सँ परमेश्‍वर प्रसन्‍न छथिन तँ एखन बचबथुन। ई तँ अपना केँ परमेश्‍वरक पुत्र कहैत छल।”
44. एहि तरहेँ ओ डाकू सभ सेहो, जकरा यीशुक संग क्रूस पर चढ़ाओल गेल छलैक, यीशुक निन्‍दा कऽ रहल छल।
45. ओहि दिन बारह बजे सँ तीन बजे तक सम्‍पूर्ण देश अन्‍हार-कुप्‍प भऽ गेल।
46. करीब तीन बजे मे यीशु बहुत जोर सँ बजलाह जे, “एली, एली, लामा सबक्‍तनी”, जकर अर्थ ई अछि, “हे हमर परमेश्‍वर, हे हमर परमेश्‍वर, हमरा अहाँ किएक छोड़ि देलहुँ?”
47. ई सुनि ओतऽ ठाढ़ लोक सभ मे सँ किछु लोक बाजल, “ई आदमी एलियाह केँ बजा रहल अछि।”
48. ओकरा सभ मे सँ एक गोटे तुरत दौड़ि कऽ गेल आ रूइ जकाँ एकटा एहन चीज जे पानि सोखैत अछि से लऽ कऽ तिताह दारू मे डुबा लेलक, तखन ओकरा लाठीक हूर पर अटका कऽ हुनका पिबाक लेल देलकनि।
49. मुदा दोसर लोक सभ ओकरा कहलकैक, “थम्‍हह, पहिने देखी जे एलियाह एकरा बचयबाक लेल अबैत छथि कि नहि।”
50. तकरबाद यीशु फेर जोर सँ आवाज दऽ कऽ अपन प्राण त्‍यागि देलनि।
51. ओही क्षण मन्‍दिर मे जे परदा छलैक से ऊपर सँ नीचाँ तक चिरा कऽ दू भाग मे फाटि गेल। पृथ्‍वी डोलऽ लागल। चट्टान सभ फाटि गेल।
52. कबरक मुँह खुजि गेल आ परमेश्‍वरक बहुतो भक्‍त सभक लास फेर जिआओल गेल।
53. ओ सभ कबर सँ बहरा कऽ यीशु केँ जीबि उठलाक बाद “पवित्र नगर” मे जा कऽ बहुतो लोक सभ केँ देखाइ देलनि।
54. रोमी कप्‍तान आ हुनका संग यीशु पर पहरा देबऽ वला सैनिक सभ, भूकम्‍‍प आ एहि घटना सभ केँ देखि बहुत डेरा गेल, और बाजि उठल, “सत्‍ये ई परमेश्‍वरक पुत्र छलाह!”