A A A A A

मसीह-दूत 10:24-28
24. एक दिनक बाद ओ सभ कैसरिया मे पहुँचि गेलाह। कुरनेलियुस हिनका सभक बाट तकैत छलथिन और अपन सम्‍बन्‍धी लोक आ इष्‍ट-मित्र सभ केँ बजा लेने छलाह।
25. जखन पत्रुस घर मे प्रवेश करहे वला छलाह तखन कुरनेलियुस आबि कऽ हुनकर पयर पर खसि कऽ प्रणाम कयलनि।
26. मुदा पत्रुस हुनका उठबैत कहलथिन, “उठू, उठू, हमहूँ मनुष्‍ये छी!”
27. हुनका सँ गप्‍प-सप्‍प करैत पत्रुस भीतर गेलाह, और बहुत लोक जमा भेल देखि
28. ओकरा सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ केँ बुझले अछि जे हमरा यहूदी लोकनिक धर्म-नियम गैर-यहूदी सँ सम्‍पर्क राखब वा ओकरा ओहिठाम जायब मना करैत अछि। मुदा परमेश्‍वर हमरा स्‍पष्‍ट कऽ देलनि जे ककरो अशुद्ध वा अछोप नहि बुझबाक चाही।