A A A A A

मसीह-दूत 13:1-25
1. अन्‍ताकियाक मण्‍डली मे ई सभ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता आ शिक्षक छलाह—बरनबास, सिमियोन, जे करिया कहबैत छलाह, कुरेन निवासी लूकियुस, मनेन, जे शासक हेरोदक संग पोसल गेल छलाह, और साउल।
2. एक दिन जखन ओ सभ उपासक संग प्रभुक आराधना कऽ रहल छलाह, तखन पवित्र आत्‍मा कहलथिन, “हमर ओहि काजक लेल बरनबास और साउल केँ अलग कऽ दिअ जाहि काजक लेल हम हुनका सभ केँ चुनने छी।”
3. तँ ओ सभ उपास आ प्रार्थना कऽ कऽ हुनका सभ पर हाथ राखि विदा कयलथिन।
4. ई दूनू गोटे पवित्र आत्‍माक आदेशक अनुसार सिलूकिया चल गेलाह आ ओतऽ सँ पानि जहाज सँ साइप्रस द्वीप गेलाह।
5. ओ सभ सलामिस शहर पहुँचि कऽ यहूदी सभक सभाघर सभ मे परमेश्‍वरक वचनक प्रचार कयलनि। हुनका सभक संग सहयोग करबाक लेल यूहन्‍ना-मरकुस सेहो छलनि।
6. तखन ओ सभ पूरा द्वीपक यात्रा करैत द्वीपक दोसर कात पाफुस नगर पहुँचलाह। ओतऽ हुनका सभ केँ बारयीशु नामक एक यहूदी भेटलनि, जे जादूगर छल आ झूठ बाजि कऽ अपना केँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता कहैत छल।
7. ओ प्रदेशक राज्‍यपाल सिरगियुस-पौलुसक संगी छल। राज्‍यपाल सिरगियुस एक विचारशील लोक छलाह। ओ बरनबास आ साउल केँ अपना ओहिठाम बजबौलनि जाहि सँ ओ हुनका सभ सँ परमेश्‍वरक वचन सुनि सकथि।
8. मुदा ओ जादूगर, जकर नाम यूनानी भाषा मे एलिमास छलैक, से हिनका सभक विरोध कऽ कऽ राज्‍यपाल केँ विश्‍वास करऽ सँ रोकबाक कोशिश कयलक।
9. तखन साउल, जे पौलुस सेहो कहबैत छलाह, पवित्र आत्‍मा सँ परिपूर्ण भऽ जादूगर एलिमास दिस एकटक लगा कऽ तकैत कहलथिन,
10. “हे शैतानक पुत्र! हे सभ सत्‍कर्मक दुश्‍मन! तोँ सभ तरहक छल-प्रपंच आ बइमानी सँ भरल छेँ! की तोँ प्रभुक सोझ बाट केँ टेढ़ बनौनाइ कहियो नहि छोड़बेँ?
11. देख! आब प्रभुक हाथ तोरा विरोध मे उठलौ अछि। तोँ एखन आन्‍हर भऽ जयबेँ आ किछु काल तक सूर्यक प्रकाश नहि देखबेँ।” तखने ओकरा आगाँ मे धुनि जकाँ बुझायल और ओकर आँखि अन्‍हरा गेलैक। ओ एम्‍हर-ओम्‍हर हथोड़ऽ लागल जाहि सँ केओ भेटय जे हाथ पकड़ि कऽ लऽ जाय।
12. राज्‍यपाल ई घटना देखि विश्‍वास कयलनि। ओ प्रभुक शिक्षा सँ चकित छलाह।
13. तखन पौलुस और हुनकर संगी सभ पाफुस सँ पानि जहाज सँ पंफूलिया प्रदेशक पर्गा नगर गेलाह। ओतऽ सँ यूहन्‍ना-मरकुस हुनका सभ केँ छोड़ि कऽ यरूशलेम घूमि गेलाह।
14. ई सभ पर्गा सँ आगाँ पिसिदिया अंचलक अन्‍ताकिया नगर पहुँचलाह, और विश्राम-दिन मे यहूदी सभक सभाघर मे जा कऽ बैसलाह।
15. धर्म-नियम आ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभक पुस्‍तक सँ पाठ पढ़ल गेलाक बाद, सभाघरक अधिकारी लोकनि हिनका सभ लग एहि बातक कहा पठौलथिन जे, “यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ जँ लोक सभक प्रोत्‍साहनक लेल किछु कहऽ चाहैत छी, तँ कहू।”
16. एहि पर पौलुस उठलाह, आ लोक सभ केँ हाथ सँ शान्‍त रहबाक संकेत करैत कहऽ लगलाह, “इस्राएली भाइ लोकनि और परमेश्‍वर मे श्रद्धा रखनिहार सभ गोटे, हमर बात सुनू!
17. इस्राएली जातिक परमेश्‍वर अपना सभक पूर्वज सभ केँ चुनलनि आ मिस्र देश मे प्रवास करैत काल हुनका सभक वंशक वृद्धि कयलनि। तखन ओ अपन महान् शक्‍ति द्वारा हुनका सभ केँ ओहि देश सँ निकालि लेलनि।
18. चालिस वर्ष धरि ओ निर्जन क्षेत्र मे हुनका सभक व्‍यवहार सहन कयलनि।
19. तखन ओ कनान देशक सात जाति केँ विनाश करबा कऽ ओ देश हुनका सभक अधिकार मे दऽ देलथिन।
20. ई सभ काज पूरा होमऽ मे करीब 450 वर्ष बिति गेल। “तहिया सँ लऽ कऽ शमूएल प्रवक्‍ताक समय धरि परमेश्‍वर हुनका सभ केँ प्रशासक सभ देलथिन।
21. तखन इस्राएली लोक जखन परमेश्‍वर सँ एकटा राजा मँगलनि तँ ओ हुनका सभक लेल बिन्‍यामीन कुलक कीशक पुत्र शाउल केँ नियुक्‍त कयलनि, जे चालिस वर्ष धरि हुनका सभक राजा रहलाह।
22. तखन शाउल केँ हटा कऽ परमेश्‍वर दाऊद केँ हुनका सभक राजा बना देलथिन। दाऊदक सम्‍बन्‍ध मे ओ ई बात कहलनि, ‘यिशयक बेटा दाऊद हमर मोन पसन्‍दक लोक अछि। जे किछु हम चाहैत छी जे ओ करय, से सभ काज ओ करत।’
23. एही आदमीक वंश मे सँ परमेश्‍वर अपन देल वचनक अनुसार इस्राएलक लेल एक उद्धारकर्ता, अर्थात्‌ यीशु केँ, उत्‍पन्‍न कयलनि।
24. यीशुक अयबाक तैयारी मे यूहन्‍ना इस्राएलक सभ लोकक बीच एहि बातक प्रचार कयलनि जे, अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करू आ बपतिस्‍मा लिअ।
25. जखन यूहन्‍ना अपन काज समाप्‍त करऽ वला छलाह तखन ओ कहलनि, ‘तोँ सभ हमरा जे बुझि रहल छह, से हम नहि छी! मुदा ओ हमरा पाछाँ आबि रहल छथि और हम तँ हुनकर चप्‍पलो फोलऽ जोगरक नहि छी।’