A A A A A

मसीह-दूत 9:22-43
22. मुदा साउल प्रचारक काज मे आओर सामर्थ्‍यवान होइत गेलाह। यीशुए उद्धारकर्ता-मसीह छथि तकर प्रमाण दऽ-दऽ कऽ ओ दमिश्‍क मे रहऽ वला यहूदी सभक मुँह बन्‍द कऽ दैत छलाह।
23. एहि तरहेँ बहुत दिन बिति गेल। आब यहूदी सभ षड्‌यन्‍त्र रचऽ लागल जे साउल केँ जान सँ मारि दी।
24. मुदा साउल केँ एहि बातक खबरि भऽ गेलनि। यहूदी सभ दिन-राति शहरक द्वारि लग पहरा दऽ कऽ हुनका मारबाक ताक मे रहैत छल।
25. मुदा एम्‍हर हुनकर चेला सभ एक राति एकटा ढाकी मे हुनका बैसा कऽ शहरक देवाल पर बाटे ओहि पार उतारि देलकनि। ओ ओहिठाम सँ यरूशलेम चल गेलाह।
26. यरूशलेम पहुँचि कऽ साउल विश्‍वासी सभ मे सम्‍मिलित होयबाक प्रयत्‍न कयलनि मुदा ओ सभ हिनका सँ डेराइत छलाह कारण हुनका सभ केँ एहि बातक विश्‍वास नहि होइत छलनि जे वास्‍तव मे ओ यीशु मसीहक शिष्‍य बनि गेल छथि।
27. तखन बरनबास हुनका मसीह-दूत सभ लग लऽ गेलनि। ओ हुनका सभ केँ कहलथिन जे कोना साउल रस्‍ता मे प्रभु केँ देखलनि आ प्रभु कोना हिनका सँ गप्‍प कयलथिन और ई कतेक साहसक संग दमिश्‍क मे प्रभु यीशुक प्रचार कयलनि।
28. एकरबाद साउल हुनका सभक संग रहऽ लगलाह। ओ यरूशलेम मे घूमि-फिरि कऽ निडर भऽ कऽ प्रभु यीशुक प्रचार कयलनि।
29. ओ यूनानी भाषी यहूदी सभ सँ वाद-विवाद करैत छलाह मुदा ओ सभ हिनका जान सँ मारि देबाक कोशिश करऽ लागल।
30. विश्‍वासी भाय सभ केँ जखन एहि बातक खबरि भेलनि तँ ओ सभ हुनका कैसरिया लऽ जा कऽ तरसुस नगरक लेल विदा कऽ देलथिन।
31. तकरबाद समस्‍त यहूदिया, गलील आ सामरिया प्रदेश मे विश्‍वासी मण्‍डली केँ अत्‍याचार सँ आराम भेटल। प्रभुक आदर करैत आ आज्ञा मानैत मण्‍डली मजगूत होइत गेल और परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा सँ प्रोत्‍साहित भऽ विश्‍वासी सभक संख्‍या बढ़ैत गेल।
32. पत्रुस बहुत ठाम घुमैत-फिरैत लुद्दा नामक गाम मे विश्‍वासी सभ सँ भेँट करबाक लेल अयलाह।
33. एहिठाम एनियास नामक एक आदमी भेटलनि जे लकवा बिमारीक कारणेँ आठ वर्ष सँ ओछायन धऽ लेने छल।
34. पत्रुस ओकरा कहलथिन, “हौ एनियास, यीशु मसीह तोरा स्‍वस्‍थ करैत छथुन। तोँ उठह आ अपन ओछायन ठीक करह।” ओ तुरत ठाढ़ भऽ गेल।
35. लुद्दा आ शारोनक सभ निवासी ओकरा देखलक, आ प्रभु यीशु पर विश्‍वास कयलक।
36. याफा नगर मे एक विश्‍वासी स्‍त्री छलीह जिनकर नाम तबीता छलनि, जकरा यूनानी भाषा मे “दोरकस”, ⌞अर्थात् “हिरणी”⌟ कहल जाइत अछि। ओ बराबरि अनेक तरहक काज द्वारा दोसराक, आ खास कऽ गरीब सभक, सहायता करैत छलीह।
37. जाहि समय मे पत्रुस लुद्दा मे छलाह ताहि समय मे ओ बिमार भेलीह आ मरि गेलीह। हुनकर लास केँ स्‍नान करा कऽ उपरका तल्‍ला पर कोठली मे राखि देल गेलनि।
38. लुद्दा याफा सँ बेसी दूर नहि छल, आ तेँ विश्‍वासी सभ ई जानि जे पत्रुस लुद्दा मे छथि, दू आदमी केँ ई कहबाक लेल पत्रुस लग पठौलनि जे, “अहाँ एतऽ आबऽ मे देरी नहि करू!”
39. पत्रुस हुनका सभक संग विदा भेलाह। पहुँचलाक बाद लोक सभ हुनका उपरका तल्‍ला पर लऽ गेलनि। विधवा सभ पत्रुस केँ चारू कात सँ घेरि कऽ जे कुर्ता और अन्‍य वस्‍त्र सभ दोरकस मरऽ सँ पहिने बनौने छलीह, से सभ कानि-कानि कऽ देखाबऽ लगलथिन।
40. तखन पत्रुस सभ लोक केँ घर सँ बाहर कऽ देलनि, आ अपने ठेहुनिया दऽ कऽ प्रार्थना करऽ लगलाह। तकरबाद ओ लास दिस घूमि कऽ कहलथिन, “तबीता, उठि जाउ!” तबीता आँखि तकलनि आ सामने मे पत्रुस केँ देखि उठि कऽ बैसलीह।
41. पत्रुस हुनका हाथ धऽ कऽ ठाढ़ कयलनि। तखन ओ विधवा सभ और अन्‍य विश्‍वासी सभ केँ बजा कऽ दोरकस केँ हुनका सभक जिम्‍मा मे जीवित सौंपि देलथिन।
42. ई बात सम्‍पूर्ण याफा मे पसरि गेल आ बहुत लोक प्रभु पर विश्‍वास कयलक।
43. पत्रुस याफा मे चमड़ाक कारोबार करऽ वला सिमोनक ओतऽ बहुत दिन धरि रहलाह।