A A A A A
एक साल में बाइबल
मार्च 3

मरकुस 8:1-21
1. ओहि काल मे फेर यीशु लग बहुत लोक सभ जमा भेल। ओकरा सभ केँ खयबाक लेल किछु नहि छलैक। तेँ यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ बजा कऽ कहलथिन जे,
2. “एहि लोक सभ पर हमरा दया अबैत अछि, किएक तँ ई सभ तीन दिन सँ हमरा संग अछि आ संग मे खयबाक लेल किछु नहि छैक।
3. हम एकरा सभ केँ भूखल विदा कऽ देबैक तँ रस्‍ता मे ई सभ मुर्छित भऽ जायत किएक तँ एहि मे सँ किछु लोक बहुत दूरो सँ आयल अछि।”
4. शिष्‍य सभ यीशु केँ कहलथिन, “एहन निर्जन क्षेत्र मे एतेक लोकक भोजन कतऽ सँ भेटत?”
5. यीशु हुनका सभ सँ पुछलथिन जे, “अहाँ सभ लग कयटा रोटी अछि?” शिष्‍य सभ उत्तर देलथिन जे, “सातटा।”
6. यीशु लोक सभ केँ जमीन पर बैसबाक लेल आदेश देलनि, और ओ सातो रोटी लऽ कऽ परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देलथिन। रोटी सभ केँ तोड़ि-तोड़ि कऽ लोक सभ मे बाँटऽ लेल शिष्‍य सभ केँ देलथिन और ओ सभ रोटी बाँटि देलनि।
7. किछु छोटका माछो रहैक। यीशु माछोक लेल धन्‍यवाद दऽ कऽ लोक सभ मे बाँटि देबऽ लेल शिष्‍य सभ केँ देलथिन।
8. सभ केओ भरि पेट भोजन कयलक। भोजनक बाद शिष्‍य सभ उबरल टुकड़ा सभ सात टोकरी मे भरि कऽ जमा कयलनि।
9. ओहि मे भोजन करऽ वलाक संख्‍या करीब चारि हजार लोक छल।
10. ओकरा सभ केँ विदा कऽ कऽ यीशु तुरत शिष्‍य सभक संग नाव मे चढ़ि दलमनूथा क्षेत्र चल गेलाह।
11. हुनका सभ केँ पहुँचला पर फरिसी सभ आबि कऽ यीशु सँ वाद-विवाद करऽ लगलाह, आ हुनका जाँच करबाक लेल स्‍वर्ग सँ एकटा चमत्‍कार वला चिन्‍ह मँगलथिन।
12. यीशु भीतर सँ कुहरि कऽ कहलनि जे, “एहि पीढ़ीक लोक एकटा चिन्‍ह किएक मँगैत अछि! हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी जे एकरा सभ केँ कोनो चिन्‍ह नहि देखाओल जयतैक!”
13. हुनका सभ केँ छोड़ि कऽ यीशु फेर नाव मे चढ़ि कऽ झीलक ओहि पार चल गेलाह।
14. शिष्‍य सभ रोटी अननाइ बिसरि गेल छलाह; एकेटा रोटी नाव पर संग मे छलनि।
15. यीशु हुनका सभ केँ चेतबैत कहलथिन, “फरिसी सभक और हेरोदक रोटी फुलाबऽ वला खमीर सँ सावधान रहू!”
16. ओ सभ आपस मे विचार करैत बजलाह जे, “अपना सभ रोटी आनब बिसरि गेलहुँ, एही कारणेँ ओ ई बात कहि रहल छथि।”
17. यीशु बुझि गेलथिन जे ओ सभ एना एक-दोसर सँ बात-चीत करैत छथि और हुनका सभ सँ पुछलथिन जे, “अहाँ सभ आपस मे एहि पर बात किएक कऽ रहल छी जे अपना सभ लग रोटी नहि अछि? की एखनो तक नहि देखैत छी? एखनो तक नहि बुझैत छी? बुद्धि मन्‍द भऽ गेल अछि की?
18. की आँखि रहितो नहि देखैत छी, आ कान रहितो नहि सुनैत छी? की मोन नहि अछि?—
19. जखन ओ पाँचटा रोटी हम पाँच हजार लोकक लेल तोड़लहुँ तँ उबरल रोटीक टुकड़ीक कतेक छिट्टा भेल?” ओ सभ जबाब देलथिन जे, “बारहटा।”
20. “और जखन ओहि सातटा रोटी सँ हम चारि हजार आदमी केँ खुऔलहुँ तँ रोटीक टुकड़ी कतेक ढाकी बिछलहुँ?” ओ सभ उत्तर देलथिन जे, “सातटा।”
21. तखन ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “की एखनो तक नहि बुझैत छी?”