A A A A A
एक साल में बाइबल
अप्रैल 20

लूका 15:1-10
1. कर असूल करऽ वला और “पापी” सभ यीशु लग हुनकर शिक्षा सुनबाक लेल जमा भऽ रहल छल।
2. मुदा फरिसी और धर्मशिक्षक सभ दूसऽ लगलाह जे, “ई तँ पापी सभ केँ स्‍वागत करैत अछि और ओकरा सभक संग खाइतो अछि।”
3. तखन यीशु हुनका सभ केँ ई दृष्‍टान्‍त देलथिन,
4. “मानि लिअ जे अहाँ सभ मे सँ ककरो जँ एक सय भेँड़ा होअय और एकटा हेरा जाय, तँ की ओ अपन निनान्‍नबे केँ बाध मे छोड़ि हेरायल भेँड़ा केँ ताबत धरि नहि तकैत रहत जाबत धरि ओ नहि भेटतैक?
5. तकरबाद भेटि गेला पर ओ कतेक प्रसन्‍न होयत! अपना भेँड़ा केँ कान्‍ह पर उठा कऽ घर चल आओत
6. और अपन संगी-साथी, पड़ोसी सभ केँ बजा कऽ कहतैक जे, ‘हमरा संग आनन्‍द मनाउ, किएक तँ हमर हेरायल भेँड़ा भेटि गेल।’
7. हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, एहि तरहेँ निनान्‍नबे एहन धर्मी सभ जे ई बुझैत अछि जे हमरा अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करबाक कोनो आवश्‍यकता नहि अछि, स्‍वर्ग मे ओकरा सभक अपेक्षा ओहि एक पापीक लेल बेसी आनन्‍द मनाओल जायत जे अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करैत अछि।
8. “वा मानि लिअ जे कोनो स्‍त्री केँ दसटा चानीक रुपैया होइक और एकटा हेरा जाइक, तँ की ओ डिबिया लेसि कऽ घर बहारि कऽ ओ रुपैया जा धरि नहि भेटि जयतैक ता धरि बढ़ियाँ जकाँ तकैत नहि रहत?
9. तकरबाद रुपैया भेटला पर ओ अपन सहेली और पड़ोसी सभ केँ बजा कऽ कहतैक जे, ‘हमरा संग आनन्‍द मनाउ, किएक तँ हमर हेरायल रुपैया फेर भेटि गेल।’
10. हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, एही तरहेँ एकोटा पापी जे अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करैत अछि, तकरा लेल परमेश्‍वरक स्‍वर्गदूत सभ आनन्‍द मनबैत छथि।”