A A A A A
एक साल में बाइबल
अप्रैल 10

लूका 10:1-24
1. एहि सभक बाद प्रभु बहत्तरि आरो व्‍यक्‍ति केँ नियुक्‍त कयलथिन और हुनका सभ केँ दू-दू गोटे कऽ प्रत्‍येक नगर आ गाम मे पठा देलथिन जतऽ-जतऽ ओ अपने जाय वला छलाह।
2. ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “पाकल फसिल तँ बहुत अछि, मुदा काटऽ वला मजदूर कम अछि। तेँ खेतक मालिक सँ प्रार्थना करिऔन जे ओ अपना खेत मे आरो मजदूर पठबथि।
3. अहाँ सभ आब जाउ। हम अहाँ सभ केँ जंगली जानबर सभक बीच मे भेँड़ी जकाँ पठा रहल छी।
4. अपना संग ने बटुआ लिअ आ ने झोरा आ ने जुत्ता; रस्‍ता मे ककरो सँ हाल-समाचार पुछबाक लेल नहि रूकू।
5. जखन कोनो घर मे प्रवेश करब, तँ पहिने ई कहिऔक, ‘एहि घर मे शान्‍ति होअय।’
6. जँ ओतऽ केओ शान्‍तिक पात्र होयत तँ अहाँक आशीर्वाद ओकरा पर बनल रहतैक, अन्‍यथा अहाँ लग घूमि आओत।
7. वासक लेल घर-घर नहि घुमू, और जे किछु ओ सभ अहाँ सभ केँ देत से खाउ-पीबू, कारण मजदूर केँ मजदूरी तँ भेटबाक चाही।
8. “हँ, जखन कोनो नगर मे प्रवेश कयलाक बाद स्‍वागत होइत अछि तँ जे किछु अहाँक सामने राखल जाय से खाउ।
9. ओतुक्‍का बिमार लोक सभ केँ ठीक करू, और लोक सभ केँ कहिऔक जे, परमेश्‍वरक राज्‍य अहाँ सभक लग मे आबि गेल अछि।
10. मुदा जखन कोनो नगर मे जायब और ओहि ठामक लोक सभ अहाँ सभक स्‍वागत नहि करय तँ ओहि नगरक सड़क-ग‍ली सभ मे जा कऽ कहिऔक,
11. ‘अहाँ सभक नगरक गर्दो जे हमरा सभक पयर मे लागल अछि से अहाँ सभक विरोध मे झाड़ैत छी। तैयो ई बात जानि लिअ जे परमेश्‍वरक राज्‍य लग मे आबि गेल अछि।’
12. हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, न्‍यायक दिन मे ओहि नगर सँ सदोम नगरक दशा सहबा जोगरक रहतैक।
13. “है खुराजीन नगर, तोरा धिक्‍कार छौक! हे बेतसैदा नगर, तोरा धिक्‍कार छौक! जे चमत्‍कार सभ तोरा सभक बीच कयल गेल, से जँ सूर और सीदोन नगर सभ मे कयल गेल रहैत तँ ओहिठामक निवासी सभ बहुत पहिनहि चट्टी ओढ़ि और छाउर पर बैसि अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन कऽ लेने रहैत।
14. न्‍यायक दिन मे तोरा सभक अपेक्षा सूर आ सीदोन नगरक दशा सहबा जोगरक रहतैक।
15. और हे कफरनहूम नगर! की तोँ स्‍वर्ग तक उठाओल जयबेँ? नहि! तोँ तँ पाताल मे खसाओल जयबेँ।
16. “जे केओ अहाँ सभक बात सुनैत अछि से हमर बात सुनैत अछि। जे केओ अहाँ सभ केँ अस्‍वीकार करैत अछि, से हमरा अस्‍वीकार करैत अछि, और जे केओ हमरा अस्‍वीकार करैत अछि से तिनका अस्‍वीकार करैत छनि जे हमरा पठौलनि।”
17. ओ बहत्तरि लोक सभ जखन अपन प्रचारक काज कऽ कऽ अयलाह तँ बहुत खुशीपूर्बक बजलाह, “प्रभुजी, अहाँक नामक शक्‍ति सँ दुष्‍टात्‍मा सभ सेहो हमरा सभक बात मानलक।”
18. यीशु उत्तर देलथिन, “हम शैतान केँ बिजुली जकाँ आकाश सँ खसैत देखलहुँ।
19. हँ, हम अहाँ सभ केँ साँप और बीछ केँ पिचबाक सामर्थ्‍य और शत्रुक समस्‍त शक्‍ति पर अधिकार देने छी। कोनो वस्‍तु अहाँ सभक हानि नहि कऽ सकत।
20. तैयो, एहि लेल आनन्‍द नहि मनाउ जे दुष्‍टात्‍मा सभ अहाँ सभक बात मानैत अछि, बल्‍कि एही लेल आनन्‍दित होउ जे अहाँ सभक नाम स्‍वर्ग मे लिखायल अछि।”
21. तखने यीशु पवित्र आत्‍मा सँ अत्‍यन्‍त आनन्‍दित भऽ कऽ बजलाह, “हे पिता, स्‍वर्ग आ पृथ्‍वीक मालिक, हम अहाँ केँ एहि लेल धन्‍यवाद दैत छी जे अहाँ ई बात सभ बुद्धिमान और विद्वान सभ सँ नुका कऽ रखलहुँ मुदा बच्‍चा सभ पर प्रगट कयलहुँ। हँ पिता, कारण, अहाँ केँ एही बात सँ प्रसन्‍नता भेल।
22. “हमरा पिता द्वारा सभ किछु हमरा हाथ मे सौंपल गेल अछि। पुत्र के छथि, से पिता केँ छोड़ि आरो केओ नहि जनैत अछि, और पिता के छथि, सेहो केओ नहि जनैत अछि—मात्र पुत्र और जकरा सभ पर पुत्र हुनका प्रगट करऽ चाहय, से जनैत अछि।”
23. तखन ओ अपना शिष्‍य सभक दिस घूमि कऽ नहुएँ जोर सँ कहलथिन, “अहाँ सभ धन्‍य छी जे, जे बात सभ देखि रहल छी से देखि पौलहुँ।
24. कारण, हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे अपना समय मे एहन बहुत राजा और परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता लोकनि रहथि, जे सभ चाहलनि जे, जाहि बात सभ केँ अहाँ सभ देखि रहल छी, तकरा देखी, मुदा नहि देखलनि; और जे बात सभ अहाँ सभ सुनि रहल छी, से सुनी, मुदा नहि सुनलनि।”