A A A A A
एक साल में बाइबल
फरवरी 25

मरकुस 5:1-20
1. यीशु और हुनकर शिष्‍य सभ झीलक ओहि पार गिरासेनी सभक क्षेत्र मे पहुँचलाह।
2. नाव पर सँ उतरैत काल एक दुष्‍टात्‍मा लागल आदमी कबरिस्‍तान दिस सँ हुनका भेँट करऽ लेल अयलनि।
3. ओ आदमी कबरिस्‍तान मे रहैत छल। केओ आब ओकरा जंजीरो लऽ कऽ बान्‍हि नहि सकैत छल।
4. कतेको बेर लोक ओकरा जंजीर सँ हाथ-पयर बान्‍हि देने रहैक मुदा ओ सभ जंजीर केँ तोड़ि देने रहय। ककरो एतेक शक्‍ति नहि छल जे ओकरा सम्‍हारि कऽ राखि सकय।
5. दिन-राति कबरिस्‍तान और पहाड़ मे ओ सदिखन चिचियाइत रहैत छल और पाथर सँ अपना देह केँ कटैत रहैत छल।
6. यीशु केँ दूर सँ देखि ओ दौड़ैत आयल और हुनका पयर पर खसि कऽ
7. जोर सँ चिचिया लागल जे, “यौ परम परमेश्‍वरक पुत्र यीशु! अपने केँ हमरा सँ कोन काज? अपने केँ परमेश्‍वरक सपत अछि—हमरा दुःख नहि दिअ।”
8. ई बात ओ एहि द्वारे कहलक कि यीशु ओहि दुष्‍टात्‍मा केँ कहैत छलाह जे, “हे दुष्‍टात्‍मा! एहि आदमी मे सँ निकल!”
9. तखन यीशु ओकरा सँ पुछलथिन जे, “तोहर नाम की छह?” ओ कहलक जे, “हमर नाम अछि ‘सेना’, किएक तँ हम सभ बहुत गोटे छी।”
10. तखन ओ हुनका सँ विनती करऽ लागल जे, “हमरा सभ केँ एहि इलाका सँ बाहर नहि निकालू।”
11. ओहीठाम लग मे पहाड़ पर सुगरक बड़का झुण्‍ड चरि रहल छल।
12. दुष्‍टात्‍मा सभ यीशु सँ विनती कयलकनि जे, “हमरा सभ केँ ओहि सुगर सभ मे पठा दिअ, ओकरा सभ मे हमरा सभ केँ पैसऽ दिअ।”
13. यीशु ओकरा सभ केँ अनुमति दऽ देलथिन। ओ सभ ओहि आदमी मे सँ निकलि आयल और सुगर सभ मे प्रवेश कऽ गेल। पूरा झुण्‍ड—लगभग दू हजार सुगर—बताह भऽ पहाड़ पर सँ धरफरा कऽ झील मे खसल और सभ पानि मे डुबि कऽ मरि गेल।
14. सुगर चराबऽ वला तुरत भागि एहि घटनाक बारे मे नगर आ देहातो मे सुनौलक। एहि घटना केँ देखऽ लेल बहुतो लोक आयल।
15. यीशु लग पहुँचि कऽ ओहि आदमी केँ जकरा मे दुष्‍टात्‍मा पहिने रहैत छलैक कपड़ा पहिरने आ स्‍वस्‍थ मोने यीशु लग बैसल देखलक। ई देखि लोक सभ भयभीत भऽ गेल।
16. जे सभ ई घटना देखने छल से सभ विस्‍तारपूर्बक लोक सभ केँ कहि देलक जे कोना दुष्‍टात्‍मा लागल आदमी नीक भेल और सुगर सभ केँ की भेलैक।
17. तखन लोक सभ यीशु सँ ओहि इलाका सँ चल जयबाक लेल विनती करऽ लगलनि।
18. यीशु जखन नाव पर चढ़ऽ लगलाह तखन ओ आदमी जकरा मे पहिने दुष्‍टात्‍मा सभ रहैत छलैक से हुनका सँ विनती कयलकनि जे, “अपना संग हमरो चलऽ देल जाओ।”
19. मुदा यीशु ओकरा मना करैत कहलथिन, “तोँ अपना घर जाह, और प्रभु तोरा पर कतेक पैघ दया कयलथुन अछि से अपना आदमी सभ केँ सुनबहक।”
20. ओ आदमी “दस नगर” क्षेत्र मे जा कऽ, यीशु ओकरा लेल जे-जतेक कयने रहथिन से सुनाबऽ लागल। जे सभ ई बात सुनलक से सभ बहुत आश्‍चर्य-चकित भेल।