A A A A A
एक साल में बाइबल
फरवरी 14

मत्ती 27:1-26
1. प्रात भेने भोरे-भोर सभ मुख्‍यपुरोहित आ समाजक बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक सभ आपस मे विचार-विमर्श कऽ एहि बातक निश्‍चय कयलनि जे यीशु केँ मारि देल जाय।
2. ओ सभ यीशु केँ बान्‍हि कऽ लऽ गेलाह आ राज्‍यपाल पिलातुसक जिम्‍मा मे लगा देलथिन।
3. यहूदा इस्‍करियोती जे यीशु केँ पकड़बौने छल, से जखन देखलक जे यीशु केँ मृत्‍युदण्‍डक आज्ञा देल गेलनि, तखन ओ बहुत पछतायल। ओ मुख्‍यपुरोहित आ बूढ़-प्रतिष्‍ठित सभ लग चानीक तीस सिक्‍का लऽ कऽ गेल आ हुनका सभ केँ कहलकनि,
4. “हम निर्दोष व्‍यक्‍ति केँ मृत्‍युदण्‍डक लेल पकड़बा कऽ पाप कयलहुँ अछि।” ओ सभ उत्तर देलथिन, “ई बात तोँ जानह, एहि सँ हमरा सभ केँ कोनो मतलब नहि अछि।”
5. एहि पर ओ चानीक सिक्‍का सभ मन्‍दिर मे फेकि कऽ चल गेल आ अपना केँ फँसरी लगा लेलक।
6. मुख्‍यपुरोहित सभ ओ चानीक सिक्‍का उठा कऽ बजलाह, “एकरा मन्‍दिरक खजाना मे राखब उचित नहि होयत, किएक तँ ई खूनक मूल्‍य अछि।”
7. ओ सभ आपस मे एहि बातक विचार-विमर्श कऽ परदेशी लोक सभक लास केँ गाड़बाक लेल ओहि पाइ सँ कुम्‍हारक एकटा खेत किनि लेलनि।
8. एहि कारण सँ आइओ धरि ओ खेत “खूनक खेत” कहबैत अछि।
9. एहि तरहेँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यर्मियाहक ई वचन पूर्ण भेल जे, “ओ सभ तीस चानीक सिक्‍का लेलक; ई ओ मूल्‍य छल, जे इस्राएली लोक सभ हुनकर दाम लगौने छल।
10. जेना प्रभु सँ हमरा आज्ञा भेटल छल, तेना ओहि पाइ सँ कुम्‍हारक खेत किनल गेल।”
11. एम्‍हर यीशु राज्‍यपाल पिलातुसक सम्‍मुख ठाढ़ छलाह। राज्‍यपाल हुनका सँ पुछलथिन, “की अहाँ यहूदी सभक राजा छी?” यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “अहाँ अपने कहि रहल छी।”
12. मुदा मुख्‍यपुरोहित आ बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक सभ जे कोनो दोष यीशु पर लगौलथिन तकर ओ कोनो उत्तर नहि देलथिन।
13. एहि पर पिलातुस कहलथिन, “की अहाँ नहि सुनि रहल छी जे ई सभ अहाँ पर कतेक आरोप लगा रहल छथि?”
14. मुदा यीशु एको बातक कोनो उत्तर नहि देलथिन। ई बात देखि राज्‍यपाल केँ बहुत आश्‍चर्य लगलनि।
15. प्रत्‍येक साल फसह-पाबनिक अवसर पर राज्‍यपाल जनताक इच्‍छाक अनुसार एक कैदी केँ छोड़ि दैत छलाह।
16. ओहि समय मे बरब्‍बा नामक एक नामी अपराधी जहल मे बन्‍द छल।
17. भीड़ केँ जमा भेला पर राज्‍यपाल पिलातुस ओकरा सभ केँ पुछलथिन, “अहाँ सभ की चाहैत छी? अहाँ सभक लेल हम ककरा छोड़ि दिअ? बरब्‍बा केँ वा यीशु केँ, जे मसीह कहबैत अछि?”
18. पिलातुस ई बात जानि गेल छलाह जे धर्मगुरु सभ यीशु केँ ईर्ष्‍याक कारणेँ पकड़बौने छथि।
19. पिलातुस न्‍यायासन पर बैसले छलाह कि हुनकर स्‍त्री कहा पठौलथिन जे, “ओहि निर्दोष मनुष्‍य केँ किछु नहि करिऔक! किएक तँ हम आइ राति सपना मे हुनका कारणेँ बहुत दुःख सहलहुँ अछि।”
20. मुदा मुख्‍यपुरोहित सभ आ बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक सभ जमा भेल लोक सभ केँ सिखा देने छलाह जे, “तोँ सभ बरब्‍बा केँ छोड़ि देबाक लेल आ यीशुक मृत्‍युदण्‍डक माँग करिहह।”
21. राज्‍यपाल ओकरा सभ केँ पुछलथिन, “अहाँ सभ की चाहैत छी? एहि दूनू मे सँ अहाँ सभक लेल हम ककरा छोड़ि दिअ?” ओ सभ बाजल, “बरब्‍बा केँ।”
22. पिलातुस कहलथिन, “तखन फेर एहि यीशु केँ, जे मसीह कहबैत अछि तकरा हम की करू?” सभ कहऽ लागल, “ओकरा क्रूस पर चढ़ाउ!”
23. ओ पुछलथिन, “किएक? ई कोन अपराध कयने अछि?” एहि पर लोकक भीड़ आरो जोर-जोर सँ चिचियाय लागल, “ओकरा क्रूस पर चढ़ाउ!”
24. जखन पिलातुस देखलनि जे यीशु केँ बचयबाक हुनकर प्रयत्‍न सफल नहि भऽ रहल अछि, बल्‍कि एहि सँ उपद्रव बढ़ि रहल अछि, तखन ओ हाथ मे पानि लऽ कऽ लोक सभक सामने अपन हाथ धोइत कहलथिन, “एहि मनुष्‍यक खूनक दोषी हम नहि छी। अहीं सभ एहि बात केँ जानू!”
25. भीड़क लोक हुनका उत्तर देलकनि, “एकर खूनक दोष हमरा सभ पर आ हमर सभक सन्‍तान सभ पर होअय!”
26. तकरबाद पिलातुस ओकरा सभक इच्‍छाक अनुसार बरब्‍बा केँ छोड़ि देलथिन आ यीशु केँ कोड़ा सँ पिटबा कऽ क्रूस पर चढ़यबाक लेल सैनिक सभक जिम्‍मा लगा देलथिन।