A A A A A
एक साल में बाइबल
अप्रैल 23

लूका 17:1-19
1. यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “ई निश्‍चित अछि जे लोक सभ केँ पाप मे फँसाबऽ वला बात सभ होयत, मुदा धिक्‍कार ताहि मनुष्‍य केँ, जकरा द्वारा ओहन बात सभ अबैत अछि!
2. ओकरा लेल एहि सँ नीक जे ओ एहि बच्‍चा सभ मे सँ एकोटा केँ पाप मे फँसाबय ई होइत जे ओकरा घेंट मे जाँतक पाट बान्‍हि समुद्र मे फेकि देल जाय।
3. तेँ अहाँ सभ सावधान रहू! “अहाँक भाय जँ पाप करैत अछि तँ ओकरा मना करू। जँ ओ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ पाप केँ छोड़ैत अछि तँ ओकरा माफ कऽ दिऔक।
4. आ जँ ओ दिन मे सात बेर अहाँक विरोध मे अपराध करय और सात बेर अहाँ लग घूमि कऽ अपन अपराध मानि कऽ माफी माँगय तँ माफ कऽ दिऔक।”
5. तखन समीह-दूत सभ हुनका कहलथिन, “हमरा सभक विश्‍वास केँ बढ़ाउ!”
6. ओ उत्तर देलथिन, “जँ अहाँ सभ केँ सरिसोक दानो बराबरि विश्‍वास अछि, तँ एहि तूँइतक गाछ केँ कहि सकैत छिऐक जे, उखड़ि कऽ समुद्र मे रोपा जो, और ओ अहाँक आज्ञा मानत।
7. “अहाँ सभ मे एहन मालिक के छी, जकर नोकर खेत मे सँ हऽर जोति कऽ वा बाध मे सँ भेँड़ा चरा कऽ जखन अबैत अछि, तँ कहैत छिऐक जे, ‘आउ, आउ, बैसू, भोजन कऽ लिअ’?
8. की ई नहि कहबैक जे, ‘हमर भानस करह, तखन जा धरि हम भोजन पर सँ उठब नहि, ता धरि तोँ फाँड़ बान्‍हि कऽ हमर सेवा करह, तकरबाद तोहूँ खाह-पिबह’?
9. जखन नोकर मालिकक कहल करैत छनि, तँ की ओहि लेल मालिक ओकरा धन्‍यवाद दैत छथिन? नहि!
10. तहिना अहूँ सभ, जतेक काज अहाँ सभ केँ अढ़ाओल गेल होअय, से सभ पूरा कऽ कऽ ई कहू जे, ‘हम सभ कोनो प्रशंसा जोगरक नहि छी; हम सभ तँ खाली वैह कयलहुँ जे हमर सभक कर्तव्‍य छल।’ ”
11. यीशु यरूशलेम जाइत काल सामरिया और गलील प्रदेशक सीमा दऽ कऽ जा रहल छलाह।
12. कोनो गाम मे जखन प्रवेश कयलनि तँ दसटा कुष्‍ठ-रोगी हुनका भेटलनि। ओ सभ फराके सँ ठाढ़ भऽ कऽ
13. जोर सँ सोर पारलकनि जे, “यौ मालिक यीशु! हमरा सभ पर दया करू!”
14. यीशु ओकरा सभ केँ देखि कऽ कहलथिन, “पुरोहित सभक ओहिठाम जाह और अपना केँ हुनका सभ केँ देखा दहुन।” ओ सभ जाइते-जाइत मे नीक भऽ गेल।
15. तखन ओकरा सभ मे सँ एक गोटे जखन देखलक जे हम नीक भऽ गेलहुँ, तँ ओ जोर-जोर सँ परमेश्‍वरक स्‍तुति-प्रशंसा करैत घूमि आयल,
16. और यीशुक पयर पर खसि कऽ हुनकर धन्‍यवाद करऽ लगलनि। ओ यहूदी नहि, सामरी जातिक छल।
17. तखन यीशु बजलाह, “की दसो गोटे नीक नहि भेल? आरो नौ आदमी कतऽ अछि?
18. की एहि आन जातिक लोक केँ छोड़ि कऽ आओर केओ एहन नहि बहरायल जे घूमि कऽ परमेश्‍वरक धन्‍यवाद करितनि?”
19. तखन ओ ओकरा कहलथिन, “आब उठि कऽ जाह। तोहर विश्‍वास तोरा नीक कऽ देलकह।”